Exodus27

1यहोवा मूसाके आओर कहलथि, बबूरके काठस एकटा वेदी बनाएब। एहिके वर्गाकार बनाएब: अढ़ाइ मीटर लम्बा चारुकात आ डेढ़ मीटर उंच।2ओकर उपरका भागके चारु कोन्हपर एकटा सिंग जकां देखाइक तेहन बनाएब। वेदीए मे बनल सौंसे काठस ओहिके बनाएब। सौंसे वेदीके पीतरि स झांपि देबै।3एकर सबटा प्रयोगक पात्र पितरिके बनाएब। चर्बी जराएल राख बटोरए पात्रसब बनाएब, बेल्चासब वेदीपरस' छाउर सफा करएलेल, बट्टा सब, कांटसब माउस पकाबए काल उन्टाबलेल, आ सुनगल कोइला ल जाएलेल डोलसब।4सुनगल कोइला आ काठके पकडलेल पीतरिके जाली के झझरी बनाएब। ओकर चारु कोन्हपर पीतरिके कंड़ी बान्हि देबै।5ओहि झझरी के वेदीके नीचा रहल घेरबा के भीतर राखि देबै। एनाक एहिके बनाएब जे ई वेदीके भीतर उपरस आधा नीचा धरि रहैक।6वेदीके उठाबएलेल बाबुल के काठस किछु डन्टा बनाएब आ ओहिके पीतरि स मेढ़ देबै।7वेदीके दुनू कात रहल कंड़ी मे लगा देबै जे एहिके उठाक लजाए सकी।8वेदीके पटहा ल क बनाएब आ एहिके बीचमे धोइध बनाएब। ओसब एहिके एहि पहाड़पर जे निर्देशन देत छी ओहने बनाबए।9पवित्र तम्बूके चारुभर मेही सूती कपड़ास बनल आओर पर्दा सब बनाक अंगना बनाएब। दक्षिण दिस, पचास मिटरके पर्दा10ओहि परदासबके बीसटा पीतरिके खम्हासब मे टांगब। खम्हाक जैर के लेल बीसटा पीतरि आधार आ ओहिपर अकुसा के लेल चानीके फसौनासब बनाएब।11आ अंगनाके: उत्तर दिस सेहो एहने बीसटा पीतरिके आधारमे, अकुसा सब, आ फसौनासब मे, चानीके बीसटा खम्हामे पचास मिटरके पर्दा लटकाएब।12अंगनाके पश्चिम दिसस पचीस मीटर लम्बा एकटा पर्दा बनाएब। ओकरासबके दसटा खम्हा स चांड़ी लगाएब, प्रत्येक खम्हाके नीचामे आधार होइक।13आंगनके पूर्व दिस सेहो पचीस मीटर चौड़ा पर्दा होइक।14तीनटा आधार आ खम्हा लगाक, प्रवेशद्वारिके एक दिस साढ़े सात मीटर लम्बा एकटा पर्दा बनाएब।15तीनटा आधार आ खम्हा लगाक, प्रवेशद्वारिके दोसर दिस एकटा आओर साढ़े सात मीटर लम्बा पर्दा सेहो बनाएब।16आंगनके प्रवेशद्वारिके लेल मेहियाक बनल सूती कपड़ास बनल दस मीटर चौड़ा पर्दा बनाएब। लुरिगर कारीगर एहिमे नीला, बैगनी, आ लाल धागा स नीकस कढ़ाइ करबाक चाही। चारिटा खम्हाक सहयोग स एकरा लटका देबै, प्रत्येक खम्हाके नीचा एकटा आधार होइक।17अंगना भरिमे रहल सबटा खम्हासबके डोंरी चानीके होइक। अकुसा चानीस', आ आधार पीतरिस' बनाएब।18पूर्वी प्रवेश द्वारिस द्वारिके पश्चिमी छोर धरि, सौंसे अंगनाके पर्दाके पचास मीटर लम्बा आ पचीस मीटर चौड़ा, आ पर्दा जत मोड़ल होइक अढ़ाइ मीटर उंच पर्दा बनाएब। सबटा पर्दा मिहीन स बुनल सूती धागा स, आ नीचा रहनिहार आधार पीतरि स बनाएब।19पवित्र तम्बूके भीतर आ अंगनामे उपयोगमे आबएबला सब किछु जे सोना नहि बनल अछि, आ सबटा कांटी जे पवित्र तम्बूके सहयोग करैत अछि आ पर्दा जे अंगना बनबैत अछि से पीतरि स बानएब।20जैतून स निकलल गेल शुद्ध तेल इजराएलीसब कएलक आबए आदेश दिऔ, जे दिआ सर्वदा जरैत रहैक।21पवित्र तम्बूके बहरिया भागमे, पर्दाके बाहर जत गवाहीके सन्दूकके अछि, यहोवाके लेल हारून आ ओकर बेटासब ई ध्यान रखबाक चाही जे प्रत्येक राति, सांझस' ल' क' भोर धरि दिआ बरैत रहैक। इजराएलीसब ई विधि ओकरासबके भविष्यमे आबएबला पुस्तासब सेहो एहिके पालन करए।

Bridge Connectivity Solutions Pvt. Ltd.

https://app.library.bible/content/2acb82c33dca4c67