Exodus32
1मूसा पहाड़पर लम्बा समय धरि रहि गेल। जखन लोकसब महसूस कएलक जे ओ घुरिक नहि आएल, ओसब हारून लग जा क कहलक, “ठाढ़ होउ आ हमरासबहक लेल देवतासब बनाउ जे हमरासबहक यात्रामे अगुवाइ करत। हमसब नहि जनैत छी जे ओहि मनुष्य मूसाके की भ' गेलैक, जे हमरासबके मिस्र देशस बाहर निकालिक' एतधरि लएने अछि।”2हारून जबाब देलक, “अपन पत्नी आ धियापुतासबके कानके सोनाके झुमकासब निकालिक', हमर लग लाउ।”3एहिलेल लोकसब अपन कनिक झुमका निकालिक' आ हारून लग ल क आएल।4ओ सोना प्राप्त कएलाक बाद, ओ ओकरा आगिमे पघलाक' ओकरा सांचमे ढालिक' सांढ़ जकां देखाएबला सोनाके बच्छा बनौलक। लोकसब देखलक आ एक-दोसरस' कहलक, “ई इजराएली सबहक देवतासब अछि जे हमरासबहक ए मिस्र देशस छुटकारा देलक!”5जखन हारून लोकसबके प्रतिक्रिया देखलक, ओ ओहि बच्छाके आगु एकटा वेदी बनौलक। तब ओ घोषणा कएलक, “काल्हि हमसब यहोवाके आदरमे एकटा उत्सव मनाएब!”6एहिलेल दोसर दिन भोरे लोकसब जानबर मारलक आ ओकरासबके होमबलि जकां वेदीपर चढ़ा देलक। ओसब एक-दोसरके संग संगहति पुर्नस्थापना करएलेल किछु मेलबलिसब ल' क' आएल। तब ओसब खाएलेल आ मद्य पिबएलेल बैसि गेल। तब ओसब उठल आ निर्लज्ज तरीकास' नाचए लागल।7तब यहोवा मूसाके कहलखिन, “पहाड़स नीचा जाउ, किएक त अहाँके लोकसब, जेकरा अहाँ मिस्रस निकालिक एत बाहर लाएलि, से सब भङइठ गेल अछि!8कोना जीवन बिताएब से हमर मार्ग आ आदेश पालन कएनाइ अखिने स छोड़ि देने अछि। सोना पघलाक', ओसब एकटा बच्छा जकां देखाएबला मूर्ति बनौने अछि। ओसब ओहिके आराधना कएने अछि आ ओहिपर बलिदान सेहो चढ़एने अछि। ओसब एक-दोसरस' कहैत अछि, ‘ई इजराएली सबहक देवता अछि जे हमरासबके मिस्र देशस छुटकारा द क लएने अछि!’”9तब यहोवा मूसाके आओर आगु कहलखिन, “हम एहि लोकसबके के देख रहल छी। देखियौ ईसब कतेक हठी अछि।10एहि कारण, हम ओकरासबसंगे बहुत बेसी क्रोधित भ गेल छी, तएं हम ओकरासबके सर्वनाश करए जा रहल छी। हमरा रोकएके प्रयास नहि करु! तब हम तोरे आ अहींक सन्तानसबस एकटा बढ़का जाति बनाएब।”11मुदा मूसा अपन परमेश्वर, यहोवासंग अनुनय विनय कएलक, आ कहलक, “यहोवा, अपन लोकसंगे क्रोधित नहि भेल जाओ। ई लोकसब ओहे अछि जेकरा अहाँ मिस्रस अपन महान सामर्थ्यस आ सामर्थी काजद्वारा बचौलिऐ!12यदि अहाँ एकरासबके सर्वनाश क देबै त मिस्रीसब कहतैक जे अहाँ लग दुष्ट योजना छल। ओसब कहतैक इजराएलीसबके अहाँ पहाड़ लग बाहर निकालिक' मरएलेल आ सर पृथ्वीपरस सखाप करए लेल लएलहुं। क्रोधित होएनाइ छोड़ि देल जाओ आ अपन लोकसबके दण्ड देब स कोमल मन कएल जाओ।13अपन दास अब्राहम, इसहाक, आ याकूबके स्मरण कएल जाओ। ओकरासबहक संग अहाँ प्रतिज्ञा कएने छलिऐक, ‘हम अहाँके आकाशमे भेल तरेगन जतेक सन्तान देब। हम ओहि सन्तानसबके ई देश देबै जत हम ल' जाएबला छी। सर्वदाके लेल ई देश ओकरासबहक होएत।’”14एहिलेल यहोवा अपन मन कोमल क' लेलखिन। ओ अपन लोकसबके दण्ड नहि देलथिन जेना ओ सोंचने छलथि।15तब मूसा घुरिक पहाड़के नीचा गेलैक। ओ अपन हाथमे गवाहीके दूटा शीलापाटी लेने छल जाहिमे यहोवा अपन आदेश खोधिक लिखने छलथि। ओ ओहि शीला पाटीमे दुनू कातस लिखने छलथि, दुनू आगु आ पाछु सेहो।16पाटी के विषयमे कहू त, परमेश्वर ओहिके बनौने छलथि। लेखौट के विषयमे कहू, परमेश्वर एहिमे लिखने छलथि। परमेश्वर एहिमे खोधने छलथि।17यहोशू लोकसबके सोर सुनलक। तएं ओ मूसाके कहलक, “छावनीमे स सोर आबि रहल अछि जे युद्धके सोर जकां बुझाति अछि!”18मुदा मूसा कहलक, “ई विजयके ध्वनी नहि अछि; वा पराजय के रोदन सही नहि अछि हम गबैत छै से आवाज सुनि रहल छी!”19जहिना मूसा छावनीके लगमे आएल आ बच्छाके मूर्ति आ नांच करैत देखलक, ओ बहुते पिता गेल। ओ शीलापाटी पहाड़के नीचा भुइयांमे गिरा देलक, आ ई नहि जोड़ल जाए जकां फुटि गेल।20तब ओ बच्छाके मूर्तिके लेलक जे ओसब बनौने छल आ ओकरा आगिमे पघलाक देलक। जखन ओ ठंढा भेल, ओ ओहिके बुकनी जकां पिस देलक। तब ओ ओहि बुकनी जकां पिसल धुलके पानिपर फेक देलक आ इजराएल सबके जवर्दस्ती पिअएलक।21तब मूसा हारूनके पुछलक, “ई लोकसब अहाँके की कएलक से अहाँ एकरासबके एतेक बढ़का पाप कर लिअ?”22हारून जबाब देलक, “हमरासंग क्रोधित नहि होउ हमरा मालिक, कृपया। अहाँके मालूमे अछि जे ई लोकसब कतेक दुष्टकाज करएमे कतेक आतुर रहैत अछि।23ओसब हमरा कहलक, ‘हमरासबके अगुवाइ करएबला देवता बनाउ किएक त हमसब नहि जनैत छी जे ओहि मूसा कहल व्यक्तिके की भेलैक जे हमरासबके मिस्रस निकालिक लौलक!’24तएं हम ओकरासबके कहलिऐ, ‘जतेक लोक सोनाके झुमका कोनो गहना पहिरने अछि से निकालि दैक।’ तएं ओसब ओहिके निकालि देलक हमरा देलक। हम ओहिके आगिमे फेक देलिऐ, आ ई बच्छा निकलिक बाहर अएलनि!” 25मूसा देखलक जे हारून लोकसबके मनपर्दी करा देने रहैक, जे ओकरासबहक शत्रुसब ओकरासबपर हंसैक।26एहिलेल ओ छावनीके प्रवेशद्वारपर मूसा ठाढ़ भक आ चिचिआएल, “जे केओ यहोवाके प्रति समर्पित अछि से, हमरालग बाहर अबैक!” लेवी कुलके सब लोक ओकरा चारुदिस आबि गेलैक।27तब मूसा लेवीसबके कहलकनि, “यहोवा, इजराएलीसबके परमेश्वर, अहाँसबके आज्ञा दैत छथि जे अहाँ सबगोटे अपन तरुआरि ल' लिअ, आ छावनीके एहि प्रवेश द्वारिस भ' क' दोसर द्वारि दिस जाउ आ घुरिक' सेहो आउ। अहाँ प्रत्येक अविश्वासयोग्य लोकके मारि देबै, ओसब अहाँके भाय, मित्र, वा पड़ोसिया होइक तइयो।”28तब लेवी कुलके लोकसब मूसा कहने अनुसार कएलक। ओसब ओहि दिन तीन हजार लोकके मारि देलक।29मूसा लेवी कुलके लोकसबके कहलकनि, “किएक त अहाँसब अपन बेटा आ भायके सेहो मारि देने छी, यहोवा आजुक दिन यहोवाके सेवामे पुजारीके रुपमे अहाँसबके अर्पित कएने छथि आ आशीष देने छथि।”30दोसर दिन, मूसा लोकसबके कहलकनि, “तोंसब बढ़का पाप कएने छे। मुदा हम आब पहाड़पर फेरुस' यहोवासंग बात करए जाइछी। हम तोरासबके एहन पापके प्रायश्चित क' क' क्षमाक' देब हुनका मनालेबैक।”31एहिलेल मूसा फेरुस उपर पहाड़पर गेल आ यहोवाके प्रार्थनामे कहलकनि, “ई लोकसब सोनाके मूर्ति बनाक आ ओकरा आराधना क क बहुत बढ़का पाप कएने छै! कृपया,32आब, यदि अहाँ ओकरासबके पाप शायद क्षमाक' देबै यदि ओकरासबके क्षमा नहि करबैक, त' हमर नाम जे अहाँ अपन पोथीमे अपन लोकसबके नामसब लिखने छी ताहिमेस मेटा देबै।”33मुदा यहोवा मूसाके कहलखिन, “जे हमरा विरुद्ध पाप कएने छै, तेकर नाम हम ओहि किताबमे स काटि देबै।34आब, अहाँ जाउ आ इजराएलीसबके हम कहने देशमे ल' जाएलेल अगुवाइ करु! ध्यान दिअ हमर दूत अहाँके आगु-आगु जाएत। तइयो, जहिया पापसबके दण्ड देबएके दिन अओतै त' हम आएब आ ओकरासबके पापसबके दण्ड देबै।”35बादमे यहोवा इजराएलके लोकसबके बेमारी बना देलथिन किएक त' ओसब हारूनस' बच्छाके मूर्ति बनबौने रहैक।
Bridge Connectivity Solutions Pvt. Ltd.