Exodus6
1तेकरबाद यहोवा मूसाके कहलनि, “आब अहाँ देखब जे हम ओहि राजाके की करैत छी जखन हम ओकरा इजराएलीसबके जाए देबएबला बना देब। ओ हमर शक्तिशाली हाथके कारण अहाँसबके अपन देशस' भगा देब' लेल मजबूर भ' जाएत!”2परमेश्वर मूसा संग फेरुस बजलनि, “हम यहोवा छी।3हम ही अब्राहम, इसहाक, आ याकूब लग सर्वशक्तिमान परमेश्वरक रुपमे प्रगट भेल छलहुं मुदा ओसब हमर नाम यहोवाके के अर्थ नहि बुझि सकल। 4हम ओकरासबके आशीष देबएलेल सेहो कहने रहिऐक। कनानी सबहक सन्तान जत रहैत अछि से देश, ओकरासबके अपने देश जकां, देबाक करार कएने छलहुं। ओ देश जाहिमे ओसब परदेशीसब जकां रहैत छल।5आओर, मिस्रीसब ओकरासबके दास बनाक' करौने कड़ा परिश्रमके कारण हम इजराएलीसब द्वारा कएल पुकारके सुनने छी। हम स्थापित कएने करारके नहि बिसरल छी।6तएं इजराएली लोकसबके कहियौ जे हम ई कहैत छी: ‘हम यहोवा छी। हम अहाँसबके कठिन काजक बोझ स' छुटकारा देब जे मिस्रीसब अहाँसबस' जवर्जस्ती काज करबैत अछि। हम ओकरासबहक दास बनएस अहाँसबके छुटकारा देब। हमर अपन महान सामर्थ्यस' आ मिस्रीसबके एकदम कठोर दण्ड द' क', हम अहाँसबके बचाएब। 7हम अहाँसबके हमर अपने लोक बनाएब, आ हम अहाँके परमेश्वर होएब, आ जेकरा अहाँसब आराधना करब। अहाँसब सांच्चेके जानि लेब जे हम यहोवा परमेश्वर छी, ओएह जे अहाँसबके मिस्री सबहक दास बनि क काज करबाक बोझ स' छुटकारा देने छी।8हम ओहि देशमे ल' क' जाएब जे हम अब्राहमके, इसहाकके आ याकूबके देबाक प्रतिज्ञा कएने छलहुं। अहाँसब ओहिमे सब दिनके लेल रहब। हम, यहोवा, ई प्रतिज्ञा करैत छी।’”9मूसा ई बात इजराएली लोकसबके कहि देलनि, मुदा ओ जे कहलनि ताहिपर ओसब विश्वास नहि कएलक। दाससबके रुपमे कठिन काजके कारण ओसब बहुत दुखित छल।10तेकरबाद यहोवा मूसाके कहलनि,11“जाउ आ मिस्रके राजा फेरुस' कहबनि जे ओ अपन देशस' इजराएली लोकसबके जाएलेल अनुमति देबहि पड़त!”12मुदा मूसा यहोवाके कहलनि, “कृपया हमर बात सुनलजाए। जे बात हम कहैत छी इजराएली लोकसब सेहो ध्यानस' नहि सुनैत अछि। हम बाजएमे नीक नहि छी। त' राजा किएक हमर बात सुनतैक जे हम कहबनि?”13मुदा यहोवा हारून आ मूसास' बात कएलनि, “इजराएली लोकसबके आ मिस्रके राजाके कहियौ जे हम अहाँके दुनूगोटेके इजराएली लोकसबके मिस्रस' बाहर निकलए लेल बजौने छी।”14ईसब इजराएलीके लोकसबके कूलसबके सूची अछि। रूबेनके बेटासब, जे याकूबके जेठका बेटा, छल: हनोक, पल्लू, हेस्रोन, आ कर्मी। ईसब ओहि घरानिके पूर्वजसब छल जेकर ओहने नाम छल।15शिमोनके बेटासब छल: यमुएल, यामीन, ओहद, याकीन, सोहर, आ शाऊल। शाऊलके माय ओ स्त्री कनान देशके छलीह। इहो सब ओहि घरानिके पूर्वजसब छल जेकर ओहने ओहने नामसब छल।16ई लेवीके बेटासबहक नाम अछि, जेना जन्मल छल ताहि क्रममे: गेर्शोन, कहात, आ मरारी। जखन लेवी मरल त ओ 137 वर्षके छल।17गेर्शोनके बेटासब छल लिब्नी आ शिमी। इहे नाम भेल घरानिके पूर्वज ईसब छल।18कहातके बेटासब अम्राम, यिसहार, हेब्रोन, आ उज्जीएल। जखन कहात मरल त ओ 133 वर्षके छल।19मरारीके बेटासब महली आ मूशी छल। ई प्रत्येक पुस्तासब लेवीस' आएल घरानिके पूर्वजसब छल।20अम्राम ओकर बाबुके बहिन, योकेबेद स' विवाह कएलक। ओ मूसा आ हारूनके माय छलीह। अम्राम 137 वर्ष जिअल।21यिसहारके बेटासब कोरह, नेपेग, आ जिक्री छल।22उज्जीएलके बेटासब मीशाएल, एलसाफान, आ सित्री छल।23हारून एलीशेबा स' विवाह कएलक। ओ अम्मीनादाबके बेटी आ नहशोनके बहिन छलीह। इलीशिबा नादाब, अबीहू, एलीआजर आ ईतामारके जनमौलीह।24कोरहके बेटासब आस्सिर, एल्काना, आ अबियासाप छल। ओहेसब कोरह वंशीके पूर्वजसब छल।25हारूनके बेटा एलीआजर पूतीएलके बेटीसबमे स' एकगोटे संग विवाह कएलक, आ ओ पीनहासके जन्म देलीह। इहे सब प्रत्येक पुस्तामे लेवीस' आएल कुलके अगुवासब छल।26हारून आ मूसा छल जेकरासंग यहोवा देलथिन, “सब इजराएलीके सेना जकां कुल अनुसार संगठित क' क मिस्रस' निकलएमे अगुवाइ करु।”27हारून आ मूसा छल जे इजराएलीसबके मिस्रस' बाहर निकलए लेल मिस्रके राजा संग बात कएलक।28जाहि दिन यहोवा मूसा संग मिस्रमे बात कएलनि,29ओ कहलनि मूसा, “हम यहोवा छी। जे बात हम अहाँके कहैत छी से सब किछु मिस्रके राजाके कहियौ।”30मुदा मूसा यहोवाके उत्तर देलनि, “कृपया हमर बात सुनू। हम नीक वक्ता नहि छी। एहिलेल हम जे कहबनि से राजा किएक सुनतैक?”
Bridge Connectivity Solutions Pvt. Ltd.