Ezra4
1ओहि समयमे, यहूदा आ बिन्यामीन कुलके शत्रुसब सुनलक जे बाबेलके बंधुवाइस' घुरिक' आएल लोकसब इजराएलमे यहोवाके भवन पुनर्निर्माण करए लागल अछि।2एहिलेल ओ शासक जरुब्बाबेल आ आनो कुलके मुखिया लग गेल आ कपटपूर्ण ढंगस' कहए' लागल, “हमहूंसब परमेश्वरके भवन बनाबएके काजमे सहायता कर' चाहैत छी। किछु होइक आखिर हमहूंसब त' अहींके परमेश्वरके आराधना करैत छी। हमरोसबके एहि ठाम लाबएबला अश्शूरके राजा एसर्हद्दोनके समयस' हमसब परमेश्वरके लेल बलिदान चढ़बैत आबि रहल छी।” 3मुदा जरुब्बाबेल, येशुअ, आ निर्वाशनमेस' आएल लोकसबके अगुवासब उत्तर देलक, “हमरासबके परमेश्वरके मन्दिर बनाबएलेल तोरासबके कोनो प्रकारे मदति नहि लेब, किएक त' फारसके राजा कुस्रूके आज्ञानुसार हमहीं सब एहि मन्दिरके इजराएलक परमेश्वर यहोवाके लेल बनाएब।”4तखन इजराएलीसबके घुरिक' आब' स' पहिने ओतहि पहिनेस' रहि रहल गैर यहूदाके लोकसब परमेश्वरके भवन नहि बना सकैक ताहिके लेल यहूदीसबके ओसब डर त्रास देखबैत निराश करएके कोशिस करए' लागल।5यहूदीसब परमेश्वरके भवन हबड़-हबड़ नहि बनाबए आ ओकर योजना असफल होए ताहिके लेल ओसब कर्मचारीसबके घूस दैते के दैते रहल। ओसब फारसके राजा कुस्रूके समय आ फारसके दारा राजाके समय धरि एहन काम करैत रहि गेल। 6तखन राजा दाराके बेटा राजा क्षयर्षके शासनके सुरुवात कालमे यहूदीके शत्रुसब यहूदा प्रदेश आ यरूशलेममे रहि रहल यहूदीसबके बिरुद्धमे एकटा शिकायत पत्र लिखलक। एहिमे लिखल गेल जे ओसब सरकारके विरुद्ध विद्रोह करबाक योजना बनबैत अछि। 7अर्तक्षत्र फारसके राजाके शासनकालमे बिसलाम, मिथ्रदात, ताबेल आ ओकर संगीसब एकटा चिट्ठी लिखलक। ओसब केकरोस' अपनालेल अरामी भाषामे चिट्ठी लिखबौलक।8उच्च आयुक्त रहूम आ प्रान्तीय सचिव शिमशै, राजा अर्तक्षत्रके यरूशलेममे की भ' रहल छल ताहि विषयमे चिट्ठी लिखलक।9ओसब कहलक जे ई चिट्ठी उच्च आयुक्त रहूम, प्रान्तीय सचिव शिमशै, आ ओकर सहयोगीसब, न्यायीसब आ अन्य अधिकारीसब दिसस' पठाओल गेल अछि, जे एलाम जीलामे शूशन, आ फारस, एरेक, बाबेलस' छल।10ओ इहो लिखलक जे ओ प्रतिनिधित्व करैत अछि अन्य लोकसबके समूहके जेकरा महान आ प्रतापी ओस्नप्पर निर्वासित कएने रहैक, आ सामरियाके नगरसबमे आ फरात नदीके पश्चिमके बांकी प्रान्तमे रहबाक लेल पठौने रहैक।11जे चिट्ठी ओसब अर्तक्षत्रके पठौलक ताहिमे ई लिखलक: ई चिट्ठी राजा अर्तक्षत्रके लेल अछि। ई चिट्ठी फरात नदीके पश्चिमी ईलाकाके हाकिमसबके दिसस' पठाओल गेल अछि।12“महामहिम, हम चाहैत छी जे अपनेके जानकारी होइक जे यहूदीसब अपनेके क्षेत्रस' एत' आबिक' यरूशलेम शहरके पुनर्निर्माण क' रहल अछि। ओ लोकसब दुष्ट अछि आ अहाँस' विद्रोह कर' चाहैत अछि। ओसब आब नगरके देवालके फेरुस' बनाबि रहल अछि आ भवनके नऔ के मरम्मतक' रहल अछि।13महामहिम अहाँके लेल इहो जानब महत्वपूर्ण अछि जे यदि ओसब शहरके पुनर्निर्माण क' लेत आ देवालके बना लेत, त' ओसब राजाके राजकर देनाइ बंद क' देत। एनाक' राजाके खजानामे कमी आओत।14आब, हमसब अहाँ प्रति समर्पित दास छी, आ किएक त हमसब नहि चाहैत छी जे अहाँके अपमान होअए, एहिलेल हमसब अहाँके ई जानकारी पठाबि रहल छी।15हमसब अपनेके सुझाव दैत छी जे अपनेके पहिनुका शासकके प्राचीन अभिलेखमे अपन अधिकारीसब लगाक' खोजल जाइक। अपनेके तब जानकारी होएत जे एहि शहरके लोकसब सदिखन अपन राजाके विरुद्ध विद्रोही अछि। बहुत समय धरि नगरवासीसब राजा आ प्रान्तके शासककेलेल परेशानी ठाढ़ क' चुकल अछि। एहि कारण बाबेलके सेना एहि शहरके ध्वस्त क' देने रहए।16हमसब चाहैत छी जे अपने जानि लिअ जे यदि ओसब फेरुस' यरूशलेम शहरके बनालेलाके बाद आ देवालके निर्माणक' लेलाके बाद, फरात नदीके पश्चिमके एहि प्रान्तके एकरामेस केकरो अपना अधीनमे नहि राखि सकैत छी।”17राजा एहि पत्रके पढ़लाक बाद, राजा ओकरासबके उत्तरमे ई वचन पठौलक: “सेनापति रहूम, शिमशै आ सामरियाके आ फरात नदीके पश्चिमके प्रान्तमे रहएबलासबके अभिवादन।18जे निवेदन अहाँसब पठौने छी ओकरा हमर अधिकारीसब पढलक।19तखन हम अभिलेख खोजएलेल अपन अधिकारीसबके आदेश देली। हमरा जानकारी भेल जे यरूशलेमके लोकसब बेर-बेर शासकसबके विरुद्ध बागी रहि आएल अछि।20पहिने सामर्थी राजासब यहूदा यरूशलेमपर राज्य सेहो कएने रहए। ओ राजासब फरात नदीके पश्चिमके सौंसे प्रान्तपर शासन कएलक। ओसब ओत' के लोकसबके सब प्रकारके कर देबएलेल ओकरासबके दबाव देने रहए।21एहिलेल ओत' के लोकसबके पुनर्निर्माणके काज बंद करएलेल आदेश करु। हमर आदेश' बिना ओहि शहरके पुनर्निर्माण नहि होइक।22एहि काजके तुरन्ते बंद करु, किएक त' हम नहि चाहैत छी जे ओ लोकसब आओर किछु करए जे हमरालेल कोनो प्रान्त वा आमदनीके नोक्सान होअए।”23राजा अर्तक्षत्र एक प्रति चिट्ठी सहित सन्देशबाहकद्वारा सेनापति रहूम, सचिव शिमशै, आ ओकर सहयोगीसबलग पठौलक। जहिना ओसब चिठ्ठीके जोड़स' पढ़लाक बाद, सेनापति रहूम, सचिव शिमशै, आ ओकर सहयोगीसब यरूशलेममे रहल यहूदीसब लग पहुंचक' पुनर्निर्माणके काज बंद करएलेल मजबूर कएलक।24एहि तरहे यहूदीसबके शत्रुसब कसिक' विरोध कएलाके कारण यहूदीसब यरूशलेममे परमेश्वरके भवन पुनर्निर्माणके काज रोकि देलक। फारसके राजा दारा शासन कएलाके दोसर वर्ष धरि ओसब पुनर्निर्माणके कोनो काज नहि कएलक।
Bridge Connectivity Solutions Pvt. Ltd.