Exodus5

1मूसा आ हारून इजराएली अगुवासबसंग भेट कएलाके वाद, मूसा आ हारून ओहि राजालग दरबारमे गेलनि। ओसब हुनका कहलनि, “यहोवा नाम भेल परमेश्वर, जेकरा हम इजराएलीसब आराधना करैत छी, से अहाँके कहैत छथि, ‘हमर लोकसबके मरुभूमिमे जाए दिऔ जे ओसब हमर सम्मानमे एकटा पावनि मनाबए!’”2मुदा राजा उत्तर देलनि, “यहोवाके अछि? हम हुनका विषयमे कहियो नहि सुनने छी, तखन किएक हम हुनक बात मानू? हम इजराएलीसबके नहि जाए देबै!”3मूसा आ हारून उत्तर देलनि, “जाहि परमेश्वरके, हम हिब्रूसब आराधना करैत छी, ओ हमरासबके विशेषरुपस' दर्शन देने छथि। तएं हमरासबके तीन दिन यात्रा क' क' मरुभूमिमे जाएलेल अनुमति दिअ जे हमसब ओहि यहोवा परमेश्वरके बलिदान चढ़ा सकी। यदि हमसब एना नहि करब त', ओ हमरासबके बेमारीस' वा युद्धमे हमरासबहक शत्रुके हाथस' मरए देत।”4मुदा ओ मिस्रके राजा हुनकासबके कहलनि, “मूसा आ हारून, अहाँसबद्वारा इजराएली लोकसबके काज करबास' ध्यान भटकबाक कोनो अर्थ नहि अछि? अपन अपन काजमे सबगोटे जाउ!”5ओ राजा आगु आओर कहलनि, “देखू, अहाँसब संख्यामे मिस्रीसबस' बहुते बेसी छी आ अहाँ ओकरासबके काज बंद करबाक लेल प्रोत्साहित करबा रहल छी।”6ओहि दिन राजा दाससबके मिस्री अगुवासबके आ इजराएली सहयोगीसब जे दासके निर्देशन देबएबलासबके आदेश देलनि,7“इंटा बनाबए लेल इजराएलीसबके पुआर नहि देल जाए। आइस, ओसब अपने लाबएलेल जाए।8तथापि, पहिने जतेक इंटा बनाबए लेल मजबूर करु। संख्या कनिको कम नहि होएबाक चाही। ओसब काज नहि करए चाहैत अछि। एहिलेल ओसब हमरास' मरुभूमिमे जाक' अपन परमेश्वरके आराधना करएलेल जाए देबएलेल खेखनति अछि।9पुरुषसबके कठिन काज कराबाउ जे ओकरासबलग ओकर अगुवासबके झूठ सुनबाक समय नहि रहैक!”10तएं, दाससबके अगुवासब आ इजराएलीसब एकटा सहयोगीसब इजराएलीसब लग गेल आ ओकरासबके कहलनि, “राजा आदेश देने छथि जे ओ आब अहाँसबके पुआर नहि देताह।11अहाँसबके अपने जाक' काज करए पड़त आ जत कतहु मिलए खोजि क लाबए पड़त। मुदा अहाँसबके इंटाके संख्या ओतबे बनाबए पड़त।”12तखन इजराएलके लोकसब मिस्र भरि इंटाक लेल पुआर लाबएलेल गेलथि।13दासक अगुवासब हुनकासबके कहिक' निराश करिते के करिते रहि गेल, “प्रत्येक दिनक लेल अहाँसबके देल गेल काज करही पड़त। पहिने जकां जहिया हमसब पुआर दैत छलहुं ओतेक संख्यामे इंटा बनाबहे पडत!”14जं अहाँसब ओतेक संख्यामे इंटा नहि बनाबए, राजाक दासक अगुवासब इजराएली सहयोगीसबके पिटत। ओसब हुनकासबके कहलनि, “अहाँसबहक समूह ओतेक संख्यामे इंटा नहि बनौलक जेना ओसब पहिने बनबैत छल।”15तेकरबाद इजराएली सहयोगीसब दरबारमे गेलथि आ राजास' उपराग कएलनि, “हमरासबके अपने एहन व्यवहार किएक करैत छी?16आब दाससब अगुवासब हमरासबके इंटा बनाबए लेल पुआर नहि दैत अछि, मुदा ओसब कहैत अछि ‘ओतबे इंटा बनाबए पड़त!’ ओसब हमरासबके पिटबो करैत अछि। मुदा हमसब कम इंटा बनबैत छी से गलती अहींक अपने अछि।”17मुदा राजा कहलनि, “अहाँसब आलसी भ' गेल छी आ काज नहि करए चाहैत छी! एहिलेल अहाँ कहि रहल छी, ‘मरुभूमिमे यहोवाके आराधना करए जाए दिअ।’18घुरिक काज करए जाउ! हमसब अहाँसबके कनिको पुआर नहि देब, मुदा अहाँसबके पहिने जतेक संख्यामे इंटा बनाक' देब पड़त!”19जखन राजा कहलनि, “प्रतिदिन अहाँसब कनिको कम इंटा नहि बनाएब। तखन इजराएली सहयोगीसब जानि गेल जे हमरासबहक जीवन कतेक खराब अछि।”20जहिना ओसब राजास' भेट क' क' बाहर अएलथि, ओसब मूसा आ हारूनस' भेटलथि, जे ओतए हुनकासबहक बाट जोहैत छल।21ओसब मूसा आ हारूनके कहलनि, “अहाँसब राजा आ ओकर अधिकारीसबके हमरासबहक विषयमे घृणा करबौने छी से यहोवा अहाँ दुनूगोटेके देखलैक से आशा करैत छी! ओ अहाँ दुनूगोटेके दण्ड देथि से आशा करैत छी! अहाँसब हमरासबके मारि दिए से विचार करबौने छी!”22मूसा ओकरासबलग' चलि गेल आ यहोवासंग फेरु प्रार्थना कएलनि, “हे प्रभु, अपना लोकसबपर एहन दुष्ट बात किएक होबए देने छी? अहाँ हमरा एहि काजके लेल किएक पठौने छी?23जहियास हम राजालग अहाँके बात बाजएलेल गेलहुं आ राजाके ओसब बात कहलहुं जे कहएलेल हमरा अहाँ कहने छलहुं, ओ अहाँके लोकसब उपर ओ आओर बेसी निर्दयी व्यवहार करैत अछि, आ अहाँ ओकरासबके कोनो सहायता नहि कएने छी!”

Bridge Connectivity Solutions Pvt. Ltd.

https://app.library.bible/content/2acb82c33dca4c67