Ezra5

1ओहि समयमे परमेश्वरके दूटा प्रवक्ता यरूशलेम आ यहूदाके आन नगरसबमे रहनिहार यहूदीसबके ई कहैत परमेश्वर दिसस' सन्देश दैत छलनि जे ओकरासबके परमेश्वरके भवनके पुनर्निर्माण जारी रखबाक चाही। ओ प्रवक्ता हाग्गै आ इद्दोके बेटा जकर्याह रहए। ओसब अपन सन्देशके ओहि परमेश्वरके प्रतिनिधित्व करैत देलक जेकर आराधना इजराएली लोकसब करैत रहैक।2तखन शालतीएलके बेटा जरुब्बाबेल आ योसादाकके बेटा येशुअ यरूशलेममे परमेश्वरके भवन पुनर्निर्माण फेरुस शुरु करएलेल बहुत लोकसबके अगुवाइ कएलक। परमेश्वरके प्रवक्ता हाग्गै आ जकर्याह ओकरासबके संग रहिक सहायता कएलथि।3मुदा तखन फरात नदीके पश्चिम दिसके प्रान्तके अधिपति तत्तनै आ शतर्बोजनै अपन किछु संगी अधिकारीसब संगे यरूशलेम गेल आ परमेश्वरके भवन पुनर्निर्माण करएबला यहूदीसबके कहलक, “अहाँसबके ई परमेश्वरके भवन पुनःनिर्माण करबाक अनुमति के देलक?”4ओसब यहूदीसबके ओहि परमेश्वरके भवन बनाबएबला काज करएबलासबके नाम बताबएलेल सेहो कहलक।5परमेश्वर यहूदी अगुवासबके फिकिर करैत छलथि, ताहिके लेल फारसी कर्मचारीसब परमेश्वरके भवन बनाबएके काम नहि रोकबौलक, बल्कि, शत्रुसब राजा दाराके एकटा प्रतिवेदन पठएलक आ ओहिके विषयमे राजाके आदेशके प्रतीक्षा कएलक। ओ आदेश वा त यहूदी अगुवासबके भवन निर्माणके काज निकस' संपन्न करएके अनुमति दितैक नहि त ओकरासबके काज पूर्णरुपमे रोकबा दितैक।6ई ओहि चिठ्ठीके नक्कल अछि जे नदी पारके प्रान्तके अधिपति तत्तनै, शतर्बोजनै, आ ओकर मदति करएबलासब, आ नदी पारके प्रान्तके अधिकारीसब दिसस' राजा दाराके पठाओल गेल छल।7जखन ओसब ओकरा ओहि प्रतिउत्तर पठौलक ओसब एना लिखलक:
“राजा दारा, अपनेकेसंग सबकिछु कुशल छेम होएत से हमसब आशा करैत छी।
8हमसब अपनेके जानकारी कराबए चाहैत छी जे हमसब यहूदिया प्रान्तमे महान परमेश्वरके भवनमे गेल छलहुं। लोकसब ओहिके भारी भारी पत्थल सबस' निर्माण करैत आ देवालमे लकड़ीके धरैनसब लगबैत रहए। ओसब ई काज एकदम साबधानी स' क' रहल अछि आ ओसब एहि काजमे सफल सेहो होबए लागल अछि।9एहि कारण हमसब यहूदी अगुवासबस' पुछलहुं, ई मन्दिर पुनर्निर्माण करब अनुमति के देलक?10हमसब ओकरास ओकरेसबके अगुवाके नाम सेहो पुछलहुं जाहिस' जे हमसब ओकरेसबके नाम लिख सकी आ अहाँके सूचित क दी जे ओकरेसबके अगुवाके रहैक।11ओसब उत्तरमे हमरासबके एना कहलक। ओसब कहलक, ‘हमसब स्वर्ग आ पृथ्वी बनाबएबला परमेश्वरके सेवा करैत छी। हमसब हुनके मन्दिरके पुनर्निर्माण क' रहल छी, जे मन्दिर इजराएलके एकटा महान राजा बहुत बरख पहिने बनौने छलाह।12मुदा हमरासबहक पूर्वजसब एहन काज कएलथि, परमेश्वर जे स्वर्गमे छथि, हुनका बेसी क्रोधित बना देलक। तएं परमेश्वर बेबोलिनके राजा, कल्दी, नबूकदनेस्सर सेनाके ओकरासबपर विजय होबए अनुमति देलथिन। ओकर सेना ओहि मन्दिरके नाश क' देलक आ बहुते इजराएली लोकसबके बंदी बनाक' बाबेल ल गेल।13मुदा, जेना बाबेलपर कुस्रू राजाके रुपमे शासनके प्रथम वर्षमे, ओ उर्दी देलक जे परमेश्वरके भवन पुनर्निर्माण कएल जाए।14परमेश्वरके भवनमे बहुते सोना आ चानीके बर्तनसब रहैक। राजा नबूकदनेस्सर ओहिके यरूशलेममे भेल परमेश्वरके भवनस' बाबेलके अपन देवताके मन्दिरमे लाबि लेने छल। बादमे, राजा कुस्रू वर्तनसबके जे बाबेलके मन्दिरमे छल ताहिसबके निकालि देलक आ शेशबस्सरके द' देलक, जेकरा ओ यहूदाके अधिपति नियुक्त कएने रहैक।15राजा कुस्रू ओकरा कहलनि जे ई वर्तनसबके ल' क' यरूशलेमके मन्दिरमे फेरुस राखि दिऔ। ओ इहो आदेश देलकनि जे यहूदीसबद्वारा परमेश्वरके मन्दिर पहिनुका स्थानपर पुनर्निर्माण कएल जाइक।16तएं शेशबस्सर यरूशलेम आएल आ लोकसबके निरीक्षण कएलथि जे ओहि मन्दिरके जगह बनौलथि। आ तहिएस', लोकसब मन्दिर निर्माणके काज क' रहल अछि, मुदा एखनोधरि ओसब काज संपन्न नहि क' सकल अछि।’17एहि कारण, हे महाराज, कृपया अपने कर्मचारीके बाबेलके अभिलेखालयमे खोजए के आदेश देल जाओ। जाहिस ओसब पता लगबैक जे ठीके राजा कुस्रू यरूशलेममे परमेश्वरके भवन पुनर्निर्माणके लेल यहूदीसबके उर्दी देने रहैक। एहि विषयमे हमसब की करु से निर्णय महाराज हमरासबके कहल जाओ।”

Bridge Connectivity Solutions Pvt. Ltd.

https://app.library.bible/content/2acb82c33dca4c67