Exodus38
1तेकरबाद, बजलेल बलिदानके लेल होमबलिके बबूरक काठस वेदी बनौलक। सब दिस अढ़ाइ मीटर लम्बाइ, आ डेढ़ मीटर उंचगर, ई वर्गाकार छल।2ओ वेदीके चारु कोन्हपर ओहि सौंसे काठमे स उठल भाग बनौलक सिंघ बनौलक। ओ सौंसे वेदीके पीतरि स मेढ़ देलक।3ओहि वेदीके काजमे आबएबला सबटा पात्र बनौलक: कराहसब, बेल्चासब, कठौतसब, माउस रिनह लेल कांटबला करछुल, आ गरम कोइला ढोएलेल बालटीनसब। ओ ईसब पात्रसब पीतरि स बनौलक।4ओ पितलके सरसी सब बनौलक काठ आ सुनगल कोइला पकड़एलेल। ओ सरसी के घेरबा के नीचा ध देलक जे वेदीके चारुदिस छल। ओ एहिके एहिलेल बनौलक जे ई आधा निकलल, वेदीके भीतरे रहैक।5ओ पीतरिके चारिटा चुड़ी मेढ़लक जाहिमे सरसी टांग लेल डंडा होइक आ एहिके चारु कोन्हपर बान्हि देलक।6ओ बबूरक काठस डंडा बनौलक आ ओहिके पीतरि स मेढ़ देलक।7ओ ओहि डंडाके चुड़ी मे घुसियाक वेदीके बोक लेल बनौलक। ओ वेदीके पटहा ल क बनौलक; बीचमे धोंइध रहैक।8ओ पीतरिके धोएबला वर्तन आ एहिके गोरी सेहो पितरि स बनौलक। ई पितल सब ऐना सबस छल जे पवित्र तम्बूके द्वारिपर काज करबाली स्त्रीसबके छल।9ओ पवित्र तम्बूके चारुदिस अंगना बनौलक। दक्षिण दिसमे, पचास मीटर लम्बाइ भेल मेही सूतीके पर्दा10बीसटा पितलके खम्हासब मे टांगि देलक जाहि खम्हाके बीसटा पितरिके गोरी छल आ जाहिपर अंकुसा छल आ चानीके बन्हना छल।11अंगनाके उत्तर दिस, ओ पचास मीटर लम्बाइ भेल पर्दा बीसटा खम्हासब मे टांगि देलक, प्रत्येकके पीतरिके आधारगोरी, अंकुसा, आ चानीके बन्हना छल।12अंगनाके पश्चिम दिसमे, ओ दसटा खम्हनी मे पचीस मिटरके पर्दा टांगि देलक, प्रत्येकके आधार तरबा, अंकुसासब, आ चानीके बन्हनासब छल।13पूर्व दिस सेहो पचीस मीटर चौड़ाइ छल।14तीनटा तरबा भेल तीनटा खम्हामे, प्रवेशद्वारिके एक कात साढे सात मीटर लम्बाइ भेल पर्दा ओ बनौलक।15दोसर कात, प्रवेशद्वारिके आंगनके विपरीत दिसमे, तीनटा तरबा भेल तीनटा खम्हा सहित, साढ़े सात मीटर लम्बाइ के पर्दा ओ बनौलक।16अंगनाके चारुदिस मेही सूतीके पर्दा छल।17सबटा खम्हाके तरबा पीतरिके छल। ओसब फुनची के चानी ल क मढ़ने छल। खम्हाके बन्हनासब आ अंकुसासब चानीके छल। अंगनाके अन्तिम खम्हासब चानीके गोलाकार बनाबट छल।18अंगनाके प्रवेशद्वारिके लेल, दू तहबला सूतीके मेहिआक बनल पर्दा ओ बनौलक, आ एहिमे कुशल करीगढ़ नीला, बैगनी, आ लाल धागा स कढ़ाइ क' क' गढ़लक। ओ पर्दा दस मीटर लम्बाइ आ अढ़ाइ मीटर उचाइ के छल, अंगनामे भेल आओर परदासब जकां।19एहिके चारिटा खम्हासब छल, प्रत्येकके एकटा पीतरिके तरबा छल। ओसब खम्हाके फुनचीसब आ अंकुसासब के चानीस मेढ़ देलक। ओकर बन्हनासब सेहो चानीके छल।20ओसब आंगनमे चारुदिस भेल पर्दा आ तम्बूके ठोकलेल सबटा किल्लासब पीतरिके बनौलक।21जत गवाहीके दस आज्ञासब छल ओतए कारीगरसब पवित्र तम्बू बनाबए प्रयोग कएने सामग्रीसब के सूची सब इहे अछि। ई सूची लिखबाक लेल लेवी कुलके किछु लोकसबके मूसा निर्देशन देने छल। हारून पुजारीके बेटा, ईतामार, जे लिखबला काज कएनिहार लोकसबके निरीक्षण कएने छल।22यहूदा कुलके, हूरके पोता, ऊरीके बेटा, बजलेल ई सबकिछु बनौलक जे यहोवा मूसाके बनाबए कहने छल।23दान कुलके, अहीसामाकके बेटा, ओहोलीआब बजलेलके संगे काज कएलक। अहोलिआब एकदम कुशल कढ़ाइ कारीगर छल जे सबकिछु कारीगरी कएलक। ओ नीला, बैगनी, आ लाल ऊनी धागा, आ सूती स नमूना कढ़ाइ कएलक।24पवित्र तम्बू बनाबए प्रयोग भेल सबटा सोनाके तौल 991 किलोग्राम छल। लोकसब जखन सोना यहोवाके लेल अर्पित कएलक त ओसब ओहिके मानक अधिकारी तौल प्रयोग कएलक।25सबटा चानी जे समुदायके लोकसब अर्पित कएने अगुवासब ल' गेल ओकर तौल 3,400 किलो भेल। ओसब ई चानी तौल लेल सेहो पवित्र स्थानके मानक अधिकारीक तौल प्रयोग कएलक।26ओसब सबटा लोकसबके गनती कएलक जे कमती मे बीस वर्षके छल, आ प्रत्येक मनुष्य पवित्र स्थानके मानक अनुसार, पांच ग्राम तौल के चानी के सिक्का चुकएलक। ई सबलोक 603,550 पुरुष छल।27पवित्र तम्बूके पर्दासबके आड़ देबएबला खम्हाके निचाके तरबा बनाबए 3,400 किलो चानी लागल छल। प्रत्येक 100 तरबासब के लेल 34 किलो प्रयोग कएलक।28बांकी 20 किलो चानीस, ओसब खम्हासबके लेल अकुसा सब बनौलक, खम्हासबके फुंची सबके मेढ़लक, आ गोलाकार कोन्हसब बनौलक।29लोकसब 2,400 किलो पीतरि भेट मे देने छल।30ओहि पीतरि स ओ पवित्र तम्बूके प्रवेशद्वारि भेल खम्हासबके आर करएलेल तरबा बनौलक, जराबबला बलिदानके लेल वेदीके संग एकर सरसी आ एकर आओर पात्रसब बनौलक,31परदासबके लटकाबएबला खम्हाके जे अंगनामे चारुदिस घेरलेल अछि, अंगनाके प्रवेशद्वारपर रहल तरबासब, आ पवित्र तम्बूके लेल आ एहिके अंगनामे रहल पर्दाके लेल किल्लासब बनौलक।
Bridge Connectivity Solutions Pvt. Ltd.