Exodus25
1यहोवा मूसाके आओर आगु कहलखिन,2इजराएली लोकसबके कहियौ जे सब केओ चाहैत अछि से हमरा भेटी देब सकैत छी। अहाँ ओकरासबस हमरालेल भेट स्वीकार करब।3एहन भेट अहाँ हमरालेल ओकरासबस जम्मा क सकैत छी: सोना, चानी, पीतरि,4रंगल वस्त्र नील, रंगल वस्त्र बैगनी, रंगल वस्त्र चमकौआ लाल, शुद्ध मलमल, बकरी केशस बनल वस्त्र,5लाल रंगल भेंड़के छाला, सीलके छाला , बबूर गाछक मजगूत काठ,6दिआ जराबएलेल जैतूनक तेल, पुजारीके अभिषेक करएलेल तेलमे मिलाबए लेल मसल्ला, आ गमकौवा धुपमे मिलाबए लेल मसल्ला,7अनिक्क्स सुलेमानी पत्थल आ आओर कीमती पत्थल जे पुजारीके पवित्र पहिरणमे बान्हि सकी आ ओ विशेष परिहन जे छातीपर पहिरल जाइत अछि। 8लोकसब हमरालेल पवित्र स्थान बनाबए जाहिस जे हम ओकरासबहक बीचमे रहि सकी।9ओसब हमरालेल तम्बू अवश्य बनाएब आ ओहिके भीतर प्रयोग हुअएबला सब किछु ओसब ओहि योजना अनुसार ठीक ओहिना बनाबएके चाही जे हम अहाँके देखाएब।10ओसब बाबुल के काठस एकटा पवित्र सन्दूक बनाबए। ओसब एहिके 125 सेंटीमीटर लम्बा, 75 सेंटीमीटर चौड़ा, 75 सेंटीमिटर उंच बनाबए।11सन्दूकके बाहर आ भीतर शुद्ध सोना स चारुदिस मोड़बाएब।12सोनास चारिटा कंड़ी बनाक, आ सन्दूकके चारु पौवामे बान्हि देबै। दूटा कंड़ी सन्दूकके दुनू दिस लगा देबै।13बबूरक काठस दूटा डंडा बनाएब, आ ओहिके सोनास मेढ़ि देबै।14डंडाके दुनू कात रहल कंड़ी मे घुसिया देबै जे डंडा क सहयोग स सन्दूकके लेवीसब लजाए सकैक।15ओहि डंडाके फसौनाके कंड़ीएमे छोड़ि देबै; डंडाके सन्दूकमेस' नहि निकालब।16हम जे अहाँके दैत छी से, आ गवाहीके शिलापाटी जाहिमे दूटा चौरगर पत्थलपर दस आज्ञा लिखल अछि से ओहि सन्दूक भीतरमे ध देबै।17शुद्ध सोनास सन्दूकपर कृपा आसन बनाएब। ई 125 सेंटीमीटर लम्बा आ 75 सेंटीमीटर चौड़ा होएबाक चाही।18ढक्कनके दुनू दिस रहल दूटा करुबसब सोनाके पिटक' बनाएब। 19पवित्र सन्दूकके ढकना प्रत्येक छोर मे दूटा पांखिबला जीव सोनास बनाएब, एकटा एक दिस आ दोसर दिस।20ओहि करुबसबके पांखि पसारि आ ढक्कनके झांपएलेल पहुंचैत होएबाक चाही। ओसब एक-दोसरके सोझा सामने होइक, ओकरासबहक बीचमे जे ढकना अछि ताहि दिस घुमल होएबाक चाही।21हम जे गवाहीके व्यवस्थाके दूटा शीलापाटी अहाँके दैत छी से ओहि पवित्र सन्दूकके भीतर ध देबै। तेकरबाद ओहि सन्दूकके उपरस ढकना लगा देबै।22हम अहाँसंगे बात करबाक समय ओहि ठाम मिलाएब। हम अहाँके हमर सबटा आदेश कहब जे अहाँके इजराएलीसबके आदेश देबै ओहि पवित्र सन्दूकके ढकना मे स, जे दूटा पांखिबला जीवक बीच जे पवित्र सन्दूकके उपर अछि जाहिमे हमर गवाहीके व्यवस्था अछि।23बबूरक काठस एकटा टेबुल बनाएब। इहो एक मीटर लम्बा होएबाक चाही, आधा मीटर चौड़ा, आ पओने मीटर उंच होएबाक चाही।24ओहि टेबुलके शुद्ध सोनास मेढ़ि देबै आ ओहिके चारुदिस सोनाके बिट लगा देबै।25ओहिके चारुदिस घेरबा बनाएब, आठ सेंटीमीटर चौड़ा , आ ओहि घेरबा के चारुदिस सोनास मेढ़ देबै।26चारिटा सोनाके कंड़ी बनाएब। ओहि चारु कंड़ी के टेबुलके चारु कोन्हपर बान्हि देबै। प्रत्येक कंड़ी टेबुलके प्रत्येक पौवा के लगमे होएबाक चाही27घेरबा के लगमे। ईसब टेबुलके ढोएलेल डंडा घुसियाब लेल अछि।28बबूरके काठस दूटा लाठी बनाएब आ ओहि लाठीमे सोना मेढ़ देबै। टेबुल उठाबलेल एहिके उपयोग करब।29पुजारीसब हमरालेल दाखमद्य चढ़एबाक उपयोग करएलेल थारी, बाटी, कटोरा, आ घैला सब सेहो शुद्ध सोनास' बनाएब।30सदिखन ओहि टेबुलपर हमरालेल पवित्र रोटी चढ़ाउ। 31शुद्ध सोनास एकटा दिहैट बनाएब। सोनाके एकटा नमहर इंटाके पिटक ओहि आधार आ पकडबला बनाएब। फूलबला कटोरीसब, कली आ फूलसब जे ओकरा सजबैत होइक, ओहि एकेटा सोनाके इंटा स बनाएब।32दिहैट मे छवोटा डांड़ि होइक, आधारके एक दिस तीनटा आ तीनटा दोसर दिस।33प्रत्येक डांड़िमे तीनटा सोनाके कटोरा होइक जे ओहिपर बादाम के फूल जकां लगैक। ओहि फूल मे कली आ पत्ता सब होइक। ई दिहैट छी डांड़िमे ओहने करब।34दिहैट आधार पर चारिटा कटोरा होएबाक चाही जे सेहो बादाम के फूल जकां देखाइक, प्रत्येक कली आ पत्ता होएबाक चाही।35प्रत्येक दूटा डांड़ि के नीचामे एकटा फूल होइक। प्रत्येक जोड़ा डांड़िमे साटल होएबाक चाही जेना ईसब ओहिमेस बढ़ैत होइक। दिहैटके छओ डांड़ि के एहिना बनाएब।36ईसब डांड़ि आ कली के पिटक बनाएब, आधार सहित, शुद्ध सोनाके एकेटा नमहर इंटा स बनाएब।37सातटा दिआ बनाक' आ ओहि दिहैटपर राखि देबै जाहिस' ओ दिहैटके सामनेके जगहके इजोत करए।38शुद्ध सोनास चिमटा सब जरल बथियर निकालएलेल, आ थारी जरल बथियर धरएलेल बनाएब।39 पैंतीस किलो शुद्ध सोनास दिहैट, चिमटा, आ थारीसब बनाएब।40ई चीजसब एहि पहाड़पर हम अहाँके निर्देशन द' रहल अनुसार बनाबए।
Bridge Connectivity Solutions Pvt. Ltd.