Ezra10
1एज्रा परमेश्वरके भवनके आगु ठेहुनियां द' क' विनती करैत छलनि आ कनियो रहल छलनि, ओ लोकसबद्वारा कएल गेल पापके प्रायश्चितक' रहल छलनि। जखन ओ एना करैत छलनि, त' इजराएलीसबके नमहर भीड़, पुरुष, आ स्त्री, बच्चासब एज्राके चारुकात जम्मा भ' गेल, किएक त' ओहोसब बहुत व्याकुल रहए।2तखन एलामके वंशस' यहीएलके बेटा शकन्याह बाजए लागल। ओ एज्राके कहलनि: “हमसब अपन परमेश्वरसंगे विश्वासघात कएने छी। हमरासबमेस' किछु लोक गैर-इजराएली स्त्रीसबस' विवाह कएने अछि। ओसब अन्य जातिसब अछि जे हमरासबके संगे-संगे रहि रहल अछि। मुदा हमसब एखनो आश लगा सकैत छी जे हम इजराएलीसबपर यहोवा दया करताह।3हम सल्लाह दैत छी जे एहन अछि। परमेश्वर अपन व्यवस्थामे हमरासबके करएलेल कहल बात हमरासबके करए चाही। हमसब परमेश्वरसंग एकटा करार बान्हएके चाही जे हमसब अपन बिदेशी पत्नीसब आ धियापुताके छोड़ि देब। हमसब अपनेके कहल अनुसार ओ सबकिछु करब आ जे हमरासबके परमेश्वर हमरासबके की करबाक लेल कहने छथि से कहू।4मुदा अहाँके दायित्व इएह अछि जे अहाँ हमरासबके कहू जे की करएके अछि, आगु कोना गेल जाए, आ हिम्मत कोना कायम राखब, आ की कएनाइ आवश्यक अछि। हमसब अहाँके संग छी।”5तखन पुजारी, लेवी, आ इजराएलीसबके अगुवासबके एज्रा शकन्याह कहल शपथ अनुसार सपथ खुऔलक। तएं ओसब एहि तरहे सपथ लेलक।6तखन एज्रा मन्दिरके आगुस' चलिक' एल्याशीबके बेटा यहोहानानके कोठरिमे चलि गेलनि। जखन ओ ओत' गेलनि त', ने किछु खएलनि, ने किछु पीबिलनि। ओ एखनो शोकित आ दुखित रहनि किएक त' बेबीलोनस' आएल सबमेस' किछु इजराएलीसब परमेश्वरके आज्ञापालन नहि कएने रहए।7तखन अगरियासब यहूदा आ यरूशलेम शहरके सबलोक लग सन्देश पठौलनि। बेबीलोनस' आएल सबकेओके तुरते यरूशलेममे आबएलेल कहलनि।8आ जे सब हाकिम आ एल्डरसबके सल्लाह नहि मानत आ तीन दिनके भीतर नहि आबएबला सबहक लेल जरिवाना सेहो निश्चित कएलनि। ओकर सभहे सम्पत्ति छीना जाएत, आ ओकरासबके इजराएलीके जाति समुदायस' भगा देल जाएत।9एहि कारणे तीन दिनके भीतर, अर्थात् नवम महिनाके बीसम दिन, यहूदा आ बिन्यामीनके घरानिके सब लोकसब यरूशलेममे जम्मा भेल। ओसब परमेश्वरके भवनके अंगनामे बैसल रहए। ओसब कपकपाति रहए किएक त' मुशलाधार वर्षा भ' रहल रहए आ किएक त' ओसब दुखित छल जे ओकरासबके दण्ड देल जएतै ओएह कारण जे ओसब आज्ञापालन नहि कएने छल। 10तखन पुजारी एज्रा उठिक' ठाढ़ भ' गेल आ ओकरासबस' कहलनि, अहाँसबमेस' कतेक गोटे एहन छी जे परमेश्वरके आज्ञा नहि पालन कएने छी। अहाँसब गैर-इजराएली विदेशी स्त्रीस' विवाह कएने छी। एनाक' क' हमरासबके पहिनेस' बेसी दोषी बनौने छी।11मुदा आब, यहोवाके आगु अपन अपन पाप स्वीकार करु, जाहि परमेश्वरके आराधना अहाँसबके पूर्वज करैत छल, आ हुनकरे आज्ञा अनुसार करु। अपन विदेशी पत्नीसबके छोड़िक' अन्य जातिसबस' अलग भ' जाउ। 12जम्मा भेल भीड़ जोर-जोरस' चिचिआक' कहलक, हं, हमरासबके ओहिना करएके चाही जे अहाँ कहैत छी।13“मुदा हमसब बहुत भारी भीड़ छी, आ वर्षाक' समय अछि। हमरासबलग एहि वर्षामे ठाढ़ होएबाक शक्ति नहि अछि। हमरासबमेस' बहुत गोटे इहे पाप कएने अछि, एहि कारण फेरुस' सबकिछु ठीक करएलेल बहुत समय लागत।14तएं हमरासबके अगुवासबके ई निर्धारण करए दिऔ जे हमरासबके की करबाक चाही। प्रत्येक शहरमे सबगोटेके कहल जाए जे इजराएलस' बाहरके स्त्रीस' विवाह कएने छी ओसब निर्धारीत समय भीतर एतह आएब। ओसब अपन नगरस' धर्मगुरु आ न्यायकर्तासबके संग आएब। यदि हमसब एहि तरहें करए छी त' जे हम कएने छी ओएह कारण परमेश्वर हमरासबपर कोप कएनाइ बंद क' देताह।”15जम्मा भेलमेस' असाहेलके बेटा योनातान आ तिकवाके बेटा यहजयाह एहि बातस' सहमत नहि रहए, आ मशुल्लाम आ लेवीके घरानिके शब्बतै ओकर संग पुरलक।16मुदा बेबीलोनस' घुरि आएल आदमीसब कहलक जे हमसब एहिना करब। तखन पुजारी एज्रा इजराएलीके घरानिके अनुसार एहन पुरुषके चुनि लेलक जे अगरियासब रहैक आ ओकरेसबके नाम लिख लेलक। दसम महिनाके पहिन दिन लोकसब इहे घटनाके जांच करएलेल जम्मा भेल। 17अगिला वर्षके' पहिन महिनाके पहिन दिन धरि ओ निश्चित क' चुकल छल जे कोन पुरुषसब गैर-इजराएली विदेशी स्त्रीस' विवाह कएने रहए।18किछु पुजारीसब गैर-इजराएली विदेशी स्त्रीस' विवाह कएने छल। ओसब योसादाकके बेटा येशुअ आ ओकर भाइके घरानिके छल। ओकरेसबके नाम मासेयाह, एलीएजेर, यारीब, आ गद्ल्याह रहए।19ओसब अपन गैर-इजराएली विदेशी पत्नीसबके छोड़ि देबएलेल सपथ लेलक, आ ओकरासबमेस' सबकेओ पापक दोषके प्रायश्चित करएलेल हुंजमेस' एक-एकटा भेंड़ चढ़ौना चढ़एलक।20इम्मेरके वंशस' हनानी आ जबद्याह।21हारीमके वंशस' मासेयाह, एलियाह, यहीएल, शमायाह आ उज्जियाह।22पशहूरके वंशस' एल्योएनै, मासेयाह, इश्माएल, नतनेल, योजाबाद आ एलाषा।23बिदेशी स्त्रीसबस' विवाह करएबला लेवीसबमेस' योजाबाद, शिमी, केलायाह जेकर दोसर नाम कलीता रहैक, पतहियाह, यहूदा आ एलीएजेर रहैक।24ओत' संगीतकार एल्याशीब रहैक। परमेश्वरके भवनके पहरा देबएबलासबमे शल्लूम, तेलेम, आ ऊरी रहैक।25आओर इजराएलीसबके नामावली ई अछि जेकर पत्नी विदेशी छल: परोशके वंशस' रम्याह, यिज्जियाह, मल्किय्याह, मिय्यामीन, एलीआजर, मल्किय्याह, आ बनायाह रहैक।26एलामके वंशस' मत्तान्याह, जकर्याह, यहीएल, अब्दी, यरेमोत आ एलियाह रहैक।27जत्तूके वंशस' एल्योएनै, एल्याशीब, मत्तान्याह, यरेमोत, जाबाद, आ अजीजा रहैक।28बेबैके वंशस' यहोहानान, हनन्याह, जब्बै आ अतालै रहैक।29बानीके वंशस' मशुल्लाम, मल्लूक, अदायाह, यशूब, आ शाल आ यरेमोत रहैक।30पहत्मोआबके वंशस' अदना, कलाल, बनायाह, मासेयाह, मत्तान्याह, बसलेल, बिन्नूई, आ मनाश्शे रहैक।31हारीमके वंशस' एलीएजेर, यिश्शियाह, मल्किय्याह, शमायाह, शिमोन,32बिन्यामीन, मल्लूक, आ शेमर्याह रहैक।33हाशूम के वंशस' मत्तानै, मत्तत्ता, जबाद, एलीपेलेत, यरेमै, मनश्शे, आ शिमी रहैक।34बानीके घरानिमे मादै, अम्राम, ऊएल,35बनायाह, बेदयाह, कलूही,36वान्याह, मरेमोत, एल्याशीब,37मत्तान्याह, मत्तानै, आ यासू रहैक।38बिन्नूई आ बानीके वंशस' शिमी,39शेलेम्याह, नातान, अदायाह,40मक्नदबै, शाशै, शारै,41अजरेल, शेलेम्याह, शेमर्याह,42शल्लूम, अमर्याह, आ यूसुफ रहैक।43नबोके वंशस' यीएल, मत्तित्याह, जबाद, जबीना, यद्दई, योएल, आ बनायाह रहैक।44ओ लोकसब गैर-इजराएली विदेशी स्त्रीस' विवाह कएने रहैक। ओकरासबमेस' केकरो केकरो बालबच्चा सेहो जनमल रहए।
Bridge Connectivity Solutions Pvt. Ltd.