Ezra7
1किछु बरख बाद, जखन फारसके राजा अर्तक्षत्र रहैक, एज्रा बेबीलोनस' यरूशलेम चलि गेल। ओ सरायाहके बेटा छल। सरायाह अजर्याहके बेटा छल, अजर्याह हिल्किय्याहके,2हिल्किय्याह शल्लूमके बेटा छल, ओ सादोकके बेटा छल जे अहीतूबके कुलस' छल।3जे अमयराहके बेटा छल, जे अजर्याहके बेटा छल, जे मरायोतके कुलस' छल।4जे जरहयाहके बेटा छल, जरहयाह उज्जीके बेटा छल, जे बुक्कीके बेटा छल,5जे अबीशू के बेटा छल, ओ पीनहासके बेटा छल, जे पीनहास एलीआजरके बेटा छल, ओ हारून, पहिन प्रधान पुजारीके बेटा छल।6एज्रा मूसाके व्यवस्था चिन्हएबला आदमी सबमेस' एक रहैक। ई ओ व्यवस्था छल जे इजराएलके परमेश्वर यहोवा इजराएलीसबके लेल देने छलथि। एज्रा बाबेल छोड़लाक' बाद राजा अपन आदमीस' कहलनि जे एज्रा जे किछु मांगे त' हुनका पूराक' दिऔ। किएक त' यहोवाके आशीषबला हाथ हुनकापर रहए।7परमेश्वरके भवनमे काज करएबला सबमे किछु इजराएली, किछु पुजारी, किछु लेवी; किछु गबैया, किछु द्वारपाल आ किछु आदमीसब एज्रासंगे यरूशलेममे गेल। ई समय फारसके राजा अर्तक्षत्रके सातम बरख रहैक।8एज्रा आ ओकर साथ जाएबला समूह सातम बरखके पांचम महिनाके पहिन दिनमे यरूशलेम पहुंचल जखन ओत' के राजा अर्तक्षत्र छल।9एहि बातपर ध्यान राखू: पहिन महिनाके पहिन दिन ओसब बाबेलस' निकलल। ओहि सातम बरखके पांचम महिनाके पहिन दिन यरूशलेम कुशलतापूर्वक पहुंचल। निश्चय परमेश्वरके कृपा ओकरासबपर छल।10अपन पूरा जीवनमे, एज्रा यहोवाके व्यवस्था पढ़ए आ ओकर पालन करएके तरीका बुझाबएलेल स्वयंके समर्पित क' देने रहैक। ओ बहुत बरख धरि इजराएलीसबके यहोवाके धार्मिक विधिविधानसब सिखौलक।11पुजारी आ धर्मशास्त्रके शिक्षक एज्रा जे यहोवाके आज्ञा आ इजराएलमे हुनकर विधि विधानमे निपुण रहैक, हुनका राजा अर्तक्षत्र द्वारा देल गेल पत्री एहि तरहे रहए:12“ई पत्री राजासबके राजा महान राजा अर्तक्षत्र दिसस' पुजारी एज्राके नाम, स्वर्गके परमेश्वरके व्यवस्थामे निपुण एज्राके राजा अर्तक्षत्रके दिसस' अभिवादन:13हम आदेश दैत छी जे एहि देशमे रहनिहार केओ इजराएली यदि यरूशलेम जाए चाहैत अछि त' ओ जा' सकैत अछि। एहिमे पुजारी आ लेवीसब सेहो सहभागी रहए।14एतहि किछु आओर व्यवस्था कएल गेल अछि, हम आ हमर सात सलाहकार अहाँके ई जानएलेल पठाबि रहल छी जे यहूदा प्रान्त आ यरूशलेम शहरके लोकसब परमेश्वरके विधिविधान पालन क' रहल अछि की नहि।15हमरासबस' राजा आ हुनकर सलाहकारद्वारा देल गेल सोना आ चानी सेहो ल' क' जाउ। हम चाहैत छी जे ओ सोना-चानी यरूशलेमके मन्दिरमे इजराएलके परमेश्वरके भेट स्वरुप चढ़ाएल जाए।16अहाँ बाबेलके सारा प्रान्तमे स' संकलन कएल गेल सोना आ चानी आ इजराएलीसब आ पुजारीसबद्वारा यरूशलेममे परमेश्वरक' मन्दिर निर्माणक' लेल भेट चढाबएलेल देल जाएबला सोना आ चानी जे खुशीस' देल जाएत ओसब लिअ।17आ तखन सब धन ल' क' गाइके बच्छा, भेंड़ आ मेमना किनू, जेकरा पुजारी यरूशलेमके मन्दिरके बेदीपर चढ़ौना स्वरुप चढ़ाएत। चढ़ौनाके संगे चढ़ाबएलेल अनाजसब दाखमद्य सेहो किन लिअ।18यदि सब वस्तुसब खरीद कएलाक बाद, किछु सोना आ चानी उबरैत' अछि त' अहाँ आ अहाँके सहकर्मीसबके जं कोनो सामान चाही त अपन इच्छास' किन सकए छी जे परमेश्वरके मन्दिरके लेल जरुरी अछि।19हम अहाँके परमेश्वरके भवनमे पुजारीके उपयोगकलेल भाड़ा वर्तन आ किछु बहुमुल्य सर समान देने छी। ओहिके यरूशलेमके मन्दिरमे ल' क' जाउ।20यदि अहाँके परमेश्वरके भवनलेल कोनो सर समानके आवश्यकता होअए त' ओहि सर समानलेल राज्यकोष उपयोग करएलेल अनुमति अछि।21आओर हम, राजा अर्तक्षत्र, फरातके पश्चिमबरिया प्रान्तके कोषाध्यक्षसबके आदेश दैतछी: जे एज्रा परमेश्वर व्यवस्थामे एकटा निपुण पुजारी छथि। हुनको किछु आवश्यकता होनि त' तुरन्त पूरा क' दिऔ।22हुनका 3,400 टन चानी, 10 टन गहुंम, 2,000 लीटर दाखमद्य, 2,000 लीटर जैतुनक तेल ओहि बरोबरि, आ जतेक चाही ततेक नून द' दिऔ।23ई सुनिश्चित करु जे स्वर्गके परमेश्वरके मन्दिरकलेल सब सामानके प्रबन्ध कएल जाए। हम नहि चाहैत छी जे परमेश्वरके क्रोध हमरापर आ हमर आबएबला राजा जे शासन करथि तेकरापर पड़ए।24हम आदेश देत छी जे केओ पुजारी, लेवी, गबैया, द्वारपाल, आ मन्दिरके सेवकसबस' कर नहि लेबै। ओकरासबके कर देबएमे छुट अछि, किएक त ओ परमेश्वरक' मन्दिरमे काज करएबलासब छथि।25एज्रा, अहाँ लग' अहाँके परमेश्वरके बुद्धि अछि। एहिके उपयोग फरात नदीके पश्चिमके प्रान्तमे आदमीसबके व्यवस्था सिखाबएमे आ ओकरासबके विवादसब मिला सकएबला आदमी परमेश्वरके काज करएबलाके नियुक्ती करएलेल करु। परमेश्वरके व्यवस्था जानएबलासबके लेल एहि काजके करबाक चाही, आ परमेश्वरके व्यवस्था नहि जानएबलासबके सिखाबएके चाही।26अहाँसबकके परमेश्वरके व्यवस्था आ एहि राज्यके कानून उलंघन करएबलाके दण्डके भागी बनए पड़त। अहाँके निर्णय करबाक अधिकार अछि, कानून उलंघन करएबलाके प्राण दण्ड आ देश निकाला आ सम्पतिस' बेदखल तथा कैद करबाक अधिकार अहाँके सेहो अछि।”27तखन हम, एज्रा, कहलिऐ, “यहोवा हमरासबहक पिता पूर्वजके परमेश्वरके स्तुति होअए! जे यरूशलेममे परमेश्वरके भवनके महिमा करएलेल राजाके मोनमे ई विचार राखि देलथिन।28परमेश्वर हमरापर एतेक कृपादृष्टी कएलथि जे राजा, आ ओकर सल्लाहकार आ ओकरासब उच्च पदाधिकारीसबके हमर मदति करएलेल तैयार कएलथि। जखन परमेश्वर एहि प्रकार हमर मदति कएलथि, त' हमरा साहस भेटल। यरूशलेम घुरएकेलेल इजराएलके किछु अगुवासबके हम एकठाम कएली।”
Bridge Connectivity Solutions Pvt. Ltd.