Exodus19

1इजराएलीसब मिस्र निकलि आएल तेसर महिनाके पहिन दिन, ओसब सीनैके मरुभूमिमे आबि गेल।2ओसब रपीदीम नामके स्थानस' चालला के बाद, ओसब सीनै मरुभूमिमे आएल, आ इजराएलीसब पहाड़के नीचा अपन डेरा देलक।3मूसा परमेश्वरसंग बात करए लेल पहाड़पर उपर चढ़ि गेल। यहोवा उपर पहाड़ उपरस ओकरा बजएलखिन आ कहलखिन, “अहाँ याकूब से सन्तान, इजराएलीसबके ई कहियौ से हम चाहैत छी,4‘अहाँ देखने छी जे हम मिस्रीसबके की कएलहुं। अहाँ देखने छी जे अहाँके लेल की कएलहुं आ जेना चिलहोरि अपना बच्चाके अपन पांखि पर लाधिक' लएने होइक अहाँसबके हम एतधरि ल' क' आएल छी।5एहिलेल, यदि अहाँ एकदम सावधानीपूर्वक हम जे कहैत छी से करारके सबटा पालन करब जे हमरालेल आवश्यक अछि जे किरिया खाकए जे सहमत भेल छलहुं, त अहाँ हमर अपन लोक होएब,6अहाँ हमर पुजारीसबके राज्य आ एकटा पवित्र जाति जे हमरालेल समर्पित होअए।’ ई अहाँ इजराएलीसबके कहबे करबैक।”7तएं मूसा पहाड़स नीचा गेल आ लोकक धर्मगुरुसबके बजौलक। ओ ओकरासबके यहोवा कहबाकलेल कहने सब किछु कहि देलक।8सब लोक कहलक, “हमसब ओ किछु करब जे यहोवा हमरासबके करबाक लेल कहने छथि।” तब मूसा पहाड़ उपर फेरुस चढ़ि गेल आ जे लोकसब कहने छल से सब किछु प्रतिवेदन कएलक।9तब यहोवा मूसाके कहलक, “सावधानीपूर्वक सुनू। हम अहाँ लग सघन मेघमे आएब। जखन हम अहाँसंग बात करब, त लोकसब एहिके सुनत, आ ओसब सब दिनक लेल विश्वास करत जे अहाँ ओकरासबहक अगुवा छी।” तब यहोवा कहने बात मूसा लोकसबके कहि देलक।10तब यहोवा मूसाके आओर कहलथि, “अहाँ लोकसबलग फेरुस जाउ। हमर आगमनके लेल तैयार रहएलेल कहियौ। ओसब अपने-आपके आइ आ काल्हि पवित्र करए। ओसब अपन वस्त्र सेहो धोइक11एहिलेल जे ओसब तेसर दिन जहिया हम यहोवा सीनै पहाड़स नीचा आएब जत सब लोक हमरा देख सकैत अछि।12अहाँ पहाड़के नीचा चारुदिस लोकसबके सुरक्षाके लेल एकटा छेकवार बनाएब। ओकरासब कहबनि, ‘एहि पहाड़पर नहि चढ़हब वा एहिके छुइबो नहि करब। जे केओ ओहि पहाड़क आधारके छुबए तेकरा मारिए देब।13ओहि पहाड़के कोनो मनुष्य वा कोनो जानबर छुअए नहि। एहिलेल, जे मनुष्य वा जानबर केओ एहिके छुअए तेकरा अहाँ पत्थल फेकक' वा तीर ल' क' मारि देब।’ मुदा जं अहाँ बड़ी जोरस नरसिंहाके आवाज सुनब, त' लोकसब ओहि पहाड़के नीचा अधारक लगमे आबि सकैत अछि।”14तएं मूसा पहाड़स नीचा फेरुस गेल आ लोकसबके पवित्र होबए आ यहोवाके आगमनके लेल तैयार रहए कहलक। ओसब ओहने कएलक जेना मूसा ओकरास सबके कर कहने छल।, आ ओसब अपन वस्त्रके सेहो साफ कएलक।15तब मूसा लोकसबके कहलकनि, “तेसर दिन अहाँसब तैयार रहब, आ ताधरि अहाँ पुरुषसब कोनो स्त्रीसंगे यौन सम्बन्ध नहि करब।”16तेसर दिन, भोरे, ओतए मेघ गरजल, ठनका खसल, पहाड़पर बहुत आन्हर बादल छल, आ बहुत जोरस नरसिंहा क आवाज भेल। डेरामे भेल लोकसब थरथर कएलक किएक त ओसब बेसी डेरा गेल छल।17तब मूसा परमेश्वरसंग भेट करबाक लेल लोकसबके बाहर ल गेल। ओसब पहाड़के आधारके चारुदिस ठाढ़ भेल।18तब यहोवा सीनै पहाड़स उतरलखिन, आगिस घेरल। ई पुरे पहाड़के धुंवे धुआं बना देलक। एहन धुआं निकलल जेना आगिक भठ्ठी मे धुआं निकलैत होइक, आ पुरे पहाड़ दल्की आएल जकां हिल गेल।19जेना नरसिंहाके आवाज उंच होइत गेल, मूसा परमेश्वरसंग बात कएलक, आ परमेश्वर ओकरा गर्जन आवाजमे उत्तर देलथिन।20तब यहोवा सीनै पहाड़पर फेरुस अएलथिन, आ ओ मूसाके उपर पहाड़पर बजौलखिन। एहिलेल मूसा उपर गेल।21यहोवा मूसाके कहलखिन, “अहाँ फेरुस नीचा जाउ आ लोकसबके चेतावनी दिऔ जे हमरा देखए लेल ओसब सीमा पार नहि करए। यदि ओसब एना करत, बहुत गोटे मरि जाएत।22इहो, जे पुजारीसब यहोवा, हमरा लगमे आओत से अपनाके नीक जकां पवित्र करए। यदि ओसब एना नहि कएलक त, हम ओकरासबके दण्ड देबै।”23तब मूसा यहोवाके कहलक, “लोकसब सीनै पार नहि करत किएक त अहाँ आदेश देने छी, ई कहैत, ‘पहाड़के चारुदिस सीमा लगाउ, एहिके यहोवाके लेल पवित्र राखू।’”24यहोवा मूसाके कहलथि, “पहाड़के नीचा जाउ आ हारूनके अपन संगे सेहो ल क आउ। मुदा पुजारीसबके आ आओर लोकसबके सीमा पार क क हमरालग आबए अनुमति नहि दिऔ। यदि ओ एहिके पार कर, हम ओकरा दण्ड देबै।”25तएं मूसा पहाड़के नीचा फेरुस गेल आ यहोवा की कहने छलथि से लोकसबके कहि देलक।

Bridge Connectivity Solutions Pvt. Ltd.

https://app.library.bible/content/2acb82c33dca4c67