Exodus34

1मूसालग यहोवा प्रगट भेलाके बाद ओ ओकरा कहलखिन, “पहिने जकां दूटा शीलाके पाटी पत्थलमे स काटि लाउ, पत्र जे अहाँ फोरि देलिऐ। तब हम ओहिपर ओहे बात लिखए देब जे हम पहिनुका शीला पाटीपर लिखने रहू।2काल्हि भोरे अहाँ तैयार रहब, आ सीनै पहाड़पर आबिक हमरा आगु हाजिर होउ।3अहाँसंगे केओ नहि आबैक। हम नहि चाहैत छी जे एहि पहाड़पर जत हम छी केओ आबैक। पहाड़के लगमे कोनो भेंड़ वा मालजालके हुंज घास चरए सेहो नहि अबैक।”4दोसर दिन भोरे एहिलेल मूसा पहिनहि जकां दूटा शीलापाटी बनाक क ल गेल। ओ दोसर दिन भिनसरे उठल, आ शीलापाटी लेलक, आ अपन हाथमे ओकरा उठाक उपर सीनै पहाड़पर ल गेल, जेना यहोवा ओकरा कहने छलथि।5तब यहोवा अपन नाम लेलखिन, “यहोवा।”6यहोवा ओकर आगु दने चलि गेलथिन आ बजलनि, “हम यहोवा परमेश्वर छी। हम अपन लोकसबके संग दयालु आ कृपापूर्ण व्यवहार करैत छी, आ हम झटस नहि पीताइत छी। हम जे अपन लोकसबसंग कएने प्रतिज्ञा बेसी प्रेम आ विश्वसनीयता संग पूरा करैत छी।7हम अपन ल क सबके हजारो पीढ़ी धरि बेसी प्रेम करैत छी। हम अपन लोकके गलती, अपराध, आ पापसब क्षमा करैत छी। मुदा हम दोषीके निश्चय दण्ड देबै। यदि लोक भ गलत करत, ओकरासबके तेसर आ चारीम पीढ़ी धरि प्रभावित होतैक।”8मूसा झटस भुइया दिस झुकिक यहोवाके आराधना कएलनि।9ओ कहलक, “हमर प्रभु, यदि अहाँ यदि हमरास प्रसन्न छी त, हम कहैत छी जे हमरासंगे चलू। ई ल क सब बड़ हठी अछि, मुदा हमरासबके सबटा पाप क्षमा कएल जाओ, आ अहाँके लोक जकां सर्वदाके लेल हमरासबके स्वीकार कएल जाओ।”10यहोवा जबाब देलथिन, “सुनू! हम अहाँके स्मरण दियाब छी जे हम इजराएली सबहक संग की सहमती कएने छलहुं। रहि गेल हमर बात, हम बड़का चमत्कारसब करब। ई एहन चमत्कार होएत जे एहि पृथ्वीपर केओ कहियो कोनो जातिमे नहि कएने होतैक। ओकरासबहक चारुदिस रहल जातिसब ओ बड़का काजसब देखतैक जे हम, यहोवा, करब। हम अहाँक लेल एहन काज करब जे सब केओ हमरा आदर करत।11आजुक दिन हम अहाँके जे आदेश देब जा रहल छी से पालन करब। हम निश्चितरुपस एमोरी, कनानी, हित्ती, परिज्जी, हिब्बी, आ यबूसी लोक समूहके अहाँक लेल जमीन छोड़िक' भगा देब।12सावधान होउ जे जाहि देशमे जाइछी ओतएके कोनो लोकसबके संग शान्तिके सहमती नहि करब। यदि अहाँ एना करब, त अहाँसब सेहो ओहि दुष्टकाज करबाक शुरु क देबै जे ओसब करैत अछि। ई अहाँसबहक लेल फन्दामे पड़नाइ जकां होएत।13बल्कि, ओकरासबके पवित्र पत्थलसबके तोड़ि देबै, ओकरासबके मूर्ति तोड़ि देबै, आ अशेराके आराधना करए प्रयोग करए से लाठीके तोड़‌ि देबै।14ई करब किएक त अहाँसब कोनो आन देवताके पूजा नहि करब, किएक त हम, यहोवा ई लोकसब प्रेमपूर्वक बुझिलैक से हम प्रेमपूर्वक चाहैत छी जे एकमात्र सत्य परमेश्वर हम ही छी, जेना पति अपन पत्नीकेलेल प्रेम करब आतुर रहैत अछि तहिना हमहूं छी।15फेरु ओहि देशमे रहनिहार कोनो लोकसंगे शान्ति सहमती नहि करब, किएक त' जखन ओ अपन देवतासबके पूजा करत आ ओकरालेल बलिदान चढ़ाओत, त' ओसब अहाँसबके ओहिमे सामेल होबएलेल निमंत्रण करत। तब अहाँसब ओकरासबके देवतासबके चढ़ाएल बलिदानक खा क' आ आन देवतासबके पूजा क' क' हमरासंगे अविश्वासयोग्य भ' जाएब आ पाप करब।16आब अहाँसब ओकरा बेटीसबके अपन बेटासबलेल पत्नी लाबिक' पाप करब। ई स्त्रीसब अपन देवताके पूजा करत। ओसब अहाँसबके बेटासबके सेहो ओकरा देवताके आराधना करबाक' अविश्वासयोग्य बना देत।17अपनालेल कोनो धातुके पघालिक कोनो देवता नहि बनाएब।18जेना हम अहाँके आदेश देने छी ओहने अखमीरी रोटीके पर्व मनाएब: अवीव महिनामे सात दिनधरि अखमीरी रोटी खाएब। हम ई समय एहिलेल ठहरौने छी जे जहिया अहाँसब मिस्रस निकलि आएल रहि त अवीवे महिना छल।19अहाँसबहक पहिलौठ बेटासब हमर अछि। अहाँसबके घरमे पालल गेल मालजाल, गाइ, भेंड़ आ बकरी सबहक मर्दना हमरे अछि।20गदहाके पहिन जन्मल के विषयमे, एहिके बदला एकटा भेंड़के बच्चाके मारिक एहिके छोड़ाएब, गदहाके घेंउट तोड़िक मारि देबै। अहाँसबके सबटा पहिलौठ बेटासबके दाम तिरिकए छोड़ाएब। बिना भेंटके हमरा आराधना करए नहि आएब।21हप्तामे छह दिन काज करु, मुदा सातम दिन अहाँसब विसराम करब। अहाँसब खेतो जोतैत होएब वा बालि कटैत होअए, तइयो अहाँसब सातम दिनमे विसराम करब।22वसंत मे, जं अहाँ गहुमके पहिन बालि कटनी करब, हप्तासबक उत्सव मनाएब, आ सालक अन्त मे कटनी संपन्न के उत्सव मनाएब।23प्रत्येक साल तीनबेर, सबटा पुरुष हम, प्रभु यहोवा, इजराएली सबहक परमेश्वर, के आराधना करए जम्मा होएब।24निश्चय, हम ओहि देशस सबटा लोकसबके भगा देब जत अहाँ जा रहल छी, आ हम अहाँसबके सीमा बड़का बना देब। प्रत्येक साल अहाँसबहक पुरुषसब तीनबेर यहोवा अहाँके परमेश्वरके आराधना करब आएब त केओ अहाँके देशके जीतए के प्रयास नहि करत।25जानबर बलिदान कएल गेल लेहू मे खमीर मिलाक रोटी बनाक ओहिके नहि चढ़ाएब। फसह पावनिमे चढ़ाएल गेल जानबरके बलिदानमेस दोसर दिन भोर धरि नहि राखब।26प्रत्येक साल, जं अहाँ अपन बालि कटनी करब, अहाँक पहिन कटनीके नीक भाग लेब, जत अहाँ हमरा आराधना करैत छी जाउ, आ हम, यहोवा अहाँके परमेश्वरके द दिअ। जं कोनो पठरुके अहाँ मारबैक, ओहिके ओकरे मायके दूध मे नहि उसनबैक।”27यहोवा मूसाके आओर आगु कहलथि, “हम अहाँके कहने वचनके लिखू। ई आदेशसब द क, हम अहाँसंगे आ इजराएलीसब संगे सहमती कएने छी।”28मूसा ओतए पहाड़पर यहोवाके संग चालीस दिन आ चालीस राति रहलैक। ओहि समयमे ओ किछु नहि खएलक ने किछु पीलक। ओ शीला पाटीपर दस आज्ञाके वचनसब खोधिक लिखलक जे यहोवाके सपथ सहमती के भाग रहए।29जखन मूसा सीनै पहाड़स उतरिक नीचा एलैक त ओ अपन हाथमे गवाहीके दूटा शीलापाटी लेने रहैक जाहिमे ओ दस आज्ञासब लिखने रहए। ओकर मुखरा यहोवा संगे बात कएलाके बात बड़ इजोतगर भ गेल छल, मुदा ओकरा नहि जानकारी छल।30जं हारून आ इजराएलीसब मूसाके देखलक, ओसब बड़ अचम्भित भेल जे ओकर चेहरा चमकैत छल, आ ओकर लगमे जाएस ओसब डेराइत छल।31मुदा मूसा ओकरासबके बजौलक, आ हारून आ आओर इजराएली समुदायके सारा अगुवासब ओकरा लग आएल, आ ओ ओकरासबसंगे बात कएलक।32एहिके बाद, सबटा इजराएली लगमे आएल आ मूसा ओकरासबके सबटा आज्ञा कहलक जे यहोवा सीनै पहाड़पर कहने छलथि।33जं मूसा लोकसबसंग बात करब समाप्त कएलक, ओ अपन मुखरा एकटा वस्त्रस झांपि लेलक।34जहिया कहियो मूसा भेट करएबला तम्बूमे यहोवासंग बात करए प्रवेश करत, ओ अपन मुंह परस वस्त्र हटालैत रहए। जं ओ ओतएस बाहर अओतै, ओ यहोवा ओकरासबके कहब आज्ञा देने सबटा बात इजराएली लोकसबके कहितैक।35इजाराइली सब मूसाके मुंहपर देखलक त एखनो ओकर मुंह चमकैत छल। तन ओ अपन मुंहपर ओ वस्त्र फेरुस ध' लैत छल जहिया फेरु यहोवासंग भेट करबाक लेल नहि गेलैक।

Bridge Connectivity Solutions Pvt. Ltd.

https://app.library.bible/content/2acb82c33dca4c67