Exodus14

1तखन यहोवा मूसाके आओर आगु कहलथि,2“इजराएलीसबके पीहहीरोत दिस घुमए कहियौन आ ओहिके लगमे ओसब डेरा रखथि। ई स्थान मिग्दोल आ लाल समुद्र, बाल-सपोनक' लगमे अछि। समुद्र लगमे अहाँसब अपन डेरा राखब।3तखन राजाके बुझएमे आबि जएतनि जे, ‘इजराएलीसब भूतला गेल अछि। ओसब एमहर-ओमहर बौआइत अछि, आ मरुभूमि ओकरासबके बाट रोकि देने अछि।’4हम राजाके एक बेर आओर हठी बना देब आ ओ अहाँसबके रेबारत अपन सेना ल' क'। तखन लोकसब हमरा राजा आ हुनक सेनास' बेसी आदर करत, आ मिस्रीसब जानि लेतैक जे हम यहोवा छी।” एहिस' मूसा इजराएलीसबके एना कहि देलनि, आ ओसब ओहिना कएलनि जेना ओ हुनकासबके करए लेल कहने रहथि।5केओ मिस्रके राजाके कहि देलकनि जे इजराएलीसब भागि गेल अछि, इजराएलीसब प्रति राजा आ हुनक अधिकारीसबके मन बदलि गेल आ ओसब एक-दोसरके कहलकनि, “अपनासब की कएने छी? आब इजराएलीसब अपनासबके सेवाके लेल दास नहि रहल किएक त' हमसब हुनकासबके जाए देने छी!”6तएं राजा केकरोस' अपन रथमे घोड़ासब जोतौलनि आ अपन सेनासंग चलि गेलथि।7जखन ओ गेलथि त' ओ मिस्रके सबटा रथ ल' गेलथि, छअ सय रथ। प्रत्येक रथमे ओहिपर बहलमान, सेना, आ सेनापतिके धएलनि।8यहोवा मिस्रके राजाके कठोर बना देलथिन, ताहिस ओ आ हुनक सेना इजराएलीसबके रेबारलनि। इजराएलीसब जयवन्त भ' क' साहसपूर्वक आगु बढ़ैत गेल।9मिस्री सेना, राजाके घोड़ासब आ रथसब आ घोड़सबारसब, इजराएलीसबके हाथ धोक पाछु पड़ि गेल। ओ ओकरासबके पकड़ीए लेने रहैक जेना ओसब पीहहीरोत, बाल-सपोनक' आगु, समुद्रक लगमे डेरा देने रहैक।10जखन मिस्रके राजाके सेना लगमे पहुंचल, जखन इजराएलीसब देखलक जे राजा आ ओकर सेना ओकरासबके विरुद्ध लड़एलेल आबि रहल अछि, त' ओसब बड्ड डेरा गेल रहए, तएं ओसब मदति करए लेल यहोवास' विनती कएलनि।11तखन ओसब मूसाके कहलनि, “मिस्रस' एत आनि क अहाँ हमरासबपर कोनो उपकार नहि कएने छी। फारोहके सेना हमरासबके मरुभूमिमे मारए जा' रहल अछि। हमसब मिस्रेमे रहितहुं, केओ हमरासबके कब्रमे गाड़ि दितैक।12जहिया हमसब मिस्रे छलहुं त' हमसब अहाँके कहलहुं। हमसब कहलहुं, ‘हमरासबके अपने हालमे छोड़ि दिअ आ हमरासबके मिस्रीएके सेवा करए दिअ।’ हमरासबहक लेल एत मरुभूमिमे मरएस' मिस्री सबहक दास होएब नीक रहैत!”13मूसा लोकसबके कहलनि, “अहाँसब डेराउ नहि! डटिक' ठाढ़ रहू आ अहाँ देखियौ यहोवा कोना छुटकारा दैत छथि। ओ अहाँसबके आइ बचौथिन, आ अहाँसब आब मिस्रीसबके कहियो नहि देखबै जेना आइ ओकरासबके फेरु देखैत छी।14यहोवा अहाँसबहक लेल युद्ध करथिन! मात्र स्थिर रहू। अहाँसबके किछु नहि करए पड़त।”15तेकरबाद यहोवा मूसाके कहलनि, “मूसा, अहाँ किएक हमरा मदतिक लेल विनती करैत छी? इजराएलीसबके अपन डेरा समेटिक' आ आगु बढ़बाक आज्ञा दिऔ।16अहाँ अपन लाठी उठाउ आ हाथमे एहिके पकड़िक' लाल समुद्र पर पसारू एना करब त' ओकरा दू भागमे बांटि देतैक। तखन इजराएलीसब सुखल जमीनपर चलिक', समुद्रक बीच द' क' जएतैक।17हमरापर ध्यान दिअ! हम मिस्रीसबके कठोर बनाएब, किएक त' इजराएलीसबके खिहारत। तखन, हम ओहि राजाके, मिस्री सेना, ओकर रथसबके, आ ओकरा घोड़सबारसबके, जे करबैक ताहि कारणस' लोकसब हमरा आदर करत।18जं हम ओहि राजा, ओकर रथसब, आ ओकरा घोड़सवार सब उपर विजय पाबिलेब, आओर मिस्री जानि लेत जे हम यहोवा, किछु क' सकए वला परमेश्वर छी। आ हमर आदर करत”19तखन परमेश्वरक स्वर्गदूत, जे इजराएलीसबके आगुमे छलथि, घुमि गेल आ ओकरासबके पाछु चलि गेलथि। एकटा बड़का इजोत वला बादल जे ओकरासबके आगु छल सेहो ओकरासबके पाछु रहएलेल चलि गेल।20ओ बादल मिस्री सेना आ इजराएली लोकसबके बीचमे छल। ओ बादल मिस्री सेना दिस अन्हारक' देलक, मुदा इजराएलीसब दिस इजोत कएलक। फलस्वरुप, राति भरि कोनो समूह एक-दोसरके लगमे नहि आएल।21मूसा अपन हाथ समुद्र पर बढ़ौलनि। तेकरबाद यहोवा पूर्व दिसस' एकटा पैघ अन्हड़ बिहाड़ि चला देलनि। ई राति भरि चलल आ पानिके दू भागमे बांटि देलनि, आ पानिक बीचमे बनल जमीनके सुखल बना देलनि।22तखन इजराएलीसब ओहि समुद्रके मध्यमे सुखल जमीन दने गेल। पानि ओकरासबके दहिना आ बामा, दुनू कात ओकरासबहक लेल देवाल जकां छल।23मिस्री राजाके सेना अपन घोड़ासब, रथसब, आ घोड़सवार सब सेहो समुद्रके बीच दने ओकरासबके पाछु-पाछु गेल।24भोर होबएस' पहिने, यहोवा ओहि अग्निमय बादलस' देखलनि, आ ओ मिस्री सेनाके आतंकित क' देलनि।25यहोवा रथके पहियासबके जामक' देलथिन जे मुश्किलस' चलि सकैक। एहिलेल मिस्रीसब कहलक, “इजराएलीसबकेलेल अपनासबके विरुद्धमे यहोवा युद्ध करैत छथि; एकरा सब लगस' भागू!”26तखन यहोवा मूसाके आओर आगु कहलथि, “अपन हाथ लाल समुद्रके उपर बढ़ाउ। तखन पानि मिस्रीसबके उपर चलि अबैक, ओकरासबहक रथसब आ ओकरासबहक घोड़सवारसबके उपर।”27मूसा अपन हाथ समुद्र उपर बढ़ौलनि, आ भोरस' पहिने पानि अपन समान्य अवस्थामे चलि आएल। मिस्रीसब भागए चाहलक, मुदा यहोवा ओकरासबके समुद्रमे झोंकि देलनि।28राजाके रथसबके, घोड़सवारसबके, आ मिस्रके सारा सेनाके उपर पानि आबि गेल आ डुबा देलक जे इजराएलीसबके समुद्रमे खिहारएके कोशिस कएने छल। मिस्री सेनामे स' केओ नहि बांचल।
29मुदा इजराएलीसब समुद्रके सुखल जमीन दने चलिक' पहिनहि पार क' लेने छल। ओ पानि देवाल जकां छल, एकटा दहिनाकात आ एकटा बामा कात।30एहि तरहे यहोवा ओहि दिन इजराएलीसबके मिस्रीसेनास' बचौलनि। इजराएलीसब देखलनि जे मिस्रीसब मरल पड़ल छल। ओकरासबहक लाश समुद्र किनहेरिमे छताइत छल।31इजराएलीसब देखलनि जे सामर्थीढंगस' यहोवा मिस्रीसबके की कएने छलथि, आ ओसब यहोवाके आदर कएलनि। ओसब यहोवा पर आ हुनक दास मूसापर विश्वास कएलनि। 

Bridge Connectivity Solutions Pvt. Ltd.

https://app.library.bible/content/2acb82c33dca4c67