Exodus3
1तब एकदिन, मूसा मिद्यानीसबके पुजारी जे हुनक ससुर यित्रो रहए तेकर भेंड़ासबके हेंड़के चराबएके काज करैत छल। एकदिन, ओ मरुभूमिके ओहिपार दूरमे भेंड़ा चराबए चलि गेल। ओ होरेब नामके परमेश्वरके पर्वत चलि अएलनि जत परमेश्वर अपने-आपके मूसालग आ बादमे इजराएलीसब लग प्रगट कएलथि। 2जखन ओ ओतए छलनि, यहोवाके एकटा दूत मूसालग एकटा जरैत झाड़ीमे प्रगट भेलथि। मूसा जरैत झौखाराके ध्यान द' क' देखलनि, आश्चर्यक बात ई रहए जे आगि झाड़ीमे लागल रहितो छाउर नहि होइत रहए। 3मूसा सोंचलनि, “हम लगमे जाक' एहि अजगुतके दृश्य देखब! जे ई झाड़ी किएक नहि जड़ि रहल अछि?” 4जखन यहोवा देखलथि जे मूसा एहिके देखबाक लेल झौखाराके लगमे आबि रहल अछि, ओ मूसाके झौखरामेस' बजौलथि, “मूसा यौ मूसा!” मूसा उत्तर देलनि, “हं!”5यहोवा कहलथि, “हमरा लगमे आबएस' पहिने हमर आदरक लेल अपन जूता निकालि लिअ, किएक त' जाहि भूमिपर अहाँ ठाढ़ छी से पवित्र अछि किएक त' ई हमरा लगमे अछि। 6हम परमेश्वर छी, जेकरा अहाँके पूर्वज अब्राहम, इसहाक आ याकूब आराधना करैत रहए।” मूसा डेरा गेलनि जे परमेश्वर ओकरा मारि देथिन यदि ओ हुनका दिस देख लैत अछि त', एहिलेल ओ अपन मुंह झांपि लेलनि।7तखन यहोवा कहलथि, “मिस्रमे हमरा लोकसबके मिस्रीसब कतेक निर्दयी व्यवहार करैत अछि से हम देखने छी। हमर लोकसबद्वारा निराशामे कएल गेल पुकारके हम सुनने छी किएक त' दासके काजमे लगौनिहारसब ओकरासबस' ओना करबैत अछि। हमर लोकसब कोना कष्ट भोगि रहल अछि से हम निश्चय जनैत छी।8मिस्रीसबके दास बनएस' छुटकारा देब' हम स्वर्गस' उतरिक' आएल छी। हम ओकरासबके मिस्र देशस' फलिगर आ उब्जाउ देशमे ल' क' जाएब। जत' ओकरासबके बहुते बालि उपजाबए आ मालजाल पोसएलेल बड्ड नीक होएत। ओतए एखन कनानी, हित्ती, एमोरी, परिज्जी, हिब्बी आ यबूसी नामक जातिसब रहैत अछि।9सांच्चे, हम इजराएलीसबके रोदन सुनने छी। मिस्रीसब ओकरासबके कतेक कठोर व्यवहार करैत अछि से हम देखने छी।10एहिलेल हम अहाँके ओत पठाबि रहल छी: मिस्रके राजालग जाउ आ इजराएली, हमर लोकसबके, मिस्रस' बाहर निकालिक' लाउ।” 11मुदा मूसा परमेश्वरके कहलनि, “राजालग जाक' इजराएलीसबके मिस्रस' बाहर निकालिक' लाबएलेल हम ओतेक महत्वपूर्ण नहि छी।”12परमेश्वर कहलथि, “एना अछि त', हम अहाँके संग रहब से भरोसा क' सकैत छी। जं अहाँ हमर लोकसबके मिस्रस' बाहर निकालिक' लाएब, त' अहाँ सबगोटे ठीक एहि पर्वतपर हमर आराधना करब। एहिके ई प्रमाण होएत जे हम ही छी से अहाँके ओकरासबलग पठौने रही।”13मूसा परमेश्वरके कहलनि, “यदि हम इजराएलीसब लग जाएब आ ओकरासबके कहबनि, ‘ओ परमेश्वर, जेकरा अहाँके पूर्वज आराधना करैत छल, ओएह हमरा अहाँसबलग पठौने छथि’ ओसब हमरा पुछितथि, जे हुनकर नाम की अछि? तखन हम ओकरासबके की कहबनि?”14परमेश्वर मूसाके उत्तर देलथिन, “हम छी से हम छी। इजराएली लोकसबके कहियौन जे जेकर नाम ‘हम छी छथि’ ओएह हमरा अहाँसबलग पठौने छथि।”15परमेश्वर मूसाके इहो कहलथि, “इजराएलीसबके ई कहबेटा करबनि, ‘यहोवा हमरा अहाँसबलग पठौने छथि, ओ ओएह परमेश्वर छथि जिनका अब्राहम, इसहाक, याकूब आ अहाँसबके पूर्वजसब आराधना कएलनि। यहोवा हमर अनन्त नाम अछि, आ कोनो समयमे जिअएबला लोकसब हमरा एहि नामस' स्मरण करत।’ 16जाउ आ मिस्रमे इजराएली अगुवासबके संग बैसार करु। ओकरासबके कहियौन, ‘यहोवा हमरालग प्रगट भेल छलथि। ओ ओएह परमेश्वर छथि जिनका अब्राहम, इसहाक, याकूब आ अहाँके आओर पूर्वजसब आराधना कएलनि। ओ कहलथि: “मिस्रीसब अहाँसबसंगे जे क' रहल अछि से ध्यानस' देखने छी आ एहिके विषयमे किछु करएलेल हम स्वर्गस' उतरिक' आएल छी।17हम अहाँस' प्रतिज्ञा करैत छी जे हम अहाँके मिस्रीसबके दमनपूर्ण व्यवहारस' छुटकारा दिआएब। आ हम अहाँसबके ओहि देशमे ल' क' जाएब जत कनानी, हित्ती, एमोरी, परिज्जी, हिब्बी, आ यबूसीसब एखन रहैत अछि। ओ खेतीबारी करएलेल आ मालजाल पालन करएबला उत्तम देश अछि!”’18अगुवासब अहाँ जे कहबनि सेहे करत। तेकरबाद अहाँ आ इजराएलके अगुवासब मिलक' मिस्रके राजालग जाएब, आ अहाँसब ओकरा कहबनि, ‘यहोवा, ओ परमेश्वर छथि जेकरा हिब्रूसब परमेश्वरके रुपमे आराधना करैत छथि, से हमरासबलग विशेषरुपस' प्रगट भेल छलथि। हमरासबके मरुभूमिमे तीन दिन धरि चलिक' एकटा स्थानमे जाए देबएलेल अहाँ अनुमति दिअ जे हमसब हिब्रूसबके परमेश्वर, यहोवाके बलिदान चढ़ा सकी।’19मुदा हम जनैत छी जे परमेश्वरके शक्तिशाली हाथ जबर्जस्ती नहि करएधरि ; मिस्रके राजा अहाँसबके नहि जाए देत। 20एहिलेल हम बहुत सामर्थीढंगस' काज करब, आ हम मिस्रीसबके बड़ अधलाह चीजस' देखाबए जे हम मात्र ओना क' सकैत छी। तखन ओ अहाँसबके खिहारिक' भगा देत।21जखन ईसब होएत, हम मिस्रीसबके अहाँ इजराएली लोकसबके मदति करएबला बनादेब जे, जं अहाँसब मिस्रस' निकलब, अहाँसब गरीब दास जकां नहि निकलब।22ओहि समयमे, प्रत्येक इब्रानी स्त्री ओकरा पड़ोसमे रहल स्त्रीस' वा ओकरा लग आएल स्त्रीस' सोना आ चानीस' बनल चीजसब वा वस्त्रसब मंगतीह। अहाँसब अपन धियापुताके किछु पहिरा सकैत छी जे ओसब देत। एहि तरहे, अहाँसब मिस्रीसबस' सबकिछु लुटिक' ल' लेबैक।”
Bridge Connectivity Solutions Pvt. Ltd.