Exodus26

1पवित्र तम्बूके विषयमे यहोवा कहलथि, दसटा नमहर पर्दा ल' क' बनाएब जे मेहीस बांटल गेल सूती स बनल होइक। लुरिगर शिल्पकार नील रंग, बैगनी, आ लाल रंगके धागा लेबाक चाही आ ओहि पर्दासबके पांखि भेल जीव जकां देखाएबला कढाइ करए जे सन्दूकके उपर अछि।2प्रत्येक पर्दा साढ़े चौदह मीटर लम्बा आ दू मीटर चौड़ा बनाएब। सबके एके नापके होइक।3पांचटा पर्दाके एकसाथ सिदेबैक एक थान बनाबए, आ दोसर पांचटा पर्दाके एकसाथ सिदेबैक एकटा दोसर थान के रुपमे।4प्रत्येक थानक लेल, नीला रंगके वस्त्रस छोंरी बनाएब आ प्रत्येक पर्दा थान के खूंट मे, आ पर्दाके बहरिया छोर मे एहिके बान्हि देबै।5पहिन थान के खूंट पर पचासटा छोंरी लटकौना बनाएब, आ पचासटा छोंरी लटकौना दोसर पर्दा थानक खूंट मे बनाएब जाहि जे सबटा छोंरी लटकौना मुहामुही होइक।6सोनाके पचासटा अकुसा बनाएब आ पर्दाके दुनू थान के एक-दोसरके संगे बान्हि देबै जे एकटा पवित्र तम्बू बनि जाइक।7बकरीके केशस बनाएल गेल एगारहटा वस्त्रस पवित्र तम्बूके झांपएबला बनाएब।8ओ एगारहो वस्त्र ओतबे माप के होएबाक चाही: पन्द्रह मीटर लम्बा आ दू मीटर चौड़ा।9एहिमेस' पांचटा कपड़ाके एकसंग सियब एकटा टुक बनएबाक लेल, आ बांकी छह टा कपड़ाके एकसंग सियब दोसर टुक बनएबाक लेल। छठ्म कपड़ाक टुकड़ाके आधा मे मोड़ि दिऔ जाहिस' ओ आवरणक आगुके भागपर दोबर भ' जाइक।10नील रंगके कपड़ाक एक सय गेठरी, बनाउ आ ओहिमेस' पचासटाके एक थान बाहरी किनहेरिपर बान्हब आ पचासटाके दोसर थानक बाहरी किनहेरिपर बान्हब।11पचासटा पीतरिके अंकुसासब बनाक आ ओहि अकुसा के गेठरी मे जोड़एलेल बान्हि दिऔ, एहिलेल जे ओसब एकेटा भ जाइक।12तम्बूके झंपनाबला बेसियहवा भाग, आधा भाग जे सूती वस्त्रस बाहर अछि, पवित्र तम्बूके पछिला भागमे लटकैक।13झंपनाके प्रत्येक किनारके आधा मीटर बेसियहवा, सूती कपड़ाके बाहर भेल भाग, सब दिसके किनहेरिमे सुरक्षित करए पवित्र तम्बूके दुनू कात लटकए देबै।14लाल रंगल भेंड़के खालस' बनल तम्बूके दोसर तह उपरस' जाए देबै, आ उपरके झंपनाके लेल सीलके नीक खाल।15तम्बूक ढांचा ठाढ़ करए लेल बबूरक काठके पटहा बनाएब।16प्रत्येक पटहा पांच मीटर लम्बा आ पओने मीटर चौड़ा होएबाक चाही।17प्रत्येक पटहा के ठोकलेल नीचामे दूटा चूड़ बनाएब जे ओहिके संगे जोड़ी दैक। वासस्थानक प्रत्येक ढांचाके एहि तरहे बनाएब।18पवित्र तम्बूके दक्षिण दिसके लेल बीसटा ढांचा बनाएब।19बिसो चानीके ढांचाके नीचामे जाएबला चालीस गो आधार बनाएब। प्रत्येक ढांचाके नीचा दूटा आधार ध देबै आ दुनू चुड़के आधारमे ठोकि देबै।20दोसर दिसके लेल — ई अछि, पवित्र तम्बूके — उत्तर दिस बीस गो ढांचा21आ ओकरालेल चालिसटा चानीके आधार बनाएब। प्रत्येक ढांचाके नीचा दूटा आधार राखि देबै।22पवित्र तम्बूके पाछु भागके लेल, पश्चिम दिसस छओटा ढांचा बनाएब।23पवित्र तम्बूके पछिला कोन्ह के लेल दूटा ढांचा बनाएब।24उपरस नीचा धरि ओकरासबके मिला देबै। एकटा घेरा द क छतके सुरक्षित करब। ओकरासबके कोन्हबला भाग बनाबए, ई दुनूके लेल करब।25आठ गो ढांचा आ सोलह गो चानीके आधार, दूटा आधार प्रत्येक ढांचाके नीचा होइक से बनाएब।26बाबुल के काठस जाफरी बनाएब। पांचटा जाफरी पवित्र तम्बूके उत्तर दिसके ढांचाके लेल बनाएब,27पांचटा जाफरी पवित्र तम्बूके दक्षिण दिसके ढांचाके लेल बनाएब, आ पांचगो जाफरी पवित्र तम्बूके दोसर भाग पछिलुके भाग, पश्चिम दिसके लेल बनाएब।28मध्यके जाफरी, ढांचाके ठीक बीचमे होअए चाही जे एक छोरस' दोसर छोरके छुअए।29ढांचाके आ जाफरी के सोनास मेढ़ देबै। ढांचाके आ जाफरी के बान्हएलेल कंड़ी सोनास बनाएब।30एहि पहाड़पर हम देखओने नमूना अनुसार पवित्र तम्बू बनाएब।31पर्दासबके मेही सूतीके कपड़ास बनाएब। एकटा लुरिगर कारीगर एहिके नीला रंग, बैगनी, आ लाल धागा स एहिके कढ़ाइ करए जे पंखिबला जीव जकां लगैक जे उपर पवित्र सन्दूकपर अछि।32बबूरक काठस बनल चारिटा सोना मेढ़ल खुटा मे सोनाके अकुसा स पर्दाके टांगि देबै। प्रत्येक खुटा के चानीके आधार पर ठाढ़ होइक।33पवित्र तम्बूके चारमे लगाओल गेल बन्हनामे पर्दाके टांगि देबै। पर्दाके पाछु गवाहीके सन्दूकके ध' देबै। ई पर्दा पवित्र स्थानस महा-पवित्रस्थानके अलग करत।34महा-पवित्रस्थानमे गवाहीके सन्दूकके उपर ढकना ध' देबै।35परदाके दोसर दिस टेबुल आ दिहैटके एक-दोसरके सोझा सामने ध' देबै। पवित्र तम्बूके दक्षिण दिस दिहैट ध' देबै, आ उत्तर दिस पवित्र रोटीके लेल टेबुल राखि देबै। 36तम्बूके प्रवेश मे पर्दा लगा देबै। शुद्ध सूती कपड़ास एहिके कोनो लुरिगर कारीगर नीला, बैगनी, आ लाल धागा स कढ़ाइ क' क' बनाबए।37एहि पर्दाके अटकाबलेल, बाबुल के काठस पांचटा खुटा बनाएब। एहिसबके सोना मेढ़ देबै आ ओहिपर सोनाके कंड़ी होइक। ई प्रत्येक खुटा के लेल पीतरिके आधार बानएब।

Bridge Connectivity Solutions Pvt. Ltd.

https://app.library.bible/content/2acb82c33dca4c67