Exodus31
1यहोवा मूसाके फेरु कहलखिन,2“ध्यान दिअ। हम बजलेलके चुनने छी, जे यहूदाके कुलमेस, ऊरीके बेटा आ हूरके पोता अछि।3सब किसिमके नीक-नीक समानसब बुद्धिआरि पूर्वक आ चनसगरि स कोना बनाओल जाए से हम, परमेश्वर ओकरा अपन आत्मास सिखाएब।4सोना, चानी, आ पितल मे प्रवीणता पूर्वक गढ़ि सकैत अछि।5ओ गहनाके काटए आ सोना मे गढ़ सकैत अछि। ओ काठमे आ कीमती पत्थलमे सेहो कारीगरी आ आओर कारीगरी क' सकैत अछि।6ध्यान दिअ! हम अहीसामाकके बेटा ओहोलीआब, जे दानके कुलस' अछि, जे ओकरासंगे काज करत। हम विशेष किसिमके कारीगिरीके योग्यता आओर लोकसबके देने छी जे अहाँके आदेश देने छी से सबटा चीज बना सकैक।7एहिमे ईसब अछि: पवित्र तम्बू; गवाहीके सन्दूकपर उपरस ढकना सहित; पवित्र तम्बूके भीतर राख वला समानसब,8टेबुल आ ओ सबकिछु जे पुजारी उपयोग करत, शुद्ध सोनास बनल दिहैट आ सब किछु जे पुजारी उपयोग करत, धूप बारह लेल वेदी,9बलिदान चढ़ाबलेल होमबलिके वेदी आ ओहि जे किछु पुजारी प्रयोग करत, आ बीरबा सहितके कठौता;10हारून आ ओकर बेटासबके लेल भव्य सुन्दर पुजारीके पवित्र पहिरन जखन ओ पुजारी जकां सेवा करत काललेल;11अभिषेक के तेल, आ पवित्र स्थानके लेल मीठ सुगन्धित धूप। कारीगरसब ई चीजसबके ओहने बनाबए जेना हम अहाँके निर्देशन देने छी।”12यहोवा मूसाके आओर आगु कहलखिन,13“इजराएलीसबके कहबनि, ‘हमर निर्देशनसब विश्राम-दिन निरन्तर पालन करए। ओ दिनसब हमरा अहाँके आ अहाँके सन्तान, आबएबला सन्तानके स्मरण दियाओत से चेन्ह, जे हम, यहोवा, अहाँके हमर निज लोक होअएलेल निर्णय लेने छी।14अहाँसब हमर नियम जे विश्रामके दिनके विषयमे जे सबाथ अछि, किएक त' अहाँसब एहिके हमरालेल समर्पित जकां करब। अहाँ ओहि दिन हमरा अनादर क' काज करएबला लोकसबके मारि देबै। एहन लोक इजराएलस' मारल जाइक।15अहाँसब प्रत्येक हप्तामे छओ दिन काज करब, मुदा सातम दिन प्रत्येक सप्ताहके अहाँसबहक लेल विश्रामके दिन होएत, एहिके हम, यहोवाके लेल समर्पित करब। सबाथ दिन विसराम केओ काज करए ओकरा मारि देबै।16इजराएलीसब विश्रामके दिन आदर करहीके चाही, आ ओहि दिन सारा पीढ़ी विसराम करए अनन्त करार जकां।17हमरा आ इजराएली बीचके ई सहमती कहियो नहि समाप्त होतैक। ई अहाँसबके सर्वदाके चेन्ह स्मरण कराओत जे हम, यहोवा, छह दिनमे स्वर्ग आ पृथ्वी बनएलहुं, आ सातम दिन हम करैत राज स रुकि गेलहूं आ विशराम कएलहुं।’”18जखन यहोवा सीनै पहाड़पर मूसा संग बात करब समाप्त कएलखिन, ओ गवाहीके दूटा शिलापाटी देलथिन जाहिपर परमेश्वर स्वयं अपन आज्ञा अपन औंरीस' लिखने छलथि।
Bridge Connectivity Solutions Pvt. Ltd.