Exodus39

1बजलेल, अहोलिआब, आ आओर कारीगर लोकसब हारूनके पहिरलेल सुन्दर पवित्र वस्त्रसब बनौलक जखन ओ पवित्र स्थानमे पुजारीके रुपमे यहोवाके सेवा करए। ओसब ओहिके नीला, बैगनी, आ लाल ऊनी वस्त्र बनौलक, ओहिना बनौलक जेना यहोवा मूसाके आदेश देने रहथि।2ओ पवित्र एपोद मेही बांटल गेल सूती, नीला, बैगनी, आ लाल धागा, आ शुद्ध सोनतार स बनौलक।3ओ सबकिछु सोनाके पातर चदरा जेहन के हथौरी स पिटक आ ओकरा पातर तार जकां काटिक जाहिके ओसब मेही सूती, आ नीला, बैगनी, आ लाल वस्त्रमे कढ़ाइ कएलक।4ओसब बांहि परके छोंरीसब बनाक एपोदके दुनू कात जोड़ि देलक।5ओसब ध्यान द क पवित्र एपोद धरि जाएबला एकटा डरकस बनएलक। ओसब एपोद बनौने वस्त्रके टुकरा स एहिके बनौलक। ओ वस्त्र मेहीस बांटल गेल सूती, नीला, बैगनी, लाल धागा, शुद्ध सोनाके तार कुशलतापूर्वक कढ़ाइ कएल गेलस बनौने छल। ओसब एहिके एपोदमे सिदेने रहैक, जहिना यहोवा मूसाके आदेश देने रहथि।6खोधएबला कारीगरसब दूटा अनिक्स पत्थल काटिक' आ सोनाके संगे सजाक गढ़ि देलक। ओसब ओहि पत्थलमे इजराएलके बारहो बेटाके नाम खोधिक' लिख देलक जेना केओ औंठीछाप खोधिक लिखने होइक।7ओसब ओहि कीमती पत्थलके पवित्र एपोदके बांहिबला छोंरीसब मे इजरालीसबके बारहो कुलके स्मरणके लेल भेल नाम बान्हि देलक, जहिना यहोवा मूसाके आदेश देने रहथि।8ओ एपोद बनौने सामग्रीसब स' पवित्र सीनाबंद के बनौलक आ कुशलतापूर्वक कढ़ाइ कएलक ओहिना सोना, नील, बैगनी, आ लाल बांटल गेल सूती वस्त्रस बनौलक।9ओसब समानके दोबर क' देलक जाहिस जे ओसब सीनाबंद छाती झंपा के 23 सेंटीमीटर वर्गाकार मे दोहराक' बना सकैक।10ओसब कीमती पत्थलसबके चारि पांतिमे बान्हि देलक। पहिन पांतिमे, ओसब लालमणि, पियर पुष्पराज, आ लाल बेरूज।11ओसब नीला पत्थल, नीर, आ पन्ना दोसर पांतिमे आ हीरा।12ओसब तेसर पांतिमे नीलमणि, हांकिक आ कटएला लगा देलक।13ओसब चारीम पांतिमे पियरका पीतमणि, अनिक्स, आ बिल्लौर लगौलक। प्रत्येक पत्थलसबके चारुदिस सोनाके ढांचा मेढ़ देलक।14खोधएबला कारीगरसब एहि पत्थल सबमे याकूबके बारहो कुलके नाम खोधिक लिखलक जेना ओसब औंठीछाप बनबैत होइक। ई पत्थलमे भेल नामसब इजराएलके 12 कुलके प्रतिनिधित्व कएलनि।15ओसब शुद्ध सोनाके बनल दूटा सीकरी ओहिमे बान्हि देलक आ पवित्र सीनाबंदमे बांटल गेल जौरी जकां बुझाति छल।16ओसब सब दूटा सोनाके सजाएल आ दूटा सोनाके औंठी बनौलक आ पवित्र सीनाबंद के उपरके कोन्हसब मे बान्हि देलक।17ओसब सोनाके सीकरी के एक छोरके सीनाबंद के उपरका कोन्हपर औंठी मे बान्हि देलक।18ओसब ओहि बांटल गेल सोनाके सीकरी के दोसर छोरके दूटा सोनाके सजावट मे जे पत्थलमे जोड़ल गेल छल ताहिमे बान्हि देलक। तब ओसब पवित्र पहिरणके सीनाबंद के बांहि पर भेल छोरीसब के आगुमे ध' देलक।19तब ओसब दूटा आओर सोनाके औंठी बनौलक आ पवित्र सीनाबंद के नीचका भागमे भीतर स पवित्र एपोद दिस जोड़ि देलक।20ओसब दूटा आओर सोनाके औंठी बनौलक आ ओहिके बांहिके आगु दिस नीचका भागमे रहल छोंरी जत पवित्र एपोदमे डांढ़ लग जोड़ि देलक।21ओसब ओहि औंठी के पवित्र एपोद आ सीनाबंदमे नीला सीकरी स बान्हि देलक, जे पवित्र सीनाबंद डांढ़ स उपरे रहैक आ पवित्र एपोदमे स खुजि नहि जाइक। ओसब ओहने बनौलक जेना यहोवा मूसाके करएलेल कहने रहथि।22बजलेल लग एकटा बुनिया रहैक जे नील रंग वला समानस हारून अपन पवित्र एपोदके नीचा पहिरलेल दरिम बनौलक।23एहिके बीच भागमे मुंह खुजल रहैक जेना आओर वस्त्रमे होइत अछि। खुजल मुंह के चारुदिस नहि फाटएबला चीजस कोढ़ि बनौलक।24दरिम के निचाके किनहेरिमे एहन सजावट बनाक बान्हि देलक जे अनार फल जकां बुझाति छल। ओसब एहिके नील, बैगनी, आ लाल ऊनी धागा स कढ़ाइ कएलनि।25दरिम के नीचका भागमे चारुदिस अनार फलसब के बीचमे शुद्ध सोनाके घन्टी बनाक बान्हि देलक।26त घन्टी, अनार, फेरु घन्टी, अनार, आ एहिना दरिम के चारुदिस नीचामे ढांचा बनाएल गेल छल। ई दरिम हारूनके पहिरलेल छल जखन ओ पुजारी जकां काज करत, यहोवा मूसाके आदेश देने अनुसार रहैक।27हारून आ ओकर बेटासबहक लेल, एकटा नीक बुनिया मेही सूतीके भरि बंहुवा कमीज बना देलक,28लबेदा आ टोपी, भीतरके वस्त्रसब मेहीस बांटल गेल सूती स,29आ डरकस मेही सूती मे नील, बैगनी, आ लाल ऊनी स कढ़ाइ कएल गेल छल, यहोवा मूसाके आदेश देने अनुसार छल।30जेना केओ औंठीछाप बनबैत अछि तहिना खोधएबला कारीगरसब शुद्ध सोनास' पवित्र मुकुटके सजावट बनाक आ “यहोवाके लेल समर्पित”, लिखल शब्द नकास्सी क' देलक।31लबेदा के उपर बान्ह लेल नील सीकरी जोड़ि देने रहैक, यहोवा मूसाके आदेश देने अनुसार छल।32एहिके बाद, ओसब पवित्र तम्बूके सबटा काजसब समाप्त क लेलक जत ओसब यहोवाके संगे भेट करितैक। इजराएलीसब ओहने कएने छल जेना यहोवा मूसाके करबाक लेल आदेश देने रहथि।33कारीगरसब मूसालग पवित्र तम्बूके सौंसे ढांचा लएलक: तम्बू आ एहिके सबटा समानसब, अंकुसासब, ढांचासब, घेराबासब, खम्हासब, तरबासब,34लाल रंगल भेंड़के खाल आ सीलके नीक खाल के झंपना पवित्र तम्बूके लेल, महा-पवित्रस्थान अलग करए लेल पर्दा सब,35गवाहीके सन्दूक, डंटासब, सन्दूकके झंपना,36टेबुल आ एहि पर काज आबएबला सामग्रीसब, परमेश्वरके आगु चढ़ाबलेल पवित्र रोटी,37पांतिमे दिआ भेल शुद्ध सोनास बनल दिहैट, आ एकर सामग्रीसब, आ दिआ जरब लेल तेल,38सोनाके वेदी धूप जराबलेल, अभिषेक लेल तेल, सुगन्धित धूप, पवित्र तम्बूके प्रवेशद्वारिके लेल पर्दा सब,39पीतरिके वेदी आ पीतरिके सरसी, डंडा सब, आ एकर सब समानसब, कठौती आ एकर बिरवा सब,40अंगनाके घर लेल पर्दा सब आ खम्हासब आ तरबासब, आंगनके प्रवेशद्वारिके लेल पर्दा, रस्सा सब आ किल्लासब आ सब किछु जे पवित्र तम्बूके सेवाके काजमे काम आबएबला चीजसब जत ओसब यहोवा संगे भेट करितैक,41आ सुन्दर, हारून आ ओकर बेटासबके पवित्र स्थानमे पुजारी जकां सेवा करैत समय पहिरलेल पवित्र वस्त्रसब।42इजराएलीसब ओसब काज कएलनि जेना मूसाके करबाक लेल यहोवा आदेश देने रहथि।43तब ओसब बनौने सबचीजके मूसा जांच पड़ताल कएलक। सांच्चेके, ओसब सब चीज वास्तबमे, ओहने कएने छल जेना यहोवा ओकरासबके करएलेल आदेश देने छलथि। तब मूसा कारीगरसबके आशीर्वाद देलक।

Bridge Connectivity Solutions Pvt. Ltd.

https://app.library.bible/content/2acb82c33dca4c67