Ezra3
1बेबिलोनस इजराएलीसब घुरलाके बाद, आब ओसब अपन नगरमे रहए लागल छल, गर्मीके मौसम समाप्त भेलाके बाद ओहि साल ओ सबगोटे यरूशलेममे एकठ्ठा भेल। 2तखन योसादाकके बेटा येशुअ आ ओकर संगी-पुजारी आ शालतीएलके बेटा जरूब्बाबेल आ ओकर सहायता करएबलासब मिलक' इजराएलमे परमेश्वरके बेदी फेरुस' बनौलक। जे ओहिपर होमबलि चढ़ाएल जाए, जेना परमेश्वरके भक्त मूसाके व्यवस्थामे लिखल अछि। 3निर्वाशनस' घुरिक' आएल लोकसब ओतए पहिनेस रहनिहार गैर-यहूदी लोकसबस' डेराइत छल जे सब पहिनेस ओहि स्थानमे रहैत छल तइयो, ओसब पहिन बेदीके स्थानमे फेरुस बेदी बनौलक। सबदिन भोर आ सांझ यहोवाके लेल बलि चढ़ब लागल।4पंद्रह दिन निरन्तर बलि चढौलाके बाद, लोकसब झोपड़ीक पर्व मनौलक। सबदिन मूसाके व्यवस्थामे लिखल अनुसार पुजारीसब नितदिनके बली चढ़बैत छल।5एहिके छोड़ि नित्य होमबलि, नव चांनके पावनि , आ यहोवाद्वारा निर्धारीत पवित्र पावनि सबके लेल बली चढ़एलक। एहिके संगसंगे, यहोवाके लेल सबकेओ अपन अपन स्वेच्छास' चढौना सेहो चढ़एलक। 6एखन धरि परमेश्वरके भवन पुनर्निर्माण सुरुवातो नहि भेल रहए, मुदा पतझड़के मौसमके सुरुवातस' यहोवाके लेल होमबलि चढ़ाबए' शुरु क' देने छल।7इजराएलीसब परमेश्वरके भवन-निर्माण लेल राज मिस्त्रीसब आ लकड़ीके काम करएबलासबके चानी द' क' कामपर रखलक। ओसब सोरी आ सिदोन नगरके रहनिहारस' देवदारके लकड़ीके अन्न, खायपीब' बला वस्तु आ जैतूनक' तेल द' क' किनलक। ओसब फारसके राजा कुस्रूके कहल अनुसार लबानोनके पहाड़स' समुद्र बाटे याफा धरि ल' आएल।8इजराएलीसब यरूशलेम अएलाके दोसर बरखके वसन्त ऋतुमे पुनर्निर्माणके काम शुरु कएलक। शालतीएलके बेटा जरुब्बाबेल, योसादाक बेटा येशुअ, आ ओकरासबके संगी-पुजारी, अगुवा आ लेवी, आ जे सब यरूशलेमस' आएल छल, ओसब ओहि काजमे मदति कएलक। बीस बरख आ ओहिस' उपरके लेवीसबके यहोवाके भवन-निर्माण कार्यके रेखदेख करएलेल रखलक। 9यहूदा कुलके येशुअ, ओकर बेटासब, आ ओकर सगा-सम्बन्धी आ कदमीएल आ ओकर बेटासब परमेश्वरके भवन निर्माणक' कार्यके रेखदेख कएलक। लेवी कुलके हेनादादके बेटासब आ सगा-सम्बन्धीसब आबिक' रेखदेखके काजमे मदति कएलक।10जखन राज मिस्त्री यहोवाके मन्दिरके नऔ लेलक, त' लेवी कुलके पुजारीसब अपन अपन पोसाक पहीरक' तुरही बजाबएलेल ठाढ़ भ' गेल। आ इजराएलीसबके राजा दाऊदद्वारा बहुत पहिने देल गेल निर्देशन अनुसार यहोवाके स्तुति करएलेल आसाप वंशके लेवीसब खौजरी बजौलक।11ओसब यहोवाके स्तुति आ धन्यवाद कएलक: “यहोवा हमरासब लेल बहुत नीक छथि, ओ इजराएलपर सदिखन अपन करुणा रखने छथि।” आ यहोवाके मन्दिरके नऔ राखल गेल अहीं दूआरे ओसब जोरसोरस' यहोवाके स्तुति करए लागल। 12जखन मन्दिरके नऔ रखागेल त' बहुते बृद्ध पुजारी, लेवी, आ कुलके अगरियासब परमेश्वरके पहिनुका भवनके स्मरण करैत जोर-सोरस' कानए लागल। मुदा किछु आदमीसब खुशीस' जोर-जोरस' जयजयकार करए लागल।13मुदा जोरसोरस' जयजयकार भ' रहला कारणे केओ नहि बुझि पबैत छल जे के कानि रहल अछि आ के जयजयकार क' रहल अछि। ओहिके होहल्ला दूर-दूर धरि सुनाइ दैत छल।
Bridge Connectivity Solutions Pvt. Ltd.