Ezra9

1ई सबकिछु कएल गेलाक' बाद, यहूदीके अगरियासब हमरालग आबिक' कहए लागल, “बहुत इजराएलीसब, आ किछु पुजारी आ लेवीसब एहि देशमे रहनिहार लोकसबके चालि चलनस' अपने-आपके अलग नहि कएने अछि। ओसब ओएह घिनौना काजक' रहल अछि जे ओ अन्य जातिसब करैत अछि। ओ लोकसब एहि लोकक समूह कनानी, हित्ती, परिज्जी, यबूसी, अम्मोनी, मोआबी, मिस्री, आ एमोरीसबस' आएल अछि।2विशेष क' क' किछु इजराएली पुरुषसब ओहि जातिसबके स्त्रीसंगे विवाह कएने अछि, आ अपन बेटासबके सेहो ओहने करएके अनुमति देने अछि। एहि कारण हम, जे परमेश्वरके लोकसब छी, आब एत' अन्य जातिसबस' अलग नहि रहि गेली। हमरासबके किछु अगुवा आ अधिकारीसब एहि तरहें काज करएमे परमेश्वरस' विश्वासघात करएबलामे सबस' आगु अछि।”3जखन हम एहिके सुनलिऐ, तखन हम निराश भ' क' अपन अंगा आ ओढ़ना फाड़ि लेलहुं। हम अपन माथ आ दाढ़ीके केश नोचए लगलहुं। फेरुस' हम बैसि गेलहुं। हमर वाक बंद भ' गेल। 4एखनो बहुते यहूदीसब इजराएलके परमेश्वरक' आज्ञाके पालन करैत बिदेशी स्त्रीस' विवाह नहि क' रहल अछि। आ ओ एहि बातस' पिरोटनि अछि जे कैदस' आएलमेस' किछु ओहिके अवज्ञा कएने अछि। जखन हमर वाक भरि दिन बन्दे रहल तखन ओसब सांझके बलि चढ़ाबए होए धरि हमरा चारूदिश आबिक' ठाढ़ भ' गेल।5मुदा जखन सांझ पहर बलिदान चढ़एबाक समय आएल, त' हम चुपचाप नहि रहि सकली। फाटल अंगा आ ओढ़ना पहिरने, हम ठेहुना पर ठाढ़ भ' गेलहुं। आ अपन हाथ उपर यहोवा दिस, हमर परमेश्वरस' विनती लेल पसारि देली,6आ हम इहे प्रार्थना कएलहुं: “हे हमरासबहक परमेश्वर, हम बहुत लज्जित छी, अहाँस' विनती करएलेल अहाँके आगु आबएलेल सेहो। निश्चितरुपस', हमरा इजराएलीसबके पाप बहुत बेसी अछि। ई एहन अछि जे मानू हमरासबहक पाप हमरासबके माथस' उपर चलि गेल अछि। आ हमरासबके पाप दोष उपर स्वर्ग धरि पहुंच गेल अछि। 7हमरासबके पिता पुरखाके समयस' आबए धरि हमरासबके दोष बहुत बेसी भ' गेल अछि। एहि कारण जे परमेश्वर दोसर देशके राजाके सेनास' हमरासबके आ हमरासबके राजासब आ हमरासबके पुजारीके पराजीत क लज्जित होबएलेल छोड़ि देलथिन। ओ सबकिछु आदमीके मारियो देलक, किछुके कैदी बनौलक, किछुके लूटपाट सेहो कएलक, आ भारी बेइजती क' क' अपमानित कएलक, जेकरा हमसब एखनो महसूस क' रहल छी।8मुदा किछु दिन पहिनेस', हे हमरासबके यहोवा परमेश्वर, अहाँ हमरासब उपर कृपा देखएलहुं। अहाँ हमरासबमेस' किछुके जीवित रखलहुं। अहाँ हमरासबके अहाँ अपन पवित्र स्थानमे सुरक्षित पहुंचएलहुं। अहाँ हमरासबके आत्माके आनन्दित क' क' आ हमरासबके कनिक स्वतन्त्र कएलहुं, मुदा फारसके राजा एखनो हमरासबके मालिक अछि।9हं, हमसब फारसमे दासके जकां छी, मुदा हमरासबके नहि छोड़लनि। ओहि ठाम अहाँ फारसके राजाके हमरासब उपर कृपा करएलेल मोन परिवर्तन क' देलऐ। ओ हमरासबके किछु स्वतन्त्र कएलक आ हमरासबके अहाँके ढाहल गेल परमेश्वरके भवनके पुनर्निर्माण करबाक अनुमति देलक। ओ हमरासबके यहूदा प्रान्त आ यरूशलेममे सुरक्षित रहएलेल अनुमति देलक।10हे हमरासबके परमेश्वर, आब हमसब की कहि सकैत छी? अहाँ हमरासब लेल एतेक किछु कएलहुं, ओतेक होइतो हमसब अहाँके आज्ञा नहि पालन कएलहुं। 11जे आज्ञा अहाँ अपन सेवक प्रवक्ताके माध्यमस' हमरासबके देने छलहुं। ओ हमरासबके कहने रहैक जे जत' हमसब अधिकार करब, ओहि ठाम रहनिहार आदमीसबके घिनौना काजके कारण अशुद्ध भ' गेल अछि। ओ कहने रहए जे ओहि आदमीसबके काजके कारण देश एहि पारस' ओहिपार धरि अशुद्ध आ अपवित्र भ' गेल अछि।12ओ कहने रहए जे हमसब अपन बेटीसबके ओकरासबके बेटासबसंगे विवाह नहि करब! हमसब अपन बेटासबके विवाह ओकरासबके बेटीसबसंगे सेहो नहि करब! हमसब कहियो ओकरासबस' मित्रवत व्यहवार नहि करब! ओ कहने रहैक जे हमसब एहि आज्ञाके पालन करब त' हमरासबके देश शक्तिशाली होएत। जमीन हमरासबके सन्तानके भ' जाएत आ जमीनके नीक-नीक फसलके उपयोग कर' पाएब आ ओ अहाँके वंशके अधिकारमे सदैव बनल रहए। 13मुदा अहाँ हमरासबके दण्ड एहि कारणे देलिऐ जे हमसब पाप कर' खातिर दोषी ठहराओल गेल छी। अहाँ हमरासबके ओतेक दण्ड नहि देली, जतेक हमरासबके भेटवाक चाही। हम एहि कारणे ई कहि रहल छी जे हे हमरासबहक परमेश्वर, अहाँ हमरासबमेस' किछुके बचौने छी।14मुदा, हमरासबमेस' किछुगोटे अहाँके आज्ञाके नहि मानए लागल अछि। मुदा हमसब एहि तरहें करिते रही, त' हमसब अहाँके बहुत बेसी घृणित काजक' देब जे अहाँसब तरहें हमरासबके नाश क' देब।15हे इजराएलके परमेश्वर यहोवा, अहाँ सदिखन ठीक काज करैत छी! किएक त अहाँ दयालु छी, अहाँ हमरासबमेस' किछुके आइधरि जीविते रखने छी। हमसब अहाँके आज्ञाके पालन नहि क' क' हमसब अहाँक' दोषी छी आ ओहि कारणे हमसब अहाँस' विनती करएके योग्य नहि रहि जाएब।”

Bridge Connectivity Solutions Pvt. Ltd.

https://app.library.bible/content/2acb82c33dca4c67