Exodus24
1तब यहोवा मूसाके आओर कहलखिन। “अहाँ आ हारून आ ओकर बेटासब नादाब, आ अबीहूके हमरालग एहि पहाड़के उपर आउ। इजराएलीके सतरिटा आओर धर्मगुरुसबके सेहो ल' लेब। अहाँ सबगोटे कनिक उचित दूरेस आराधना करब।2मूसा, अहाँ मात्र हम, यहोवा लग एसगरे आएब, आ आओर लोकसब अहाँसंगे पहाड़पर नहि आबैक।”3मूसा जा क लोकसबके ओ सबकिछु कहि देलक जे यहोवा ओकरा कहने छलथि आ जे ओ ओकरा आदेश देने छलथि। आ सबकेओ एकबेर संगे ई कहि, उत्तर देलक, “हमसब ओहने करब जे यहोवा हमरासबके करएलेल कहने छथि।”4तब यहोवा कहने सबटा आदेश लिखलक। मूसा दोसर दिन भोरे उठल आ ओहि पहाड़के नीचा एकटा वेदी बनौलक। ओ बारहटा पत्थल सेहो धएलनि, प्रत्येक इजराएली कुलके लेल एकटा।5तब मूसा किछु इजराएली जवानसबके यहोवाके लेल होमबलि आ यहोवासंग मित्रता के प्रतिज्ञा लेल चढ़ाबएलेल बच्छासबके बलिदान करए पठौलक।6मूसा बलि कएल गेल जानबरके आधा लेहू लेलक आ वर्तनमे धएलनि। बांकी आधा लेहू ओहि वेदीपर छिट देलक।7तब ओ चर्म पत्रमे यहोवा कहने सबटा आदेश लिखने छल से जोर-जोरस' पढ़लनि आ सब केओ एक-दोसरसंग करार करैत छल जे सबलोक सुनि सकैक। तब सबगोटे कहलक, “हमसब सब किछु करब जे यहोवा हमरासबके करए कहने छथि। हमसब सब किछु पालन करब।”8तब मूसा लेहू ल क जे ओहि वर्तनमे छल लोकसबपर छिट देलक। ओ कहलक, “ई ओहे लेहू अछि जे निश्चित करैत अछि जे यहोवा अहाँसबहक संग सहमत छथि — जे अहाँसब अखिने सुनलहुं आ जाहिपर सहमती देलहुं।” 9तब मूसा आ हारून नादाब, अबीहू, आ सतरिटा इजराएली धर्मगुरुसबके संग उपर पहाड़पर गेलनि,10आ ओसब परमेश्वरके देखलक, जेकरा इजराएलीसब आराधना करैत अछि। हुनक पयरक तर नीला पत्थलस बनल एकटा इंटाके चपुतरा जकां रहैक जेकरा नीलम कहैत अछि। ओसब बिना बादलके आकाश जकां साफ छल।11परमेश्वर ओहि इजराएली धर्मगुरुसबके किछु हानि करएलेल अपन हाथ ओकरासबपर नहि रखलथिओसब हुनका देख लेलक तइयो। ओसब परमेश्वरके देखलक, आ ओसब संगे खएलक आ पीबलक।12तब यहोवा मूसाके कहलखिन, “एहि पहाड़के उपर हमरालग आउ आ ओतए प्रतीक्षा करु। हम अहाँके शिलापाटी देब, हमर व्यवस्था, आ हमरा आदेशसब, सब किछु जे हम ओहिमे लिखने छी जे अहाँ लोकसबके सिखाबि सकी।”13तब मूसा अपन सहयोगी यहोशू संगे यात्राके लेल तैयार भेलनि। ओ कनिके दूर पहाड़पर गेल जत परमेश्वर छलथि।14मूसा धर्मगुरुसबके कहलकनि, “हमसब घुरिक' नहि आबए धरि अहाँसब एतहि रहू। अहाँसब नहि बिसरब जे हारून आ हूर अहाँसबके संगे रहत, एहिलेल जे अहाँसबमे पड़ोसी संग जं हम चलि गेल होइक कोनो विवाद होइक, ओ ओकरासबलग जाए सकैत अछि आ ओसब ओहिके फैसला करत।”15तब मूसा बांकी यात्रामे पहाड़पर चलि गेल, आ पहाड़के बादल झांपि देलक।16यहोवाके महिमा ओहि सीनै पहाड़पर उतरिक आएल आ बादल ओहि पहाड़के छ दिन धरि झंपने रहि गेल। सातम दिन, यहोवा मूसाके बादलके बीचस बजौलखिन।17इजराएलीसबके लेल, ओहि पहाड़पर यहोवाके महिमा आगि जकां बुझाइक।18मूसा मेघमे भ क पहाड़के उपर गेल आ ओ ओतए चालीस दिन आ चालीस राति रहलैक।
Bridge Connectivity Solutions Pvt. Ltd.