Exodus22

1यदि केओ हेंड़के बैल वा भेंड़ चोरबैक आ तब ओकर मारि दैक वा बेचि लेथि, ओ चोरौने बैलक बदलामे ओहि मालिकके पांचटा बैल वा गाइ दैक, आ ओ चोरौने भेंड़के बदला चारिटा भेंड़ वा बकरी दैक।2यदि केओ रातिमे कोनो चोरके अपन घरमे सैन कटैत पकड़ि लेलक आ ओकरा पिटलक आ ओ चोर मरि गेल, त ओ हत्याके दोषी नहि अछि।3मुदा यदि ई दिनमे भेल होइक, त ओहि चोरके मारनिहार से ओकर हत्याके दोषी अछि। ओ चोर जे चोरौने अछि तेकर भुक्तानी करहीके पड़तैक। यदि ओहि चोर लग ओ चोरौने चीजक लेल भुक्तानी करबाक लेल किछु नहि अछि, त न्याय करएबला ओकरा दास बनएलेल बेचि दैक, आ ओकरा बेचलास' आएल रुपैयास चोरौने वस्तु लेल भुक्तानी कएल जाए।4यदि चोर घटने स्थलपर पकड़ाएल आ ओकरा लग चोरी कएने चीज प्राप्त भेल अवस्थामे, यदि ओ बैल वा गदहा वा भेंड़ अछि आ ई जीविते अछि, त ओहि चोरके चोरी कएल गेल मालजाल घुरा देबएके चाही आ एकटा आओर ओहने जानबर ओकर मालिकके सेहो देबएके चाही।5यदि केओ अपन मालजाल अपन खेतमे वा अंगूर बगानमे चरएलेल छोड़ि देलक, आ ओ अपन मालजालके दोसर गोटेके खेतमे चर लेल अनेरे छोड़ि दैक, त मालजालक मालिक खेत चरल गिरहत के अपन सबस नीक खेत वा अंगूर बगानके उपजा द क भुक्तान भरैक।6यदि केओ आगि लगा दैक, आ ई घास होइत केकरो खेत धरि पहुंच जाइक, आ लगाओल गेल बालि वा जे बालि काटि क लगौने टाल मे ओ आगि लागिक जैर जाइक, तब बालि नाश भेल गिरहत के जे व्यक्ति आगि लगौने छल तेकरा भुक्तानी करहीटा पड़तैक।7मानि लिअ केओ कोनो व्यक्तिके किछु रुपैया वा कोनो समान देलक आ कहलक जे अपन घरमे किछु समयके लेल राखि दिअ। आ मानि लिअ जे ओकरा घरमेस' चोर ओहिके चोरा लेथि। यदि चोर पकड़ा गेल, त' जतेक ओ चोरौलक ओहिके दोबर बेसी ओहि चोरस' तिराएल जाए।
8मुदा यदि चोरके केओ नहि पकड़लक, त अहाँ ओहि घरके मालिकके परमेश्वरके घरमे ल क आएब एहिलेल जे ओ किरिया खा सकैक अपन पड़ोसीके समान नहि लेने अछि।9जं कखनो केओ दाबी करए जे ओकर पड़ोसी ओकरासंगे गलत कएलक आ कहए, “ई वास्तवमे हमर अछि”, बैल, गदहा, भेंड़, वस्त्र वा कोनो आन चीज जे ओ हेरालेने छल, ओ दुनूगोटे आबैक आ परमेश्वरके आगु ठाढ़ होइक। जेकरा परमेश्वर कहए जे ओ गलत अछि त ओहि समानके दोबर दोसर व्यक्तिके भुक्तान करए।10मानिलिअ केओ अपन गदहा वा बैल वा भेंड़ वा कोनो आओर जानबर केकरो दैक आ ओकरा कहए जे किछु देर एहिके कनिक देखबै। आ, ओ जानबर मरि गेल, वा कनिक घाव लागि गेल वा केओ नहि देखैत काल ओकरा ल गेल।11तब ओ व्यक्ति जे मालजालके रखबारी करैत छल यहोवाके उपस्थितिमे किरिया खाउक, ई जानि जे यहोवा सुनि रहल छथि, जे ओ वस्तु ओ नहि चोरौने अछि। मालक मालिक ई स्वीकार करए जे ई व्यक्ति सांचे कहैत अछि, आ तब ओहि व्यक्तिके मालक मालिकके किछु नहि भुक्तानी करए पड़त।12मुदा केओ व्यक्तिके रखबारी करबाक बदला ओहि मालजालके चोरा लेथि, तब जे व्यक्ति रखबारी करबाक प्रतिज्ञा कएने छल से मालक मालिकके भुक्तानी करौक।13यदि कोनो जंगली जानबर ओहि मालके आक्रमण क क क्षत विक्षत क देने होइक, त जे किछु बांचल भाग अछि से ल क आबैक ई प्रमाणित करए जे ई सत्य अछि। यदि ओ एना करैत अछि, त ओहि क्षत विक्षत कएल गेल मालके लेल ओकरा किछु नहि भुक्तानी करए पड़त।14यदि केओ अपन पड़ोसीस कोनो जानबर पैंचा मंगलक, आ ओहिके केओ मारलक वा घाहिल बनौलक जखन ओकर मालिक ओतए नहि रहए, त जे ओकर पैंचा ल गेल छल से ओकर मालिकके भुक्तानी करौक।15मुदा यदि जखन जानबरक मालिक ओतए उपस्थित समय एना होइक, तब जे पैंचा ल गेल रहए तेकरा किछु नहि भुक्तानी करए पड़त। यदि केओ ओहिके भाड़ा मे ल गेल रहैक, त जे रुपैया ओ भाड़ा देने रहैक से ओहि घायल वा मरल जानबरके भुक्तानीके लेल पर्याप्त अछि।16यदि कोनो मनुष्य कोनो कुमारि लड़कीके फुसला लेथि जेकर बाबु केकरो दुलहीन बनएलेल देबएके प्रतिज्ञा नहि कएने होइक, ओ ओकरालेल दुलहीन के मोल तिरैक आ ओकरासंगे विवाह करए।17मुदा यदि ओकर बाबु ओकरासंगे विवाह करबाक अनुमति नहि दैक, ओकरा तइयो लड़कीके बाबुके भुक्तानी करए जुटल कुमारि संग विवाह करबाक मोल होइक।18जे कोनो स्त्री तंत्रमन्त्र अभ्यास करए तेकरा अहाँसब मारिए देब।19जे केओ कोनो जानबर संग यौन सम्बन्ध करए तेकरा अहाँसब मारिए देब।20जे केओ यहोवा छोड़ि कोनो आओर देवताके बलिदान चढ़ाबए तेकरा अहाँसब मारिए देब।21परदेशीके अहाँसब दुर्वचन नहि कहबनि वा ओकरा दास नहि बनएबैक, किएक त अहाँसब मिस्रमे परदेशी रही।22कोनो अनाथसब वा विधवासबके दुर्व्यवहार नहि करबैक।23यदि अहाँ ओकरासबके दुर्व्यवहार करबैक आ ओसब हमरास' सहायता मांगत, हम ओकरासबके मदति करबैक।24किएक त हम अहाँसबसंगे क्रोधित भ जाएब, हम अहाँके युद्धमे मरबादेब। अहाँसबके पत्नीसब विधवा भ जाएत, आ अहाँसबके बालबच्चासब अनाथ भ जाएत।25कोनो गरीबके रुपैया अहाँ उधार देलिऐ, ओहि रुपैयाके ब्याज देब साहूकार जकां व्यवहार नहि करियौन।26यदि अहाँ ओकरास वस्त्र बन्हकी के लेल उतरबा लैत छी, त सूर्यास्त स पहिने घुरा देब,27किएक त ओकरा सुतबाक लेल अपन देह झांपएलेल एकमात्र चीज अछि ओकर वस्त्र। जं ओ एहि विषयमे हमरालग शिकाति करए, हम ओकरा मदति कराबिक लिअएक त हम कृपालु छी।28परमेश्वरके निन्दा नहि करबैक, आ अहाँक लोकसबके शासकके उपर सराप नहि मंगियौक।29अहाँ उपजा करएबला जैतूनके तेल वा दाखमद्यके उत्तम भग हमरास नहि नुकाउ। अहाँसब अपन पहिन जनमल बेटासबके हमरा देब।30ओहने, अहाँक गाइ-बैल आ भेंड़के हुंजके पहिन जनमल मरदन्ना हमर अछि। एहन बच्चा जनमलाके वाद, सात दिनधरि ओकर मायके संग रहए दिऔ। अठाम दिन अहाँसब ओकरा हमरा बलिदानक लेल द' देब।31अहाँसब हमर अलग कएल गेल पवित्र लोक छी, एहिलेल अहाँसब जंगली जानबर मारने कोनो जानबरके माउस नहि खाएब। बल्कि, ओकरा कुकुर खाएलेल फेक देबै।

Bridge Connectivity Solutions Pvt. Ltd.

https://app.library.bible/content/2acb82c33dca4c67