Exodus20

1तब परमेश्वर ई वचनसब इजराएलीसबके संग बजएलखिन।2“हम यहोवा अहाँके परमेश्वर छी, जेकरा अहाँसब अराधना करैत छी। हम ही छी से अहाँसबके मिस्र देशस' बाहर निकालि लएने छी जत अहाँसब दास बनल रही।3हमरा छोड़ि कोनो देवी देवता नहि मानू।4अपनालेल आकाशमे रहल वा भूमिपर रहल वा पानि भीतर भेल किछु जकां देखाए वला कोनो मूर्ति खोधिक नहि बनाएब।5ओहि मूर्तिक आगु नहि झुकू वा ओकर आराधना नहि करु, किएक त हम अहाँके परमेश्वर यहोवा छी। हम चाहैत छी जे अहाँ हमरे मात्र आराधना करी! हमरा घृणा करएबलाके पुस्तासबके हम दण्ड देबै। हम ओकर तेसर, आ चारिम पुस्ताके सन्तानसबके दण्ड देबै।6तइयो, हमरा प्रेम करएबला आ हमर बात मानए वला के हजारो पीढ़ी धरि विश्वसनीयता पूर्वक ओकरास हम प्रेम करबैक।7हमर नामके दुष्ट उदेश्यके लेल नहि लेब, किएक त हम, अहाँके परमेश्वर यहोवा छी, आ हम निश्चितरुपस' ओ निर्दोष नहि ठहरत जे हमर नाम गलत उदेश्यके लेल लेत।8प्रत्येक सप्ताहके सातम दिन हमर पवित्र अछि से स्मरण करब।9अहाँसबके काज करबाक लेल प्रत्येक हप्तामे छओ दिन अछि।10मुदा प्रत्येक सप्ताहके सातम दिन विश्रामके दिन अछि, ई दिन अहाँक परमेश्वर यहोवा, हमरालेल समर्पित अछि। ओहि दिनमे अहाँसब कोनो काज नहि करब। अहाँके बेटासब नहि अहाँक बेटीसब, अहाँक पुरुष दास नहि स्त्री दाससब, नहि अहाँक मालजालसब, आ अहाँक देशमे रहनिहार कोनो परदेशीयो धरि कोनो काज नहि करए।11ई एहिलेल करु किएक त हम, यहोवा, आकाश, पृथ्वी, सागर, आ ओहि भेल सब किछुके छवे दिनमे बनएलहुं। तब हम सृष्टि करएबला सबटा काज रोकि देलहुं आ सातम दिनमे विश्राम कएलहुं। एहि कारण अछि जे हम, यहोवा, अहींके आशीष देने छी आ एहिके पवित्र होबएलेल अलग कएने छी।12अपन माय आ बाबु आदर करु, एहिस हम, यहोवा अहाँके परमेश्वर, अहाँके देब, ताहि देशमे बेसी दिन जीव सकी13केकरो हत्या नहि करियौन।14केकरोसंग व्यभिचार नहि करियौन।15किछु चोरबियौ नहि।16केओ अपराध कएने अछि से अपन पड़ोसीपर झूठ दोष नहि लगबियौ।17केकरो घर, केकरो घरवाली, केकरो दास वा दासी, केकरो गाइ-बैल, केकरो गदहा, वा कोनो वस्तु जे दोसरके होअए ओकर लोभ नहि करियौ।”18जखन लोकसब मेघक गर्जन सुनलक आ ठनका के आवाज सुनलक, आ जखन ओसब नरसिंहाके आवाज सुनलक आ पहाड़पर निकलैत धुआं देखलक, ओसब भयभीत भेल आ हिल गेल। ओसब दुरे ठाढ़ भेल रहए19आ मूसाके कहलक, “अहाँ हमरासबसंग बात करु! हमसब सुनबैक! मुदा परमेश्वर हमरासबसंग आब नहि बजथि। हमसब एतेक डेरा गेल छी जे यदि ओ आओर हमरासबसंग बजतैक त, हमसब मरि जाएब।”20मूसा लोकसबके उत्तर देलक, “नहि डेराउ! परमेश्वर अहाँसब कोना व्यवहार करैत छी से देखबाक लेल आएल छथि। ओ चाहैत छथि जे अहाँ हुनका आदर करी आ पाप नहि करु।”21तब जेना लोकसब दूरेस देखलक, मूसा कारी बादलके लगमे गेल जत परमेश्वर छलथि।22यहोवा मूसाके कहलखिन, “इजराएली लोकसबके कहियौ, ‘अहाँसब सुनने छी जे हम, यहोवा, स्वर्गस बाजल छी।23तएं, अहाँसब सोना आ चानीके कोनो देवता नहि बनाउ जेकरा अहाँ हमरा स्थानमे आराधना करी।24हमरालेल माटिक वेदी बनाउ। अहाँके होमबलि, हमर संगेके मेलबलि , आ अहाँके हेंड़के भेंड़ आ बैल ओहिपर चढ़ाउ। हमरा आदरके लेल हम चुनने स्थानमे आराधना करब; यदि अहाँ एना करब त, हम अहाँसबलग आएब आ अहाँके आशीष देब। 25यदि अहाँ हमर लेल पत्थल ल क वेदी बनाएब, पत्थलके कोनो औजारस कटबैक त वेदीके अपवित्र क देत।26हमर वेदीके सिढ़ीपर नहि चढ़ब एहिलेल जे केओ अहाँके भीतरी अंगसब नहि देखैक।’”

Bridge Connectivity Solutions Pvt. Ltd.

https://app.library.bible/content/2acb82c33dca4c67