Exodus4

1मूसा यहोवाके जबाब देलनि, “यदि कहूं ओसब हमरा पूर्णरुपस' विश्वास नहि करत आ अस्वीकार करत किएक त' ओसब सोंचत, ‘यहोवा अहाँ लग प्रगट नहि भेलथि।’”2यहोवा मूसाके कहलथि, “अहाँके हाथमे की अछि?” मूसा जबाब देलनि, “एकटा चरबाहके लाठी।”3यहोवा कहलथि, “ओकरा भुइंयामे फेकू!” तएं मूसा ओहि लाठीके भुइंयामे फेक देलनि। ओ सांप बनि गेल, आ मूसा ओहिस' दूर भागि गेल।4तखन यहोवा मूसाके कहलथि, “ओहि सांपके नङरी पकड़िक' उठाउ।” मूसा ओहि सांपके नङरी पकड़िक' उठएलनि, आ ओ ओकर हाथमे फेरुस' एकटा लाठी भ' गेल।5यहोवा कहलथि, “एहिना इजराएली धर्मगुरुसबके आगु करब जे ओसब विश्वासक' सकए जे हम, यहोवा, ओएह परमेश्वर छी जिनका अब्राहम, इसहाक, याकूब आ अहाँके आन पूर्वजसब आराधना कएलक, से सांच्चे अहाँ लग प्रगट भेल छलथि।”6यहोवा मूसाके दोसरो निर्देशन देलथिन, “अहाँके हाथ अपन ओढ़ना भीतरीमे ध क' अपन छातीपर धरु।” मूसा अपन हाथ अपन ओढ़नामे धएलनि। जं ओ अपन हाथ ओढ़ना स' बाहर निकाललनि, त' ओहिमे एक किसिमके चमररोग अछि।7तखन यहोवा कहलथि, “अपन हाथ फेरुस' ओढ़नामे धरु।” एहिबेर जं ओ अपन हाथ बाहर निकाललनि, त' ओ बेमारी चंगा भ' गेल छल आ ओ हाथ दोसर हाथ जकां ठीक देखाइ दैत छल।8यहोवा कहलथि, “ई अहाँ इजराएली लोकसबके आगु सेहो, करब। आ यदि पहिन चेन्ह देखक' ओसब अहाँपर विश्वास नहि करत चाहे नहि सुनत, त' अहाँ दोसर चमत्कार करब तब ओसब अहाँपर विश्वास करत।9मुदा यदि दुनू चेन्ह आ चमत्कार कएलोपर ओसब अहाँके कहल बातपर विश्वास नहि करए वा नहि सुनए, त' नील नदीस' किछु पानि ल' क' सुखल भूमिपर उझलि देबनि। जं अहाँ एना करब, त' सुखल भूमिपर अहाँद्वारा उझलल पानि लेहू भ' जाएत।” 10तखन मूसा यहोवाके कहलनि, “मुदा प्रभु, हम लोकसबसंग नीकस' नहि बाजि सकैत छी। हम बाजएमे नीक कहियो नहि छलहुं आ अहाँ हमरासंग बात करब शुरु कएने छी सेहो हमरा बाजएमे नीक नहि बनौने अछि। हम तोतराक' बजैत छी आ की कहए पड़तसे नहि जनैत छी।”11तेकरबाद यहोवा हुनका कहलथि, “ई नहि बिसरु जे हम, यहोवा मनुष्यक मुंह बनबैत छी! हम ही छी से मनुष्यके बाजएमे असक्षम, वा सुनएमे असक्षम, देखएबला वा नहि देखएबला बनबैत छी!12एहिलेल आब अहाँ जाउ, आ हम अहाँके बाजएमे सहायता करब, आ की कहबाक अछि से हम अहाँके कहब।”13मुदा मूसा जबाब देलनि, “यौ प्रभु, हम अहाँके कहैत छी, हमरा छोड़ि आओर केकरो चुनिक' पठाओल जाओ!”14तेकरबाद यहोवा मूसापर क्रोधित भ' क' हुनका कहलथि, “हारून, लेवी वंशज, अहाँके भैया, तेकरा विषयमे की? हम जनैत छी जे ओ नीक वक्ता अछि। ओ एतहि आबि रहल अछि एखन बाटमे अछि, आ अहाँस' भेट भ' क' ओ बहुत प्रसन्न होएताह।15अहाँ हुनकोसंगे बातक' सकैत छी जे अहाँके की कहबाक अछि। अहाँ दुनूगोटेके की करबाक आ बजबाक अछि ताहिके लेल हम अहाँसबके बाजएमे मदति करब।16ओ अहाँके लेल इजराएली लोकसबसंग बात करताह। ओ अहाँके प्रवक्ता बनताह, आ ओ अहाँके विषयमे सोंचताह जेना हम, परमेश्वरके स्थानमे अहाँ छी।17अहाँके हाथमे रहल लाठी ल' क' जएबे करब किएक त अहाँ एहिस' चेन्ह आ चमत्कार क' सकैत छी।”18मूसा घुरि क अपन ससुर, यित्रो लग गेलथि, आ हुनका कहलनि, “मिस्रमे रहल हमर अपन लोकसबके देखएलेल जाए दिअ जे ओसब नीके अछि की।” यित्रो मूसाके कहलनि, “अहाँ जा' सकैत छी, नीकस' जाउ।”19ओ जखन मिद्यानमे छलथि त' यहोवा मूसाके फेरुस' कहलनि, “अहाँ घुरिक' मिस्रमे जाउ, किएक त' जे लोकसब अहाँके प्राण लेब चाहैत छल से आब मरि गेल अछि।”20एहिलेल मूसा अपन पत्नी आ बेटासबके गदहापर बैसा क आ मिस्रके लेल चलि देलनि। ओ ओहि लाठीके सेहो अपन हाथमे ल' लेलनि जेना परमेश्वर हुनका करए लेल कहने छलथि।21यहोवा मूसाके कहलनि जे जखन अहाँ घुरि क मिस्रमे पहुंचब, देखू जे सबटा चमत्कार करबाक लेल निश्चित करब जे सामर्थ्य राजाके आगु करबाक लेल देने छी। मुदा ओ अहाँके अस्वीकारक' दैथि हम हुनका तेहन बना देब, जाहिस' ओ इजराएली लोकसबके मिस्र छोड़ए नहि देताह। 22तेकरबाद राजाके कहबनि जे यहोवा एना कहैत छथि: “इजराएल हमर पहिन जनमल बेटा जकां अछि,23आ हम अहाँके कहैत छी, ‘हमर बेटाके जाए दिअ, जे ओसब हमरा आराधना करथि’, अहाँ अस्वीकार करैत छी। तएं, हम अहाँके पहिन जन्मल बेटाके मारि देब!”24एक राति, मूसा आ ओकरा परिवारसब मिस्रके बाटपर छावनी बनबैत रहैक, यहोवा मूसाके मारएलेल प्रगट भेलथि।25तेकरबाद मूसाक पत्नी, सिप्पोरा, एकटा पत्थलक चक्कू लेलीह आ ओकरासबके पहिन जनमल बेटाके खलड़ी चट स' काटि देलीह। तखन ओ ओहि खलड़ीके मूसाके पयरमे छुआक कहलीह, “अहाँ हमरालेल लहुके वर छी। ”26यहोवा मूसाके नहि मारलनि। खतनाके कारण सिप्पोरा कहलीह, “अहाँ हमरालेल लहुके वर छी।”27ओहि समय, यहोवा हारूनके कहलथि, “मरुभूमिमे मूसा संग भेट करए लेल जाउ।” तएं हारून गेलथि आ परमेश्वरके पर्वत लग मूसा संग भेट कएलनि आ हुनका गालपर चुम्मा ल' क' अभिवादन कएलनि।28मूसा हारूनके सब किछु कहि देलनि जे यहोवा हुनका पठौने छथि मिस्रमे राजा आ इजराएलीसबके कहए लेल आ ओसब चेन्ह आ चमत्कार जे यहोवा हुनका करबाक लेल निर्देशन देने छलथि।29जखन मूसा आ हारून मिस्रमे गेलथि, आ इजराएली सबहक सबटा अगुवासबके बजाक बैसार कएलनि।30हारून हुनकासबके सबकिछु कहि देलनि जे यहोवा मूसाके कहने छलथि, आ मूसा ओ सबटा चेन्ह आ चमत्कार कएलनि आ ओ अगुवासब ओहिके देखलनि।31ओ इजराएलके लोकसब मूसा आ हारूनके वचनपर विश्वास कएलनि। किएक त' ओसब सुनलनि जे यहोवा देखने छथि जे इजराएलीसब कतेक दुखित अवस्थामे अछि आ ओ हुनकासबके मदति करएलेल स्वर्गस' उतरिक' आएल छथि, अगुवासब यहोवाके निहुरिक' आराधना कएलनि। 

Bridge Connectivity Solutions Pvt. Ltd.

https://app.library.bible/content/2acb82c33dca4c67