Exodus30
1यहोवा मूसाके आदेश देब जारी रखलथि, “धूप जरब लेल बाबुल के काठस वेदी बनाएब।2ई वर्गाकार होएबाक चाही, डेढ़ मीटर चारुकात। ई एक मीटर उंच होइक। ओहिमे सिंग जकां देखाए देबएबला सौंसे काठक गोलिया स बनाएब।3ओहिके उपर भाग आ चारुकात, सिंग जकां देखाएबला, के सेहो शुद्ध सोनास मेढ़ देबै। चारुदिसस सोनाके घेरबा लगा देबै।4वेदीके घेरबा के नीचा दूटा सोनाके कंड़ी बनाक जोड़ि देबै। वेदीके दुनू कात एकटाके। ई कंड़ी सब लाठी घुसियाक बोकिक लजाएलेल होइक।5ई दुनू लाठीके बाबुल के काठस बनाक आ सोनास मेढ़ देबै।6गवाहीके सन्दूकके बाहर टांगल पर्दाके बाहर ई धूप वेदी राखि देबै। ओ पवित्र सन्दूक जाहिमे झांप लेल ढकना अछि आ ओहिके भीतरमे शीलापाटी अछि, जत हम अहाँसंगे बात करब।7हारूनके एहि धूप वेदीपर सुगन्धित धूप अवश्य जराब चाही। ओ सबदिन पराते पराते कनिक जराब के चाही जखन ओ दिआ सबके साफ करत,8आ किछु धूप हारून सांझमे जराबए जखन ओ सांझ दिअ अओतैक। हमरालेल पुस्तो पीढ़ी धरि धूप जरबैत रहब।9हम अहाँके जराब नहि कहने कोनो धूप ओहि वेदीपर नहि जराएब, वा कोनो जानबर नहि बलिदान चढ़ाएब, होमबलि वा कोनो अन्नबलि वा अर्घ बलि चढ़ौना जकां नहि चढ़ाएब।10सालमे एक बेर, हारून वार्षिक बलिदानमेस शुद्ध करएबला पापबलिके लेहू लए जे लोकसब कएने पापके झांपि दैत अछि से वेदीके उपर सिंग जकां देखाएबला चीजमे लगा दैक जे वेदीके अशुद्ध चीज हटि जाएक। पुस्त पुस्ताके प्रत्येक मुख्य पुजारी वेदीके अशुद्धता एहि तरहे झांपि दैक। वेदी हम, यहोवाके लेल समर्पित आ पवित्र होएत।”11यहोवा मूसाके निर्देश देलथिन,12“जहिया अहाँके अगुवासब अहाँ कतेक इजराएली छी से गनती करब त, प्रत्येक लोक जे गनि भेल अछि से अपन जीवन बचाबए हमरा रुपैया मोल चुकबैत। ई एहिलेल जे हम लोकसबके बेमारी नहि होअए देब आ जेना अगुवा गनि करत त मर नहि देबै।13जेना कोनो मनुष्य गनाए के लेल अगुवाके आगु दने जएतैक त ओ गनैत काल आधा भरि चानीके रुपैया दैक। पवित्र स्थानके चलती के तौल अनुसार, एघार ग्राम होइत अछि। ई आधा भरि चानीके रुपैया हमर, यहोवाके लेल एकटा चढ़ौना अछि। 14प्रत्येक जे बीस वर्षके मनुष्य होइक एतेक मात्रामे हमरा, यहोवाके चुकता करए, जखन ओ अगुवाके आगु गनाए लेल जाइक।15अपन जीवन बचाबएके मोल, हमरा, यहोवाके देबै त' धनीक ओहिस' बेसी नहि, आ गरीब ओहिस' कम नहि दैक।16अहाँ इजराएलीसबस' जीवन बचाएबके रुपैया ल' क' आ पवित्र तम्बूके लेल खर्च करब। ई हमरा, यहोवाके, स्मरण दियाओत जे इजराएलीसब अपन जीवन बचाबएके मोल देने अछि।”17यहोवा मूसाके आओर आगु कहलखिन,18“पीतलके एकटा कठौता बनाएब आ एहिके लेल पीतरिके एकटा आधार बिरवा बनाएब। एहिके पवित्र तम्बू आ वेदीके वीचमे राखि देबै आ ओहिमे पानि भरि देबै।19हारून आ ओकर बेटासबके अपन हाथ आ गोर ओहि पानिमे अवश्य धोए के चाही।20ओसब पवित्र तम्बूमे प्रवेश कर' स' पहिने ओहि पानिमे धोएलक जे यहोवा ओकरासबके नहि मारथि। ओसब हमरा, यहोवा लग होमबलिके बलिदानके रुपमे चढ़ाब वेदी लग आबएस पहिने,21ओसब अपन हाथ आ गोर धोबएके चाही जे ओसब नहि मारएक। ई ओकरासबहक लेल आ हारूनस आएल सबटा पीढ़ी सबहक लेल सर्वदाके लेल विधि होएत।”22यहोवा मूसाके आओर आगु कहलखिन,23“अहाँ अपनेस' सबस' नीक मसल्ला बटोरब — छओ किलोग्राम तरल मुर्र, आ ओहिके आधा: तीन किलोग्राम सुगन्धित दालचीनी, तीन किलोग्राम सुगन्धित तेल,24छओ किलोग्राम पतरक। पवित्र स्थानके चलती के माप अनुसार जोखब। आ, चारि लीटर जैतूनके तेल बटोरब।25ई सुगन्धबला मिस्रण सबस अभिषेक के तेल बनाएब। ई अभिषेक के लेल पवित्र तेल होएत।26एहि तेलक प्रयोग पवित्र तम्बू, गवाहीके सन्दूकके अभिषेक करबाक लेल करु,27टेबुल आ आओर सब किछु जे पुजारी प्रयोग करत, दिहैट आ सब किछु जे पुजारी रेख देख करैत होइक, धूप जराबलेल वेदी,28आ बलिदान चढ़ाबलेल होमबलिके वेदी, आ कठौता आ एकर बिरवाके अभिषेक करए प्रयोग करब।29एहि तरहे, ई समानसब अहाँ हमरालेल समर्पण करब। ईसब बेसी पवित्र होएत जे एहिमे छुवाएबला कोनो चीज सेहो पवित्र भ जाएत।30हारून आ ओकर बेटासबके अभिषेक क' क' हमर पुजारी बनएलेल समर्पण करब।31इजराएलीसबके कहबनि, ‘ई तेल सबटा पुस्ताके लेल अभिषेक करए पवित्र होएत।32अहाँ ई तेल जे पुजारी नहि अछि ताहि मनुष्यके देहपर नहि ढारब, आ इहे सब किछु मिलाक एहन आओर कोनो तेल नहि बनाएब। ई तेल हमरालेल संजोगि क राखब, आ एकरा अहाँ पवित्र बुझब।33जे पुजारी नहि अछि तेकरापर ई तेल ढारि दैक वा एहन तेल केओ बनाबए तेकरा इजराएलमेस निकालिए देबै।’”34यहोवा मूसाके आओर आगु कहलखिन, “मीठ मसल्ला सबके बरोबरि मात्रामे मिलाएब: नखी, कुन्दरू, लोबान आ सुगन्धित धूप।35अतर मिलाबए वला एहि समानके, सुगन्धित धूपमे कनिक नूनके मिलादैक। ई शुद्ध आ पवित्र होइत।36एहिमेस कनिक मेहीस पिसलेब। तब एहिमेस किछु पवित्र तम्बूमे ल जाएब आ गवाहीके सन्दूकके आगु जत हम अहाँके दर्शन देब राखि देबै। अहाँसब एहि धुपके बेसी पवित्र मानब।37लोकसब ई मसल्ला सब मिलाक अपने एहन धूप नहि बनाबए। ओसब एहि धुपके पवित्र मानैक, ई हम, यहोवाके लेल मात्र अछि।38एहन अतर बनाबए वला के इजराएलमेस बाहर निकालिए देबै।”
Bridge Connectivity Solutions Pvt. Ltd.