Exodus15

1यहोवा सारा मिस्रीके समुद्रमे नाश क' देलाके बाद, तब मूसा आ सारा इजराएली ई भजन यहोवाके लेल गओलनि। ओसब गओलनि, “हमसब यहोवाके लेल गाएब किएक त' ओ एकटा बड़का जीत विजय कएने छथि; ओ घोड़ासबके आ घोड़सबारसबके समुद्रमे फेक देलनि!2यहोवा हमरा बलवान बनबैत छथि, आ हम हुनका विषयमे गीत गाएब। ओ हमरा बचौने छथि। ओ हमर परमेश्वर छथि, आ हमरालेल ओ जे कएने छथि हम उत्सव मनाएब। ओ हमर पिताके परमेश्वर छलथि, आ हम लोकके कहबनि जे ओ कतेक महान छथि।3यहोवा एकटा योद्धा छथि; यहोवा हुनक नाम अछि।4ओ राजाके रथसब आ ओकर सेनाके समुद्रमे फेक देलनि; राजाके उत्तम कप्तानसब सब केओ लाल समुद्रमे डुबि गेल।5गंहीर समुद्र ओकरासबके झांपि देलक; ओसब पेन्हमे चट्टान जकां डुबि गेल।6हे यहोवा, अहाँक सामर्थ्य बहुत बेसी अछि; ओहि सामर्थ्यस', हे यहोवा, शत्रुके अहाँ टुकड़ा-टुकड़ा क' देने छी।7अहाँ अपन महान सामर्थ्य अपन शत्रुके हराबए लेल प्रयोग करैत छी। जखन अहाँ खिसियाइत छी, अहाँ ओकरासबके भूंसाके आगि जरवैत अछि तेना नाश करैत छी।8अहाँ समुद्र पर बिहाड़ि चलए लेलहुं, आ पानि पहाड़ जकां उपर बढ़ि गेल; ओ पानि गन्दाक ढेर जकां भ' गेल। समुद्रके गंहिर भागमे, पानि बड़ मोट भ' गेल, जेना ई जमि गेल होअए।9हमर शत्रुसब अभिमानी पूर्वक कहलकनि, ‘हमसब ओकरा पाछु पाछु जाएब, आ ओकरासबके पकड़ि लेब। हमसब ओकरासबके संग जे मन होएत से करब! हमसब अपन तरुआरि निकालब आ ओकरा हरा देब; तखन हमसब अपन तरुआरि निकालब; हमरासबके हाथ ओकरासबके नाश क' देत।’10अहाँके बिहाड़ि  बहल,आ तखन ओकरासबके झांपि देलक।ओसब विशाल सागरमे सीसा जकां डुबि गेल।11यहोवा, अहाँ जकां कोनो ईश्वर नहि अछि!अहाँ सन केओ नहि अछि!अहाँ अद्भुत रुपमे आओर किछुस' अलग छी अहाँ कएने सब चमत्कारके लेल सब केओ भय मानैत अछि आ प्रशंसा करैत अछि!12अहाँ पृथ्वीके मुंह खोलबा देलिऐ आ हमरासबहक शत्रुके ओहिमे घोंटाए देब लेल अपन शक्ति प्रयोग कएलहुं!13अहाँ छोड़ने लोकके अहाँ अगुवाइ करैत छी किएक त' अहाँ हमरासबके प्रेम करैत छी; किएक त' अहाँ अपन शक्ति हमर भलाइके लेल अहाँ प्रयोग करैत छी, अहाँ हमरासबहक लेल अलग कएने घरदिस हमरासबके अगुवाइ करैत छी।14अहाँ की कएने छी से गैर-इजराएली जातिके लोकसब सुनत, आ ओसब थरथर कंपैत रहत। पलिश्तीके लोकसब आतंकित भ' जाएत।15एदोम देशके शासक व्याकुल भ' जाएत। मोआब देशके अगुवा एतेक डेरा जाएत जे ओसब थरथराए लागत। कनान देशमे जे रहैत अछि से मूर्छित भ' जाएत।16ओसब अहाँके महाशक्तिके कारण भयभीत आ व्याकुल भ' जाएत। मुदा ओसब पत्थल जकां निशब्द होएत जाधरि हमसब, अहाँके लोक, जेकरा अहाँ मिस्रमे दास बनएस' यहोवा अहाँ छुटकारा देने छी से ओकरासबके पार क' क' निकलि नहि जाएब।17अहाँ हमरासबके कनानक प्रतिज्ञाके देशमे ल' क' जाएब। अहाँ हमरासबके अहाँके अपन हिस्साके पर्वतपर निवास करएलेल योग्य बनएबाक, ओहि स्थानमे जे अहाँ, यहोवा, अपन निवासक लेल चुनने छी, ओहि पवित्र स्थानमे, हे प्रभु, जे अहाँ अपने बनएबाक।18हे यहोवा, अहाँ सर्वदा राज्य करबैक!”19जखन राजाके घोड़ासब आ रथसब आ घोड़सवार सब समुद्र दने जाएके प्रयास कएलनि, यहोवा पानिके फेरुस' लाबि देलनि आ ओकरासबके झांपि देलनि। मुदा इजराएली लोकसब मध्य समुद्र दने सुखले जमीनपर चलिक' गेल।20तखन मिरियम, जे हारूनके दिदी छलीह, आ एकटा प्रवक्तिनि छलीह, से अपन खौजड़ी लेलीह आ आओर स्त्रीसब जेकरालग खौजड़ी रहए से ओकरा पाछु नचैत अएलीह।21मिरियम यहोवाके लेल ई भजन गएलीह: “यहोवाके लेल गाउ किएक त' ओ अपन शत्रुपर महिमित विजय प्राप्त कएने छथि। ओ ओकरा घोड़ासबके आ ओकर बहलमान सबके सेहो समुद्रमे फेक देलनि।”22इजराएलीसब लाल समुद्रस' चलि गेलाके बाद, मूसा इजराएली लोकसबके लाल समुद्रस' दूर जाएमे अगुवाइ कएलनि। ओसब शूरके मरुस्थलमे गेल। ओसब तीन दिन धरि चलल, मुदा ओकरासबके कनिको पानि नहि भेटल।23एहिलेल ओसब आगु चलिते रहि गेल आ मारा नामक स्थानमे आबि गेल। ओतए पानि छल, मुदा ओसब नहि पीबि सकल, किएक त' ई बहुत तीत छल। तएं ओसब एहि स्थानके नाम मारा धएलनि, जेकर इब्रानी भाषामे अर्थ होइत अछि तीत।24लोकसब मूसाके उलहन दैत, कहलनि, “हमसब की पियब?”25एहिलेल मूसा यहोवासंग प्रार्थना कएलनि। तेकरबाद यहोवा ओकरा एकटा ठाड़ि देखा देलनि। ओ ओहि ठाड़िके ल' क' ओहि पानिमे ध' देलनि, आ ओ पानि पिवाक लेल स्वास्थकर भ' गेल। ओतए मारामे, यहोवा ओकरासबहक जीवन जिअके लेल निश्चित नियम देलनि। ओ ओकरासबके जांच सेहो कएलनि हमर आज्ञापालन करैत अछि की से निश्चित करए।26तब यहोवा मारामे लोकसबके कहलथि, “अहाँक परमेश्वर, हम यहोवा छी। हम जे ठीक कहैत छी ओ सबकिछु जे हम अहाँके आदेश दैत छी से सुनिक' यदि ओहिके मानिक' आ ओहिना ओहिके करब, मिस्रीसब पर लएने सबटा बेमारीस' अहाँसबके बचाएब। ई नहि बिसरु जे अहाँके चंगा करएबला, हम यहोवा छी।”27ओसब मारास' चलि गेलाके बाद, एलीम नामक सोताके नगरमे आबि गेल। ओतए ओसब बारहटा पानिक मुहान आ सत्तरि टा खजुरक गाछ पौलनि। तएं ओसब पानिक स्रोत लग डेरा धएलनि।

Bridge Connectivity Solutions Pvt. Ltd.

https://app.library.bible/content/2acb82c33dca4c67