Exodus23
1अदालतमे झूठ गवाही नहि दिऔ। कोनो दुष्ट मनुष्यके झूठ गवाही द क मदति नहि करु।2जे किछु दुष्टकाज करबाक योजना बनाबए ताहि समूहमे नहि जुड़ब। ओकरे जेहन झूठ अहाँसब नहि बाजू जे एहिस न्यायाधीशके फैसला करएमे मुस्किल होइक।3अदालतमे केओ गरीब अछि ताहिके लेल अहाँ दोसर पक्ष नहि ल लेबैक।4यदि अहाँ केकरो बैल वा गदहाके खुज्जा ओहने घुमैत देखबै, त ओकरा एकर मालिक लग ल जैयौ ओकर मालिक अहाँके शत्रुए किएक नहि रहैक।5यदि अहाँ केकरो गदहाके बेसी भारी के कारण खसल देखलिऐ, गदहाके फेरुस' उठाबएमे ओकर मालिकके मदति निश्चय करियौ ओ अहाँके घृणा करएबला किएक नहि होइक।6कोनो आओर लोकके मुद्दा फैसला करैत छी त' गरीब लोकसबके मुद्दा सेहो फैसला क' दिऔ जेकर मुद्दा अदालतमे चलैत होइक।7केकरो धोखा नहि दिऔ। दोष रहित वा धर्मी लोकके नहि मारियौ, किएक त हम ओ दुष्ट लोकनिक अछि से नहि कहब।8घुस नहि लियौक, किएक त नीक न्यायाधीश जे घुस लैत अछि से बुद्धिमानीस फैसला नहि क सकैत अछि, आ जे ठीक अछि ओकरा विरुद्ध अन्यायपूर्ण फैसला करैत अछि। 9अहाँसबहक बीचमे रहनिहार परदेशीके दुर्व्यवहार नहि करियौन। अहाँसबके जानकारी अछि जे परदेशीके की अनुभव की होइत अछि, किएक त अहाँसब मिस्रमे परदेशी जेहन रहिचुकल छी।10छ साल धरि, अहाँसब अपन जमीनमे बालीनाली लगाउ आ कटनी करु।11मुदा सातम साल अहाँसब ओहि जमीनके परते छोड़ि देबै। एहिमे जे किछु अपने उपजैक अहाँक देशमे भेल गरीब लोकसब खाए। जे किछु बांचि जएतैक से जंगली जानबर खाए। ओहिना अहाँ अपन अंगूर बगान आ जैतूनके गाछसब संग सेहो करब।12अहाँसब हप्तामे छओ दिन काज करब, मुदा सातम दिन अहाँसब विश्राम करब आ कोनो काज नहि करब। एना एहिलेल करु जे अहाँक बैल आ गदहासब सेहो विश्रामक सकैक। विश्रामक दिन अहाँके दाससब आ परदेशीसबके चंगा क देत जे अहाँसबहक बीचमे रहैत होइक।13अहाँ ई निश्चित करु जे जे किछु अहाँसबके करबाक लेल हम आदेश देने छी से सब किछु अहाँ पालन करब। दोसर देवतासब संग प्रार्थना नहि करु। ओकरासबहक नामो नहि लिअ।14प्रत्येक साल तीनबेर हमर आदरमे यात्रा करब :15अखमीरी रोटीके पर्व हम जेना कहने अनुसार मनाएब: अवीव महिनामे सात दिनधरि अहाँसब अखमीरी रोटी खाएब। हम ई समय एहिलेल चुनने छी किएक त ई ओएह महिना रहैक जहिया अहाँसब मिस्रस निकलि आएल रही। बिना भेटी हमरा आराधना करए नहि आएब।16दोसर उत्सव अछि वसंत मे कटनी उत्सव। अहाँसब रोपने बालिके पहिन फल एहि उत्सवमे अहाँ हमरा चढाएब। तेसर उत्सव अछि कटनीके समापन के उत्सव। अहाँसब जे किछु रोपने छी से सबटा कटनी भ गेलाकबाद, ई साल क अन्त मे होएत।17तीनबेर प्रत्येक साल, सब पुरुषसब एकसाथ प्रभु यहोवा, हमर आराधना करबाक लेल अवश्य एकट्ठा होएब।18खमीर धएल रोटी आ जानबरक लहुके संगे बलिदान नहि चढ़ाएब। हमरा उत्सवमे चढ़ाएल गेल बलिदानमे के चर्वी के काल्हि धरि राखब। नीकस जरा देब।19प्रत्येक साल, जं अहाँसब बालि कटनी करैत छी, पहिन काटल गेल बालीमेस उत्तम भाग ल क, हमरा आराधना करएबला स्थानमे जाउ, आ यहोवा अहाँक परमेश्वर, हमरा दिअ। पठरुके जं अहाँ मारब, ओकर मायके दूध मे उधियाक नहि पकाएब।20देखू! अहाँसबके यात्रा करएलेल सुरक्षा प्रदान करए आ ओतए धरि अगुवाइ करएलेल जे स्थान हम अहाँसबके लेल तैयार कएने छी हम अहाँके आगु एकटा स्वर्गदूत पठाबि रहल छी।21हुनका आदर आ आज्ञापालन करु। हुनका क्रोधित नहि बनबियौ, किएक त ओ अहाँक पाप क्षमा नहि करथिन, किएक त हम हुनका पूर्ण अधिकार देने छी आ उपस्थिति हुनकामे अछि। 22मुदा यदि हुनक आज्ञा नीकस पालन करैत छी आ हम कहने ओ सबटा बात अहाँसब पालन करैत छी, त हम अहाँके शत्रु आ बिरोधी सबहक संग युद्ध करब।23तब हमर दूत अहाँक आगु जाएत आ अहाँसबके जत एमोरी, हित्ती, परिज्जी, कनानी, हिब्बी, आ यबूसी लोकसब रहैत अछि ओतए ल' क' जाएत आ हम ओकरासबस पूर्णरुपमे छुटकारा दियाएब। 24ओकरासबके देवतासबके आगु नहि निहुरु ने ओकरा आराधना करु। ओहन किछु नहि करु जे ओसब सोंचैत अछि जे ओकरा देवता करए कहैत अछि करैत अछि। बल्कि, ओकरासबहक देवताके नाश क देबै आ ओकरासबहक पवित्र पत्थलके चकनाचूर क देबै।25अहाँ हमरा, यहोवा अहाँक परमेश्वरके अवश्य आराधना करब। यदि अहाँ ई करब त, हम अहाँके भोजन आ जलके आशीष, आ हम अहाँके बेमारी होबएस बचाएब।26अहाँक देशमे कोनो स्त्री बांझ नहि होएत आ केकरो गर्भपतन नहि होएत। हम अहाँसबके बेसी दिन जीव योग्य बनाएब।27अहाँक आगु हम जाएब आ जेकरा देशमे अहाँसब जाएत छी ओकरासबके भ्रमित आ आतंकित क देब। जं अहाँ अपन शत्रु संगे युद्ध करब, हम ओकरासबके अहाँलगस भगा देब।28अहाँसबके आगु पचोहिया पठा देब जे हिब्बी, कनानी, आ हित्ती जातिसबके अहाँक देशस' भगा देतैक। 29एक साल स कम समयमे ओकरासबके हटा देब। यदि हम एना करैत छी त, अहाँक देश निर्जन भ जाएत, आ तब ओतए बहुते जंगली जानवरसब आबि जाएत आ अहाँसबके आक्रमण करत।30हम एहि जातिसबके रसे-रसे भगाएब, एक बेरमे कनिए गोटेके, जाधरि अहाँके लोकसब बढ़ि नहि जाए आ अहाँसब देशमे सब स्थानमे रहए योग्य नहि होबए धरि।31हम अहाँके देशके सीमा लाल समुद्रस दक्षिण पूर्व स ल क उत्तर-पश्चिममे भूमध्य सागर दिस पलिश्ती धरि, आ सीनैके दक्षिण-पश्चिममे सीनैके मरुभूमि स महानदीयुफ्रेटीस उत्तर पुरुबधरि। ओतए रहनिहार लोकसबके भगाबए वला सामर्थ्य हम अहाँके देब, जहिना अहाँसब देशके अधीन करब ओकरासबके भगा देब।32अहाँसब ओकरासबहक संग आ ओकरासबहक देवतासब संग कोनो सहमती नहि करब।33ओहि लोकसबके अहाँक देशमे नहि रहए देब, एहिलेल जे ओसब अहाँसबके मूर्तिपूजाके जालमे फंसि जाएब आ ओकर देवतासबके आराधना क' क' हमरा विरुद्ध पाप करब।
Bridge Connectivity Solutions Pvt. Ltd.