Exodus21

1यहोवा मूसाके कहलथि, इहे व्यवस्थासब जे अहाँक इजराएली जातिके लेल स्थापित करब:2जं अहाँ इब्रानी दास खरीदि, ओ अपन मालिकके सात साल धरि मात्र सेवा करए। सातम साल अहाँसब ओकरा अहाँक दास बनएस स्वतन्त्र कइए देब, आ ओकरा अहाँसब स्वतन्त्र करबाक खातिर किछु देबाक आवश्यक नहि अछि।3यदि ओ एसगरे अहाँक दास बनैक, अहाँ ओकरा एसगरे स्वतन्त्र करबए। मुदा यदि ओकर पत्नी सेहो होइक, अहाँसब ओकरा आ ओकरा पति पत्नी दुनूगोटेके स्वतन्त्र क देब।4यदि ओहि दासके मालिक ओकरा पत्नी दैक, आ ओ बेटा आ बेटीसब जनमबैक, जं ओकरा पति दास रहैक, अहाँक के ओहि मनुष्यके मात्र स्वतन्त्र करएके अछि। ओकर पत्नी आ धियापुतासब ओहि मालिकके दास बनले रहत।5मुदा जहिया दासके स्वतन्त्र करबाक समय होइक यदि ओ दास स्पष्टे कहए: “हमरा अपन मालिक आ अपन पत्नी आ धियापुताके माया लगैए, आ हम स्वतन्त्र होबए नहि चाहैत छी”,6तब ओकर मालिक ओकरा ओहि स्थानमे ल क जाइक जत ओसब परमेश्वरके आराधना करैत अछि। ओतए ओ दासके दरबाजा वा चौकठिके आगु ठाढ़ कराबौक। तब ओ मालिक एकटा टकुवारी ल क दासके कानमे भूंड़ करए आ ओ ओहि दासके आजीवन मालिक रहतैक।7यदि कोनो मनुष्य अपन बेटीके दास होबएलेल बेचैत अछि, त ओ पुरुष दाससब जकां स्वतन्त्र नहि कएल जाए चाही।8यदि ओ मनुष्य जे ओकरा खरीदने छल से ओकरा अपन सगही पत्नी बनए से चाहैत अछि, मुदा बादमे ओ ओकरास खुश नहि अछि, ओकरा ओकर बाबुके संग बेचि दैक। ओ कोनो विदेशीके संग नहि बेचए, किएक त एहिके लेल ओ आ लड़कीके बाबु सहमती नहि कएने छल।9यदि कोनो मनुष्य ओकरा खरिदैत अछि से चाहैत अछि जे ओ ओकर बेटाके पत्नी बनए, त ओकरा अपने बेटी जकां ओहि लड़कीके अपने बेटी जेहन व्यवहार करहीके चाही।10यदि मालिक कोनो दोसर स्त्रीसंगे विवाह करैत अछि, त' जेठकी पत्नीके भोजन, वस्त्र, आ वैवाहिक हक ओतबे दैक जतेक ओ पहिने करैत रहए।11यदि ओ ई तीनटा बात पूरा नहि करैत अछि, ओ ओकरा अपन दासी बनएस' स्वतन्त्र क' देबाक चाही, आ बिना किछु मोल चुकता कएने ओ स्वतन्त्र भ' जएतीह।12यदि केओ कोनो मनुष्यके मारि देबएके मनसायस पीताइत अछि आ ओ मनुष्य मरि गेल, तब ओहि हत्याराके सजाय अवश्य देल जाएके चाही;13मुदा यदि ओकरा मारि देबएके मनसाय नहि छल — यदि परमेश्वर दुर्घटना होअए अनुमति देलथिन — ओ मनुष्य जे ओकरा मारलक एहन स्थानमे भागि जाइक जत हम अहाँसबहक लेल चुनब, आ ओ ओतए सुरक्षित रहत।14मुदा यदि केओ कोनो व्यक्तिके ढिठइ स' ओकरा छल क' क' मारि दैत अछि, ओहन हत्यारा परमेश्वरके बेदी लग भागि जाइक तइयो ओकरा ओतएस' घिसिआक' लाबि मारि देल जाएके चाही।15अपन बाबु आ मायके मारएबलाके अहाँ मारिए देब।16अपहरणकर्ता के अहाँ मारि देब, ओ ओहि व्यक्तिके बेचि देने होइक वा ओ अपहरण कर्त्ता के साथे मे भेट जाइक17अपन बाबु आ मायके सराप दैक वा अपमान करए ओकरा अहाँ मारि देब।18मानिलिअ दौगते झगड़ा कएलनि, आ एकगोटे दोसर गोटेके पत्थल वा मुक्कास मारलक। मानिलिअ जेकरा मारलक से मरल नहि मुदा घायल भ गेल आ ओकरा किछु समय बिछाओन धरए पड़ल,19मुदा बादमे ओ लाठी पकड़िक' बाहर चलबल करएमे सक्षम भेल। तब जे ओकरा मारने छल तेकरा दण्ड नहि देल जाए, बल्कि ओ जे बिछाओन धएने अछि से नीक होअएमे जतेक धन लगैक से आ जतेक ओ कमाए सकैत रहए से ओतेक धन ओकरा मारएबलास' पुरापुरी असूल कराएल जाइक।20यदि केओ अपन स्त्री वा पुरुष दासके सटका स मारएक, आ यदि ओ दास सटका के मारि स मरि जाए, तब दासक मृत्युके बदला अहाँ अवश्य चुकबाएब।21यदि ओ दास किछु दिनक बाद ठीक भ जाइक, त जे ओकरा मारने रहए तेकरा अहाँ दण्ड नहि देब, किएक त दास ओकर सम्पत्ति रहए।22यदि किछु लोकसब झगड़ा करैत होअए, आ ओसब कोनो गर्भवती महिलाके मारलक आ एहि कारण ओकर बच्चा जनमि गेल, मुदा ओ आ ओकरा बच्चा ठीके अछि, त जे ओकरा मारने छल से जरिवाना तिरौक। न्याय करएबलासब फैसला क' देलाके वाद ओकर पति जे जरिवाना मंगैक।23मुदा ओ केकरो हानि पहुंचौलक त ओकरा ओहने हानि क क अहाँ दण्ड देब। यदि केओ केकरो मारि देलक त अहूं ओकरा मारि देब।24ओहने किसिमस, जेना ओ हानि कएने रहैक आंखि, दांत, हाथ, वा पयर,25वा जरा देलक, घाव लगा देलक, वा मसोरि देलक — अहाँ ओकरा ओहने हानि कराएब।26यदि दासके मालिक अपन स्त्री वा महिला दासके आंखिमे मारएक आ ओ आंखि आन्हर भ' जाइक, तब ओहि दासके आंखिके ओ जे कएलक ताहिके लेल ओकरा स्वतन्त्र क' क' जाए दैक।27यदि केओ अपन दासके दांत तोड़ि दैक, ओहि दासक दांतके ओ जे कएलनि ताहिके लेल ओकरा स्वतन्त्र कइए देब चाही।28यदि बैल कोनो स्त्री आ पुरुषके सिंघ ल' क' मारए आ फलस्वरुप ओ व्यक्ति मरि जाइक, ओहि बैलके पत्थल फेकक' मारि देब, मुदा ओकरा खाएब नहि। बैलके मालिक दोषी नहि होएत। 29मुदा कोनो बैल पहिनहु बहुते बेर लोकके मारने रहैक आ लोकसब ओकर मालिकके एहिके विषयमे ओकरा कहने रहैक, मुदा ओ अपन बैलके बान्हिक नहि रखलक, आ ई कोनो स्त्री वा पुरुषके सिंघ ल क मारलक, तब ओहि बैलके अहाँ पत्थल फेकक अवश्य मारि देब, आ अहाँ ओकर मालिकके सेहो मारि देब।30तइयो, यदि एहिके बदलामे मरल लोकके परिवार छुटकाराके रकमके मांग करए, अपन जीवन बचावमे ओकरा मांग ल गेल रकम पुरे पूरी तिरके चाही।31यदि केकरो बैल केकरो बेटा वा बेटीके आक्रमण करए आ कोकांरैक, अहाँ ओहि बैलक मालिकके ओहि नियम अनुसार व्यवहार करब।32यदि कोनो बैल स्त्री वा पुरुष दासके आक्रमण करए आ कोकांरैक, ओकर मालिक ओहि दासके मालिकके तीस सेकेल चानी देबही के चाही, आ अहाँ ओहि बैलके पत्थल फेकक मारि देबै।33मानिलिअ केओ पानि भण्डार करबाक लेल खधिया खनए वा खोधियबैक आ ओहिके झांपिक नहि। यदि केकरो बैल वा गदहा ओहिमे गिर जाइक आ मरि जाइक,34खधिया खुनएबला व्यक्ति जानबरके जतेक मोल होइक ओकर मालिकके द' देबएके चाही, मुदा तब ओ मरल जानबर खधिया खुनएबला व्यक्तिके भ' जाएत।35यदि केकरो बैल केकरो बैलके मारएक, एहि कारण ओ मरि जाइ, तब दुनू बैलके मालिक जीवित बैलके बेचि दैक, आ दुनूगोटे ओहि बैल बेचल रुपैयाके बांटि लेथि। ओसब मरल मालके माउस सेहो दुनूगोटे बांटि लेथि।36तइयो, यदि मालिकके जानकारी रहैक जे ओ बैल पहिनहु आओर मालजालके आक्रमण कएने रहए, आ ओ ओकरा बन्हने नहि रहए, तब ओहन बैलके मालिक ओहि मालिकके जेकर बैल मरि गेल होइक ओकरा मरल बैलके बदला जीवित बैल द' दैक, मुदा तब मरल माल पहिन बैलबलाके भ' जएतैक।

Bridge Connectivity Solutions Pvt. Ltd.

https://app.library.bible/content/2acb82c33dca4c67