Exodus33
1तब यहोवा मूसाके कहलखिन, “उठू आ एतस ओहि लोकसबलग जाउ जेकरा अहाँ मिस्रस बाहर निकालि लएने छी। हम अब्राहम, इसहाक, आ याकूबके सन्तानके देबाक प्रतिज्ञा कएने देशमे जाउ।2हम अपन दूत अहाँक आगु पठाएब, आ कनानी, एमोरी, हित्ती, परिज्जी, हिब्बी, आ यबूसीके सन्तानस' आएल लोकसबके भगादेब।3अहाँ जत जाइछी से उत्तम देश मालजाल पोसलेल आ खेतीबारी करएलेल बड़ नीक अछि। मुदा अहाँसबहक संग हम अपने नहि जाएब, कारण हम एना करब त, अहाँ जखन यात्रा करब त हम अहाँके भष्म क सकैत छी, किएक त अहाँसब बड़ स्वेच्छाचारी लोक छी।”4यहोवा इजराएलीसबके कहबाकलेल मूसाके कहने छलथि, “अहाँसब बड़ हठी लोकसब छी। यदि हम अहाँसबसंगे मिनटो भरिके लेल जाएब, त हम अहाँसबके मारि देब। आब अपन नीक-नीक चीजसब निकालू ई देखाउ जे अहाँसब कएने पापक लेल मन दुखाएल अछि। तब हम ई विचार करब जे यदि हम अहाँसबके दण्ड देब।” जं लोकसब ई सुनलक जे यहोवा कठोरतापूर्वक बजने छथि, ओसब अपन भुलि मानि लेलक, आ केओ नहि महग चीजसब निकालि देलक।6सीनै पहाड़स चलल त इजराएलीसब महग समानसब निकालि देलक आ ओहि दिनस पहिरनाइ सेहो छोड़ि देलक।7जखन इजराएली लोकसब छावनी लगबैत छलनि तखन मूसा पवित्र तम्बू ल' क' छावनीस' किछु दूरीपर राखि दैत छलनि। ओ एहिके “भेट करएबला तम्बू” कहलक। जे केओ जे चाहैत छल जे ओकरालेल यहोवा किछु निर्णय करए से भेट करएबला तम्बूमे अपन छावनीस बाहर जएतैक।8जहिया कहियो मूसा भेट करएबला तम्बूस बाहर जाइक, सब केओ अपन छावनीके प्रवेशद्वारपर ठाढ़ भ जाइक आ जाधरि ओ भेट करएबला तम्बूके भीतर नहि चलि जाइक ओसब ओकरा देखते रहि जाइक।9जखन-कखनो मूसा भेट करएबला तम्बूमे पैसि जाइक, पैघ बादल नीचा अओतैक आ भेट करएबला तम्बूके प्रवेशद्वारपर रुकि जएतैक, आ तब यहोवा मूसा संग बात करितैक।10जं लोकसब देखलक जे पैघ बादल भेट करएबला तम्बूक प्रवेशद्वारपर अड़ल अछि, ओसब अपन छावनीके प्रवेश द्वारे पर निहुरिक आराधना करितैक।11यहोवा मूसा संग केओ मित्र संगे बजैत रहए तहिना प्रत्यक्ष बजैत छलथि। तब मूसा अपन छावनीमे घुरिक जएतैक। मुदा ओकर जवान सहयोगी, नूनके बेटा यहोशू ओहि भेट करएबला तम्बूएमे रहितैक।12मूसा यहोवाके कहलक, “कृपया ध्यान दिऔ। अहाँ हमरा इजराएलीसबके अहाँ जे देश देखाएब अगुवाइ क क ल जाएलेल कहलहुं। मुदा अहाँ हमरा ई नहि कहलहुं जे अहाँ हमर सहायता करए केकरा पठाएब! अहाँ इहो हमरा कहने रही जे अहाँ हमरा नीक जकां जनैत छी आ अहाँ हमरास प्रसन्न छी।13त एहिलेल आब, यदि अहाँ सांचे हमरासंग प्रसन्न छी, त हम अहाँके पुछैत छी, कृपया अहाँ जे करए जा रहल छी से मार्ग हमरा जना दिअ जे हम अहाँके आओर नीकस' जानि सकी आ निरन्तर प्रसन्न करैत रही। कृपया स्मरण करबैक जे इजराएलीसब ओहे लोकसब अछि जेकरा अहाँ चुनने छी से अहाँके अछि।”14यहोवा मूसाके जबाब देलथिन, “हम अहाँसंगे जाएब आ अहाँक विसराम देब।”15मूसा यहोवाके जबाब देलक, “यदि अहाँ हमरासंगे नहि जाएब त, एहि स्थानके छोड़ए नहि कहू।16अहाँ हमरासंगे जएबैक त मात्र आओर लोकसब जनतैक जे अहाँ हमरासंग अहाँक लोकसबके संग प्रसन्न छी! यदि अहाँ हमरासबसंग जएबैक त, ई बात देखएतैक जे हमसब पृथ्वीपर रहनिहार आओर लोकसबस अलग छी।”17यहोवा मूसाके जबाब देलथिन, “अहाँ जे कहलहुं, से हम करब, किएक त' अहाँके नीकस जनैत छी आ हम अहाँस प्रसन्न छी।”18तब मूसा कहलक, “कृपया हमरा देखए दिअ जे अहाँ कतेक महिमित छी।”19यहोवा जबाब देलथिन, “हम अहाँ लग प्रदर्शित क' देब जे हम कतेक भला छी आ कहब जे हमर नाम यहोवाके अर्थ की अछि। हम जेकरा चुनने छी तेकरा संग दयालु व्यवहार करैत छी, आ हम ओकरासंगे कृपापूर्ण व्यवहार करब जेकरा हम चुनने छी।20मुदा अहाँ हमर मुंह नहि देख सकब, किएक त जे लोक हमर मुंह देखत से मरि जाएत।21आ ओ कहलथि जे मुदा देखू! एत हमरालग ई स्थान अछि जत एहि बड़का चट्टानपर अहाँ ठाढ़ भ सकैत छी।22जखन हमर महिमित ज्योति अहाँक कात दने जाएत, हम अहाँके एकटा बड़का चट्टानके भूंड़ मे राखि देब आ हमर अपन हाथलक झांपि देब जाधरि अहाँ चलि नहि गेल होएब।23तब हम अपन हाथ हटा लेब, आ अहाँ हमर पाछुक भाग देखब, मुदा हमर मुंह नहि देखब।”
Bridge Connectivity Solutions Pvt. Ltd.