Ezra8
1किछु समय पहिने, फारसके राजा अर्तक्षत्रके राजकालमे बाबेलस' हमरासंगे घुरिक' आबएबला इजराएलके अगुवासबके नामावली एना अछि:2हारूनके पोता पीनहासके वंशस' गर्शोम रहैक। हारूनके बेटा ईतामारके वंशस' दानिय्येल भेल। राजा दाऊदके वंशस' हत्तूश भेल।3हत्तूश सेहो शकन्याहके वंशस' एकटा आएल रहए। परोशके वंशस' जकर्याह आ ओकर संगे 150 पुरुषसब आएल।4जरहयाहके बेटा एल्यहोएनैके वंशस' 200 पुरुष आएल जे पहत्मोआबके वंशज रहए।5शकन्याहके वंशज यहाजीएलके बेटा आ ओकरासंगे 300 पुरुषसब आएल।6आदीनके वंशस' योनातानके बेटा एबेद आ ओकरासंगे 50 आओर पुरुषसब आएल।7एलामके वंशस' अतल्याहके बेटा यशायाह आ ओकरासंगे 70 आओर पुरुषसब आएल।8शपत्याहके वंशस' मीकाएलके बेटा जबद्याह आ ओकरासंगे 80 आओर पुरुषसब आएल।9यहीएलके बेटा ओबद्याह आ योआबके वंशस' 218 आओर पुरुषसब आएल।10योसिव्याहके बेटा शलोमीतके वंशस' 160 आओर पुरुषसब आएल।11बेबैके बेटा जकर्याहके वंशस' 28 आओर पुरुषसब आएल।12अजगादके वंशस' हक्कातानके बेटा योहानान आ ओकरासंगे 110 आओर पुरुषसब आएल।13एलीपेलेत, यूएल, आ शमायाह नामके तीन पुरुष आ अदोनीकामके वंशस' 60 आओर पुरुषसब आएल, जे जरुब्बाबेल संगे पहिने नहि आएल रहए।14बिगवैके वंशस' ऊतै, जक्कुर आ 70 आओर पुरुषसब आएल।15आ हम हुनकासबके नदी किनहेरिमे जमा कएलहुं, जे अहवा दिस जाइत अछि, आ हमसब ओत तीन दिन डेरा डालि लेलहुं। आ हम लोक आ पुरोहितसबके जांच कएलहुं, मुदा लेवीके पुत्रसबस हमरा केओ नहि भेटल।16तखन हम एलीएजेर, अरीएल, शमायाह, एलनातान, यारीब, दोसर एलनातान, नातान, जकर्याह आ मशुल्लाम नामके एकटा पुरुष जे इजराएलीसबके अगरियाके बजौलनि। योयारीब आ एलनातान नामक शिक्षकके सेहो बजौलनि जे बुद्धिमान रहैक।17नओ गोटे अगुवा आ दूटा शिक्षकसबके हम इद्धो लग पठएलहुं जे कासिप्याके लेवीसबके अगुवामेस' एक रहए। इद्धो आ ओत' के परमेश्वरके भवनमे काज करएबला सेवकसबस' हमरासबहक मन्दिरके काज करएलेल सेवकसब पठा दिअ से सन्देश पठौलनि।18किएक त' हमरासब उपर परमेश्वरक' कृपादृष्टी रहए, ओ एगारह गोटे हमरासबलग शेरेब्याह नामक बहुत बुद्धिमान आदमी आ ओकरासंगे ओकर 18 गो बेटासब आ सखा-सम्बन्धीसबके ल' क' आएल। ओ महलीके वंशज छल, जे इजराएलके बेटा लेवीके पोता रहए।19ओसब हशब्याह आ यशायाह आ ओकरासबके' 20 गो बेटा आ सखा-सम्बन्धीसबके हमरासबलग पठौलक। ओ दुनू लेवीके बेटा मरारीके घरानास' रहैक।20ओसब मन्दिरमे काज करएलेल 220 टा मन्दिरके सेवकसब पठौलक। लेवीसबके सहायता करएलेल एहि तरहे सेवक नियुक्त करएके प्रथा राजा दाउद आ ओकर अधिकारीसब ओकरेसबके पूर्वजसबके नियुक्त कएने रहैक। ओकरेसबके नाम गनती क' क' लिखल गेल।21ओत' अहवा नदीके कछेरपर, हमसब उपवास रहएके घोषणा कएलहुं। हमसब अपन परमेश्वरके आगु दीन होबए चाही से कहलहुं। हमसब यात्राके समय धरि परमेश्वर हमरासबके, हमर धियापुता, आ सम्पत्ति सबके रक्षा करएलेल सरल यात्राके लेल विनती कएलऐ।22पहिने हम राजास' कहने रही जे हमरासबके परमेश्वर, हुनका उपर भरोसा कएनिहारसबके सदिखन नजरि रखैत छथि, आ हुनका नहि मानएबलासबके उपर हुनकर कोप भड़कैत अछि। तएं हमरा राजास' इहे कहएलेल लाज लगैत छल जे हमरासबके यात्रामे शत्रुस' रक्षाके लेल सैनिक आ घोड़सबारसबके जाएलेल आज्ञा कएल जाए।23एहिलेल हमसब उपवास कएलहुं आ अपन परमेश्वरस' रक्षा क' लेल विनती कएलहुं। हमसब हुनकास' विनती कएलहुं आ परमेश्वर हमरासबहक' विनती सुनलथि।24हम शेरेब्याह आ हशब्याह आ आओर 10 टा लेवीके संगी पुजारीसबके स' जम्मा 12 गोटे अगुवाके अलग कएलहुं।25हम ओकरासबके सोना आ चानी जे लोकसब' देने रहैक आ मूल्यवान सर समान, भेटसब जे यरूशलेम ल' जाएलेल राखल गेल छल। राजा आ ओकर सल्लाहकार आ आओर अधिकारीसब, आ बेबीलोनमे रहनिहार इजराएलीसब हमरासबके परमेश्वरके मन्दिर बनाबएलेल देने रहए।26जखन हम ओहि पुजारीसबके ई सर समान देलिऐ, तखन हमसब समानके तौल कएलहुं। लगभग 22 हजार किलो चानी, 3,400 किलो चानीके बर्तनसब, 3,400 किलो सोना,27सोनाके 20 टा कटोरा जेकर वजन लगभग साढ़े आठ किलो छल। आ दूटा पितरिया वर्तन जे सोने जकां मूल्यवान छल।28हम ओहि पुजारीसबके आ लेवीस' कहलहुं, “अहाँसब यहोवाके लेल विशेष रुपस' अलग कएल गेल छी। ई मूल्यवान सर समान ओहि तरहे यहोवाके लेल विशेष अछि। लोकसब स्वेच्छास' सोना आ चानी यहोवा, हमरासबके पिता पुरखाके परमेश्वरके भेट चढ़ाबएलेल देलनि।29तएं ओहि समानसबके जतनस' सुरक्षा करु। जखन हम यरूशलेम पहुंचलहुं, तखन मुख्य पुजारी आ लेवी आ इजराएलके अगुवासबके सामने यहोवाके नव भवनके भंडार गृहमे राख' खातिर जोखलहुं।30एहिलेल पुजारी आ लेवीसब सोना, चानी आ चढ़ौना चढ़ाबएबला सरसमानसब हमरास' ल' लेलक जाहिस ओहिसबके यरूशलेमके परमेश्वरके भवनमे राखि सकए।31पहिन महिना निसानके बारहम दिनमे हमसब अहवा नदीस' चललहुं' आ यरूशलेम दिस आगु बढ़लहुं। हमरासबके परमेश्वर हमरासबके देखभाल कएलथि, आ जखन हमसब आगु बढ़ि रहल छली, तखन ओ हमरासबके शत्रु आ लुटेरासबके आक्रमण करएस' बचौलथि।32यरूशलेम अएलाके बाद हमसब तीन दिन धरि आराम कएलहुं।33फेरुस' ओकरासबके यरूशलेममे अएलाके चारिम दिन हम परमेश्वरके भवन गेलहुं। ओत' किछु अगरियासब जोखिक' सोना, चानी आ आओर सर समान ल' लेलक। इहे अगुवासबमेस' दूटा ऊरिय्याहके बेटा मरेमोत आ पीनहासके बेटा एलीआजर पुजारी रहैक, आ दूटा येशुअके बेटा योजाबाद आ बिन्नूईके बेटा नोअधाह लेवी रहैक।34ओसब सबकिछु गनि लेलक, आ सबकिछुके जोखिक लिख लेलक, आ सबकिछुके गनि गनिक' सरकारी अभिलेखमे दर्ज क' लेलक।35हमसब जे बेबीलोनमे कैदी भ' क' गेल छली, मुदा आब, कैदस' घुरिक आएल छी, सबकेओ होमबलिके चढ़ौना चढ़ौली: इजराएलीसब चढ़ौनाके लेल 12 गो बच्छा, 96 गो भेंड़ा आ 77 गो मेमना। हमरासबके पापबलिके लेल 12 गो छागर सेहो चढ़एलहुं। ईसब चढ़ौना वेदीए पर यहोवाके खातिर बलिदान चढ़ाक' पुरेपुरी जरा देल गेल।36बेबीलोनस' घुरिक आबएबला सबमेस' किछु आदमीसब ओहि चिठ्ठीके ल' लेलक जे राजा हमरा फरात नदीके पश्चिम प्रान्तके अधिपति आ अधिकारीसबके देबएलेल देने रहथि। ओसब अपन अपन क्षमताके मुताबिक इजराएली आ परमेश्वरके भवनमे आराधनाके लेल सब प्रकारस' सहायता कएलक।”
Bridge Connectivity Solutions Pvt. Ltd.