Exodus29
1यहोवा मूसाके कहलथि जे हारून आ ओकर बेटासबके हमर पुजारी होएबाक लेल समर्पित करए एना करु। कोनो खराबी नहि भेल एकटा बच्छा आ दूटा भेंड़ लेब।2आ, मेहीस' पिसल गहुमके अंटाके ल' क', बिना खमीरके एहिसबके सानि देबै: एहिमे जैतूनके तेल लगाक' सादा रोटी, मोलायम रोटी बनाएब, आ बाहर तेल लागल पपड़ी सेहो बनाएब।3एकरासबके एकटा मे राखि देबै। ओहि रोटी राखल टोकरीके, एकटा बच्छा, आ दूटा भेंड़के हमरालग ल क आउ।4हारून आ ओकर बेटासबके पवित्र तम्बूके प्रवेशद्वारपर ल क आएब आ ओकरासबके पानिस नहा देबै।5तब ओ वस्त्र हारूनके पहिरा देबै — भरिबहुंआ अंगा, पवित्र एपोदके भीतर पहिर वला वस्त्र, पवित्र एपोद, आ पवित्र सीनाबंद। पवित्र एपोद डरकस के मदति स एपोद पहिरा देबै।6ओकरा माथपर फेंटा लगा देबै, आ पवित्र मुकुटस ओहि फेंटा के बान्हि देबै जाहिमे “यहोवाके लेल समर्पित” शब्द खोधिक' लिखल अछि।7अभिषेकके तेल ल' क' ओकरा समर्पित करएलेल ओकरा माथपर कनिका ढारि देबै। 8तेकरबाद, ओकर बेटासबके सेहो बजाएब आ ओकरासबके भरिबहुंआ अंगा पहिरा देबै।9हारून आ ओकर बेटासबके डांढ मे डरकस पहिरा देबै आ ओकरासबके माथपर टोपी होइक से निश्चित करब। ई अनन्तके लेल नियम अछि:ओसब पुजारीसब अछि। हुनकर वंशज पुजारीके काज सदाके लेल करत। अहाँ एकरासबके एहि काजके लेल नियुक्त क देबै।10तब एकटा बच्छाके पवित्र तम्बूके आगु ल क आएब। जखन हारून आ ओकर बेटासब बच्छाके माथपर अपन हाथ ध' देतैक,11पवित्र तम्बूके प्रवेश द्वारिबाहर पर यहोवाके आगु बच्छाके घेंउट काटिक बलिदान करब आ लहुके एकटा वर्तनमे जम्मा करब।12बच्छाके लेहू मे अहाँक किछु औंरीमे चोपकारिक देखाए दिअएबला वेदीपर पोति दिऔ। बांकी बच्छाके लहुके वेदीके नीचा उझैल देबै।13बच्छाके भीतरी अंगमे भेल सबटा चर्बी निकालिक, करेजीके चर्बी, आ मिर्गौलापर भेल सब चर्बी ल लेब। ई सबटा वेदीपर पूर्णरुपस जरा देबै।14मुदा बच्छाके माउसके जरा देबै आ एकर अंतरी आ खाल के छावनीके बाहर आगिमे जरा देबै। बच्छाके बलिदान वेदीके शुद्ध करैत अछि। ई पापबलि होएत।15एकरबाद, एकटा भेंड़के लेब। जखन हारून आ ओकर बेटासब ओहि भेंड़के माथपर अपन हाथ रखतैक,16ओहि भेंड़के घेंउट काटिक मारि देबै। ओकर लेहू लोकि लेब आ वेदीपर छिट देबै।17तब ओहि भेंड़के दू फांक क देबै। एकर भीतरी अंगसबके आ एकर टांग, आ ओकर माथ समेत शरीरके बांकी अंगके साथ18भेंड़के वेदीपर राखि देबै। तब एहिसबके नीक जकां जरा देबै। ई हम, यहोवाके लेल होमबलि होएत, आ आगिक संग एकर धुआं हमरा प्रसन्न करत।19एकरबाद, दोसर भेंड़के लेब। जखन हारून आ ओकर बेटासब ओकर माथपर अपन हाथ राखि देतैक,20भेंड़के घेंउट काटिक' मारि देबै लहुके लोकि लेब। एहि लेहूमेस किछु हारूनके आ ओकर बेटासबके दहिना कानके लटकल भागमे, आ ओकर दहिना औंठामे, आ दहिना गोरके औंठामे लगा देबै। बांकी लेहू वेदीके चारु कोन्हपर फेक देबै।21वेदीपर भेल किछु लहुके पोछिक, ओहिके तेलमे अभिषेक के लेल, आ हारून आ ओकर वस्त्रके उपर, आ ओकर बेटासबके उपर आ ओकरासबहक वस्त्रके उपर छिट देबै। एना कएलास, अहाँ ओकरासबके आ ओकर वस्त्रके हमरालेल समर्पण करब।22ओहि भेंड़के चर्बी काटि लेब: एकर नंगरीबला चर्बी, आ भीतरी अंगके चर्बी, करेजीके चर्बी, दुनू मिर्गौलाके चर्बी, आ दहिना फिलाके चर्बी काटि लेब। ई भेंड़ पवित्र करैलेल अछि हारून आ ओकर बेटासबके, जे हमर पुजारी होएत।23अन्त मे, रोटीबला टोकरीमेस जे बिना खमीरके बनाओल गेल रोटी अछि ओ जे हम, यहोवा लग अहाँ लएने छी, एकटा सदा गोलका रोटी लेब, तेल लागल मोलायम रोटी, आ एकता पातर पोपड़ाक बहरिया भग मे तेल लागल होइक लेब।24ई सबकिछु हारून आ ओकर बेटासबके हाथमे ध देबै। तब हमरालेल समर्पण करए ओकरासबके उपर उठाबए कहबनि।25तब ओकरासबके हाथस ल लेब आ वेदीपर, होमबलिके उपर नीक जकां जरादेब, आ एकर सुगन्ध हमरा प्रसन्न करत।26तब भेंड़के सीनाके ल' क' हारूनके पवित्र करए आ एकरा हमरालेल समर्पण करए आओर उंच उठाएब। मुदा जानबरके ई भाग अहाँसबहक खाएलेल होएत।27भेंड़के ई भाग हारूनके आ ओकर बेटासबके हमर पुजारीके रुपमे पवित्र करए अलग क क राखब: छाती के माउस जे अहाँ हमरालेल समर्पण करए उंच उठाएब आ जे फिला हमरा चढ़एने छली। ईसब हारून आ ओकर बेटासबके लेल अछि।28ई विधिसब दिनक लेल चलत। जहिया-जहिया इजराएलीसब बलि ल क आओत ई देखब जे ओसब हमरासंगे मित्रता मे अछि, ओहि जानबरके छाती वला भाग आ फिला जे हमरालेल मेलबलिके रुपमे चढ़ादेब से हारून आ ओकर पुरुष सन्तानके खाएके लेल होएत।29हारूनके मरलाके बाद, ओ जे पुजारीबला पवित्र वस्त्रसब पहिरैत छलनि से हारूनके बेटासबके भ' जाएत। ओसब ओहिके पुजारी होबएलेल कोनो अगुवा ओकरा नियुक्त क' देलाके बाद ओहि पुजारीबला पवित्र वस्त्रसब पहिरतए।30हारूनके बाद ओकर वंशज जे मुख्य पुजारी बनतैक आ पवित्र तम्बूमे प्रवेश करत आ पवित्र स्थानमे विधिसब पूरा करत त' ओ सात दिवसीय अभिषेकके समारोह धरि ओहि वस्त्रके पहिरए।31हारून आ ओकर बेटासबके अर्पण करैत काल कएल गेल भेंड़ बलिदानके सीना आ फिलाके माउस ल क, आ ओतए ओकरा उसैन देबै जत एहिलेल अलग स्थान कएल गेल अछि।32ओहि भेंड़के रिन्हला के बाद, हारून आ ओकर बेटासब टोकरीमे बांचिगेल रोटीके संग, पवित्र तम्बूके प्रवेशद्वारपर, अवश्य ओहि माउसके खाए।33जं ओसब पुजारी नियुक्त भ' जाएत त' ओकरासबके पापसब झांपि देब जे विधिद्वारा चढ़ाएल गेल चढ़ौना भेंड़ा आ अखमीरी रोटी अछि ओहिमेस' खएतैक। मुदा भेंड़ा आ अखमीरी रोटीसब आओर केओ नहि खाओ। किएक त' ई चीजसब पुजारीएसबके लेल पवित्र होएत।34यदि समर्पणके पवित्र माउस वा रोटीमे स भोर धरि किछु उबरि जाइक, त ओहिसबके जरा देबै। ओहिमेस कनिको नहि खाएब, किएक त ई पवित्र अछि।35हम जेना कहने छी ओहिना हारून आ ओकर बेटासबहक संग करब। अहाँ ओकरासबके सात दिनधरि तैयार करब।36ओहि प्रत्येक दिन वेदीके प्रायश्चित क' क' पवित्र करएलेल एक-एकटा बच्छाके पापबलिके रुपमे बलिदान करब। ई विधिवत रुपमे वेदीके झांपिक वेदीमे कोनो अशुद्धता अछि ताहि के शुद्ध क देत। यहोवाके लेल एहिके समर्पित करए वेदीपर अहाँ कनिका जैतूनके तेल सेहो ढारि देबै।37अहाँ सात दिनधरि वेदीके लेल प्रायश्चित क' क' पवित्र बना देलाके बाद। ई एतेक पवित्र भ जाएत जे एहिके चीज जे छुअत सेहो पवित्र भ जाएत।38प्रत्येक दिन वेदीपर एक सालके दूटा मेमना निरन्तर बलिदान करब।39अहाँसब एकटा मेमना भोरमे आ दोसर सांझमे बलिदान करब।40पहिनुका मेमनाके संगे, एक किलो गहुमस बनल मैदामे एक लीटर असली जैतूनके तेल, आ एक लीटर दाखमद्य मिलाक' अर्घ बलि जकां चढाएब।41सांझमे, जं अहाँ दोसर मेमना बलिदान करब, ओतबे मैदा, ओतबे जैतून तेल, आ दाखमद्य जेना भोरमे चढ़एने जकां चढाएब। ई हम, यहोवाके लेल होमबलि होएत, जे ओसब एहिके जराओत, आ एकर सुगन्ध हमरा प्रसन्न करत।42अहाँ आ अहाँक पुस्तासब एहन होमबलि हमरा, यहोवाके चढ़बैत रहब अहाँक भविष्यक पुस्तासब सेहो। एहिसबके अहाँसब पवित्र तम्बूके प्रवेशद्वारपर चढ़ाएब। ओतहि हम अहाँके दर्शन देब आ अहाँसबसंगे बात करब।43ओतहि हम इजराएलीसबके सेहो दर्शन देबै, आ हमर उपस्थितिके चमकदार इजोत ओहि स्थानके पवित्र बना देतैक।44हम पवित्र तम्बू आ वेदी समर्पण करब। हम हारून आ ओकर बेटासबके हमर पुजारी बनए सेहो समर्पण करब।45हम इजराएल सबहक बीचमे निवास करबैक, आ हम ओकरासबहक परमेश्वर भ' जएबैक।46ओसब जानिलेत जे हम, यहोवा ओकर परमेश्वर, ओकरासबके मिस्र देशस एहिलेल निकालि लएलहुं जे हम ओकरासबके बीचमे निवासक सकी। हम यहोवा, ओकरासबहक परमेश्वर छी जेकरा ओसब आराधना करैत अछि।
Bridge Connectivity Solutions Pvt. Ltd.