Exodus2
1ओहि समयमे ओतए एकटा मनुष्य रहए जे याकूबके बेटा लेवी वंशके रहए। ओ एगो स्त्रीसंगे विवाह कएलक ओहो लेवीए वंशके रहए।2ओ गर्भवती भेलीह आ एकटा बेटाके जन्म देलीह। जखन ओ देखलीह जे ओ स्वस्थ बालक अछि। ओ ओकरा जीविते राखए चाहैत छलीह, तएं ओ ओकरा तीन महिना धरि नुकाक' रखलीह।3जखन ओ देखलीह जे ओहि बालकके आब नुकाबएमे सक्षम नहि छी, तखन ओ नरकटस' बनल एकटा ढकिया लेलीह। ओ ओहि ढकियाके अलकतरास' पोति देलीह जे ई पानिपर छताए। तखन ओ ओहि बालकके ओहि ढकियामे ध' देलीह आ ओहि ढकियाके पानिमे ध' देलीह। ई नील नदी किनहेरिमे नमहर नमहर नरकटसबके बीचमे रहए।4ओकर दिदी ढूका लागिक' ओकरा देखैत रहए जे एकरा की होइत।5ओहि समयमे राजाके बेटी राजकुमारी नहाएलेल ओहि नदीमे गेलीह। ओ अपन सखीसब संगे नदी किनहेरिमे चलैत छलीह। ओ बड़का-बड़का नरकटसबके बीचमे एकटा ढकिया देखलीह, त' ओ एकटा दासीके ओहिके लाबएलेल कहलीह। जखन दासी ओहिके लौलक, त' राजकुमारी ओहिके ओकरास' ल' लेलीह 6आ ओ ओहिके खोललीह, आ ओहिमे एकटा बच्चाके कनैत देख चकित भ' गेलीह। ओ ओहि बच्चापर दया देखौलीह आ, कहलीह, “ई कोनो हिब्रूके बच्चा भ' सकए।”7तखन बच्चाके दिदी राजाके बेटी लग गेलीह आ कहलीह, “की अहाँ चाहैत छी जे हम कोनो इब्रानी स्त्रीके खोजिक' लाबी जे एहि बच्चाके अहाँके लेल दूध पिआबी सकए?”8राजाके बेटी ओकरा कहलीह, “हं, जाउ आ ओहन एकगोटेके ल' क' आउ।” ओ लड़की चलि गेलीह आ बच्चाके मायके ल' क' आबि गेलीह।9तखन राजाके बेटी ओहि मायके कहलीह, “कृपया एहि बच्चाके ल' क' हमरालेल एकरा दूध पियाउ। हम अहाँके एहि काजके लेल दरमहा देब।” एहिलेल बच्चाके माय सहमत भेलीह आ ओकरा ल' गेलीह आ दूध पियौलीह।10जखन ओ नमहर भेल, त' ओकर माय बच्चाके ल' क' राजाके बेटी लग अनलीह। ओ ओहि बच्चाके अपन पोसपूत बना लेलीह आ कहलीह, “हम एकरा पानिमेस' निकालने रही, एहिलेल हम एकरा मूसा कहबनि।” 11एकदिन, जं मूसा नमहर भेल, त' दरबार क्षेत्रस' ओ अपन लोकसबलग बाहर गेलाह आ ओकरासबके कतेक कठिन काज करए पड़ैत छलनि से देखलाह। ओ देखलाह जे एकटा मिस्री एकटा हिब्रूके मारैत छल।12मूसा चारुदिस देखलनि जे केओ हुनका देखैत त' नहि अछि। ओ केकरो नहि देखलनि, त' ओ ओहि मिस्रीके मारि देलनि आ बालूमे ओकरा गाड़ि देलनि।13दोसर दिन ओ ओहि स्थानमे फेरुस' गेलाह। ओ दूटा इब्रानी अपनेमे झगड़ा करैत देख चकित भ' गेलाह। ओ झगड़ा शुरु करएबलाके कहलनि, “अहाँ किएक अपने इब्रानी भायके मारैत छी?”14इब्रानी लोकसबमेस' एकगोटे मूसाके उत्तर देलकनि, “हमरासबपर अहाँके न्यायाधीशके बना देलक? जेना काल्हि मिस्रीके मारने रहिऐ तहिना अहाँ हमरो मारए चाहैत छी?” तखन मूसा डेरा गेलनि, किएक त' ओ सोंचलनि, “हम जे कएने छी ताहि घटनाके सबके ओ जानि गेल अछि।”15जं राजा सुनलनि जे मूसा एकटा मिस्रीके मारि देने अछि, त' ओ अपन सैनिकके मूसाके मारि देबाक आज्ञा देलक। मुदा मूसा राजाके पकड़स' दूर चलि गेल आ मिस्रदेशके छोड़िक' ओ पूर्व दिस यात्रा कएलनि। मिद्यानके क्षेत्र दिस गेलनि आ ओतहि रहि गेलाह। एकदिन जेना मूसा एकटा इनार लग बैसल छलनि, 16सात गोटे लड़कीसब इनारपर अएलीह। ओसब मिद्यानीसबके पुजारीके बेटीसब छलीह। ओसब इनारपर पानि भरिक' नादिमे ध' देलीह एहिलेल जे अपन बाबुके हेंड़के भेंड़ आ बकरीसबके पानि द' सकथि।17किछु चरबाहसब आएल आ लड़कीसबके भगाबए लागल। मुदा मूसा उठिक' आ ओकरासबके बचा लेलनि आ ओकरासबके भेंड़-बकरीके हेंड़के पानि पियाबएमे सहायता कएलनि।18जखन ओकर बेटीसब घर घुरलीह, त' ओकरासबके बाबु यित्रो जेकरा लोकसब रूएल सेहो कहैत छलनि, ओकरासबके पुछलनि, “आइ अहाँसब भेंड़ा चराक' जल्दिए घर कोना आबि गेलहुं?”19ओसब उत्तर देलकनि, “एकटा मिस्री हमरासब लगस' चरबाहासबके भगा देलक। ओहे हमरासबके इनारस' पानियो भरि देलक आ हेंड़के भेंड़ासबके सेहो पानि द' देलक।”20ओ अपन बेटीसबके कहलनि, “ओकरा इनारे पर छोड़िक', अहाँसब ओकरा किएक नहि देखलिऐ जे हमसब परदेशीसबके स्वागत करैत छी अथवा ओकर दयालु काजके मोल चुकबैत छी। ओकरा अपन घरे निमंत्रण द क' बजाउ जे ओ अपनासबसंगे किछु खाएक!” ओसब ओहिना कएलक आ मूसा ओकरासब संगे खएलक।21यित्रो अपन परिवारसंगे रहएलेल मूसाके न्योता देलनि आ मूसा हुनक न्योता स्वीकार कएलनि। यित्रो अपन बेटी सिप्पोराके ओकर पत्नी होएबाक लेल द' देलनि।22ओ पहिन बेटाके जन्म देलीह, आ मूसा ओकरासबके कहलनि, “हम दोसर देशमे रहनिहार एकटा परदेशी छी, तएं हम एहि बच्चाके नाम गेर्शोम राखब।” 23बहुते वर्ष बित गेल। समयके ओहि अवधिमे, मिस्रके राजा मरि गेल। मिस्रमे इजराएलीसब एखनो पिरामत्थनबला काजके कारण कुहरैत छल जे ओसब दास भेलाके कारण करए पड़ैत छल। काजक कारण ओसब स्वर्गके परमेश्वरके स्मरण कएलनि।24जखन परमेश्वर ओकरासबके कुहरनाइ सुनिलथि, त' ओ अब्राहम, इसहाक आ याकूबसंगे कएल अपन करार स्मरण कएलथि। 25परमेश्वर इजराएलीसबपर करुणास' देखलथि जे कोना इजराएलीसब दुर्व्यवहार भोगैत अछि, आ ओ ओकरासबके अवस्थापर ध्यान देलथिन।
Bridge Connectivity Solutions Pvt. Ltd.