Exodus28
1यहोवा मूसाके आदेश देलथिन जे अहाँके भैया हारून आ ओकर बेटासब, नादाब, अबीहू, एलीआजर, आ ईतामार बांकी इजराएलीसब हटि क अहाँक लगमे आबैक, जे ओसब हमर पुजारी बनि सकैक।2अहाँक भैया हारूनके लेल पवित्र पहिरन बनाएब, एहिलेल ओ हमर आदर आ सुन्दरता देखाबए।3सबटा लुरिगर कारीगरसब संग बात करु, जेकरा हम उत्तम कढ़ाइ करएबला बनौने छी। ओकरासबके हारूनके लेल पहिरन बनाबए जखन अहाँ ओकरा हमरा सेवा करएलेल पुजारीके रुपमे समर्पित क देबै त' ओ पहिरतए।4ओसब ई पहिरनके एना बनाबए: एकटा पवित्र छातीपर के पहिरन हारूनके छातीक उपर पहिरए, एकटा पगरी, एकटा कमरबंद, बहिरी एपोद, कढ़ाइ कएल गेल वस्त्र, आ एकटा फेंटा। ई पवित्र वस्त्र अहाँके भैया हारून आ ओकरा बेटासबके लेल बनाएल जाइक जे ओसब हमरालेल पुजारीके काज करए।5लुरिगर कारीगरसब मेही सूती धागा आ सोना, नीला, बैगनी, आ लाल धागा पहिरन बनाबए भेटवाक चाही।6ओ लुरिगर कारीगरसब मेही बनल सूतीक कपड़ास पवित्र एपोद बनाबए। ओसब ओस्ताजीस नीला, बैगनी, आ लाल धागा, आ शुद्ध सोनाके धागा स एहिके कढ़ाइ करए।7एहिमे कान्हपर बान्हबला दूटा छोंरी होइक जे एहिके जोड़ि दैक।8सावधानीपूर्वक बिनल गेल कमरबंद होइक जे पवित्र एपोद धरि जाइक। एपोद बनाबए वला ओहि कपड़ास ओहू के बनाओल जाइक। ओ वस्त्र मिहीन स बनल गेल सूती पर ओस्ताजीस कढ़ाइ क गेल नीला, बैगनी, लाल धागा, आ शुद्ध सोनाके धागा। एपोदमे सिदेबैक।9दूटा अनिक्स नामके कीमती पत्थल लेब आ याकूबके बारहो बेटाके नाम ओहि खोधिक लिखब।10याकूबके बेटासब जनमल रहए सेहे क्रममे नाम लिख देबै। छह गोटेके नाम एकटा पत्थलपर आ आओर छह गोटेके दोसर पत्थलपर।11पत्थलपर खोधएबला कारीगर ई इजराएलके बेटासबके नामसबके ई दुनू पत्थलपर एनाक लिखैक जे ओ छाप औंठी बनबैत होइक। तब ओ एहि पत्थलके सोनाके सजावट मे जड़ि दैक।12पवित्र एपोदके कान्हपर बान्हबाली छोंरी मे ई इजराएलके स्मरण दियाबला कीमती पत्थलके बान्हि देबै। जहिया-जहिया हारून यहोवाके सेवा करत त एहिके ल क जाइत काल इजराएलके बारहो कुलके नाम स्मरण क लेतैक।13ओहि पत्थलके सोनाके महल बनाक सजाय देबै।14शुद्ध दूटा सोनाके सीकरी बनाएब ओहिमे डोरी जकां बांटल होइक आ ओहि बांटल जकां सीकरी के सजावट वला महलमे जोड़ि देबै।15एकटा पवित्र सीनाबन्द बनाएब जे निर्णय लेबमे सहायता करए। पवित्र एपोदके समानस ओहू के बनाएब, आ नीक जकां एहिमे सोना, नीला, बैगनी, आ लाल मिहीन सूती कपड़ाके कढ़ाइ कराएब।16ओहि सीनाबन्दके दोहराकए मोड़ी देबै जे ई तेइस सेंटीमीटर लम्बा आ तेइस सेंटीमीटर चौड़ा वर्गाकार भ' जाइक।17ओहि सीनाबन्दी मे चारि पांतिमे कीमती पत्थलके लगाएब। पहिन पांतिमे, लालमणि, पियर पुष्पराज, आ हरियर बेरूज होइक।18दोसर पांतिमे हरियर पन्ना, नीला पत्थल, आ सफा हिरा ध' देबै।19तेसर पांतिमे नीलमणि, हांकिक, आ बैगनी कटएला होइक।20चारीम पांतिमे पीतमणि, अनिक्स, आ हरियर बिल्लौर होइक। एहिसब पत्थलके सोनाके सजावट मे मोहड़ि देबै।21पत्थलपर खोधएबला कारीगर याकूबके बारहो कुलके नामसब एहि पत्थलसब पर एनाक लिखैक जे ओ छाप औंठी बनबैत होइक। ई पत्थलक नाम इजराएलके बारह कुलके प्रतिनिधित्व करत।22डोरी जकां बांटल आ शुद्ध सोनास अबंल दूटा सीकरी के पवित्र सीनाबन्द मे जोड़ि देबै।23दूटा सोनाके कंड़ी सीनाबन्दके लेल बनाएब आ एहि सीनाबन्दके उपरका कोन्हसब पर जोड़ि देबै।24सीनाबंद के उपरके एकटा कोन्हपर सोनाके बांटल कंड़ी के जोड़ि देबै।25सीनाबंद के उपरके दोसर कोन्हपर दूटा सजैल महल जाहिमे पत्थल जड़ल अछि सोनाके बांटल कंड़ी के जोड़ि देबै। एहिके पवित्र एपोदके कान्हपर के छोंरी के आगु दिस ढ देबै।26दूटा आओर सोनाके कंड़ी बनाएब आ पवित्र सीनाबन्दके नीचका भागमे भीतर स एपोदके कातमे।27सोनाके दूटा कंड़ी आओर बनाएब आ ओकरा आगुके कान्हपर बान्हबला छोंरी के नीचका भागमे बान्हि देबै जत छोंरीसब कमरबंद आ पवित्र एपोद बान्हल होइक।28ओहि कंड़ी के पवित्र सीनाबंदमे कंड़ीक संग एपोदमे नीला बांटल गेल सीकरी संगे बान्हि देबै जे पवित्र सीनाबंद कमरबंद स उपरे होइक आ पवित्र एपोदमे ढील भक गिरक नहि।29एहिलेल, जहिया कहियो ओ पवित्र स्थानमे जाएत जत यहोवा निवास करैत अछि, हारून एहिके अपन छाती के लग राखिकए, पवित्र सीनाबंदमे निर्णय करएलेल इजराएलके बारहो कुलके नाम निरन्तर स्मरण करत।30उरीम आ तुमिम्म कहल चीजके पवित्र सीनाबंदमे राखि देबै जे ओकरा मालूम भ जाइक हम कनिक न्याय कएलहुं। एहि तरहे, ईसब हारूनके छातिए पर रहतैक जखन हम, यहोवासंग बात करए अएतैक। हारून एहिके सब समय पहिरए जे ई प्रगट करए जे हम इजराएलीसबके ओकर छातीपर कोन तरहे न्याय कएलहुं जं ओ हमरासंग भेट करए आओत।31नीला पदार्थस पवित्र एपोदके भीतर हारून पहिरतए से पोसाक बनाएब।32ओहिके बीचमे ओकर मुंह खुजले रहए देबै जे पुजारी ओहिबाटे अपन मूड़ी घुसियाब सकैक। ओहि खुजल मुंह के निकस तुरपाई क देबै जे ई पट्टा कालर वस्त्रके फाट स बचबैक।33ओहि पोसाक के नीचा चारुभर, अनारदाना जकां देखएबला सजावट बान्हि देबै। ओकरा नीला, बैगनी आ लाल धागा स बनाएब। आ अनारदाना सबके बीचमे सोनाके घन्टी बनाक सेहो लटकाक लगा देबै।34त एकरा एनाक' बनाएब एकटा सोनाके घन्टी, तब एकटा अनारदाना एहिनाक' दोहरा देबै पहिरनके नीचका भागके चारु दोख एहिनाक' होइक।35जहिया कखनो हारून अपन पुजारीके सेवाके लेल तम्बूमे रहल पवित्र स्थानमे हमर उपस्थितिमे आओत आ ओतएस जाएत, ओ एहि पोसाक के पहिरही चाही। हम ओ घन्टीसबके आवाज सुनबैक, आ एहिलेल जे यहोवा हुनका नहि मारितथि।36खोधएबला कारीगरसब सजावट शुद्ध सोनास बनाएब आ जेना चाप औंठी के खोधैत अछि, ई शब्दसब खोधि देबै, “यहोवाके लेल समर्पित”।37ई गहना फेंटा आगु नीला सीकरी स बान्हि देबै।38हारून एहि फेंटा के अपन माथपर सबदिन पहिरए एहिलेल जे इजराएलीसब हमरा, यहोवाके जे भेट चढ़ाएत से हम स्वीकार करबैक। यदि हमर चढ़ाएल चीजमे किछु गलती अछि त, लोकसबके बदला हारुने दोषी होएत।39मेही सूती स बनल एकटा भरिबहुंआ कमीज बुनिक देबै। फेंटा सेहो मेही सूतीए स बनाएब। डरकस के लुरिगर बुट्टा कारीगर कढ़ाइ क' क' बनाबए।40भरिबहुंआ कमीजसब, डरकससब, आ हारूनके बेटासबहक लेल टोपी सब बनाएब एहिलेल ओसब हमर आदर आ सुन्दरता प्रगट करए।41अहाँक भैया हारून आ ओकरा बेटासबके पहिरा दिऔ। ओकरासबके जैतूनके तेल उझैलक अभिषेक क' क' हमर पुजारी होअएलेल नियुक्त आ समर्पित करु।42ओकरासबके लेल सूतीके जंघियां बनाएब। जंघियां डांढ स ल क जांघ धरि होइक जे ओकर जनेन्द्रिय नहि देखाइक।43हारून आ ओकर बेटासब ई जंघियां सदिखन पहिरए जखन ओ पवित्र तम्बूमे वा पवित्र स्थानमे बलिदान चढ़ाबए वेदी लग आओत। जाहिस' ओ अपनाके नंगा करएके लेल मारल नहि जाएत। ओसब दोषी नहि होएत, आ ओसब नहि मरत। हारून आ ओकर घरमे सबटा पुरुषसब एहि नियमके पालन करए।
Bridge Connectivity Solutions Pvt. Ltd.