Exodus13

1यहोवा मूसाके कहलथि,2“सब पहिलौठ जनमल सबके अलग करु कारण ओसब हमर अछि। लोकसब इजराएलीके आ ओकर जानबरके पहिलौठ हमर होतैक।”3मूसा लोकसबके कहलनि, “आजुक दिन सर्वदा स्मरण करब! ई ओहे दिन अछि जे अहाँसब मिस्रके छोड़ि आएल छलहुं। ई ओहे दिन अछि जे हम अहाँसबके मिस्री सबहक दास बनएस' छुटकारा देलहुं। यहोवा शक्तिशाली ढंगस' अहाँसबके मिस्रस' निकालि लेने छथि। खमीर भेटल कोनो रोटी अहाँसब नहि खाउ जहिया-जहिया ई दिनक उत्सव मनाएब।4अहाँ एहि दिन मिस्रके छोड़िक जाइत छी, जे अवीव महिनाके पहिन दिन अछि। 5बादमे, जहिया यहोवा अहाँसब ओहि देशमे ल' क' आओत जत कनानी, हित्ती, एमोरी, हिब्बी, आ यबूसी सबहक सन्तानसब एखन ओतए रहैत अछि, ओ देश जे ओ अहाँसबहक पूर्वज संगे प्रतिज्ञा कएने छलथि जे ओ अहाँके देतनि, एहन एकटा उत्तम देश जे पशुपालन करएमे आ खेती करएमे बड़ असल होएत, अहाँसबके हमर आराधनाके रुपमे प्रत्येक साल एहि महिना ई पावनि मनाबके काज करही पड़त। 6सात दिनधरि खाएबला रोटीमे कनिको खमीर नहि होएबाक चाही। सातम दिन, यहोवाके आदरमे उत्सव मनाबहिटा पड़त।7सात दिनधरि एहन रोटी नहि खाउ जाहिमे खमीर होअए। अहाँके देशमे कतौ खमीर वा खमीरस' बनल रोटी नहि होएबाक चाही।8जाहि दिन अहाँसब पावनि मनाएब, पर्वके सातम दिन अहाँसब अपन धियापुताके कहए पड़त, ‘जहिया हमसब मिस्र छोड़ने रहि तहिया यहोवा हमरासबहक लेल की कएने रहथि ताहिके स्मरण हमसब ई क' रहल छी।’9ई उत्सव जेना अहाँसब अपन कपारमे वा हाथमे किछु बान्हल चेन्ह होएत। ई अहाँसबके यहोवा देने निर्देशन दोसर लग मुहजवानी स्मरण करबाक लेल स्मरण कराओत, किएक त' अहाँसबके मिस्र देशस' सामर्थीढंगस' निकालके कारण हुनका प्रति कृतज्ञ छी। 10एहिलेल यहोवाद्वारा तोकल गेल समय, पर अहाँसब ई पावनि प्रत्येक साल, सर्वदा, मनएबे करब11यहोवा अहाँसबके एहन देश ल' क' जएथिन जत कनानी सबहक सन्तान रहैत अछि, जेना ओ अहाँ आ अहाँक सन्तानसबके देबाक प्रतिज्ञा कएने छथि। जखन ओ अहाँ सबकेओ देश देथिन,12अहाँसब अपन आ जानबरक पहिलौठ जनमल यहोवाके द' देब। ईसब यहोवाके अछि।13गदहाके पहिलौठके सम्बन्धमे, एहिके एकटा मेमनाके मारि छोड़ाएब, ओहि गदहाके घेंउट तोड़िक' मारि देब। लोकसब अपन पहिलौठ बेटासबके दाम तिरिकए छोड़ाएब। 14भविष्यमे, जखन अहाँक कोनो धियापुता पुछत, ‘एहिके अर्थ की अछि?’ अहाँ ओकरा कहबेटा करबैक, ‘यहोवा हमरासबके सामर्थीढंगस' मिस्रस' निकालि लौलनि आ ओतए हमरासबके दास बनएस' स्वतन्त्र कएलनि।15की भेल रहए: मिस्रके राजा अपन देश हमरासबके छोड़ए नहि दैत छल, एहिलेल यहोवा मिस्रीसबके लोकके सबटा पहिलौठ मर्दनाके मारि देलनि, दुनू बेटासबके आ पशु धन सबके प्रथम जनमल मर्दना सबके। एहि कारण हमसब यहोवा लग हमरासबहक पशु धनके पहिलौठ बलिदान करैत छी, मुदा हमसब अपन पहिन जनमल बेटासबके दाम द' क' छोड़बैत छी।’16ई उत्सव जेना अहाँसब अपन कपारमे वा हाथमे किछु बान्हल चेन्ह जकां होएत ई स्मरण करए लेल जे यहोवा अहाँसबके मिस्र देशस' सामर्थीढंगस निकालि लेने छथि।”17जहिया मिस्रके राजा इजराएलीसबके जाए देलनि, परमेश्वर पलिश्तीसबके देश दिस जाएबला रस्ता दिस इजराएली लोकसबके अगुवाइ नहि कएलथि। रस्ता बड़ छोट रहैक तथापि, परमेश्वर सोंचलनि, “यदि शत्रु एकरासबके आक्रमण करत, त' ईसब अपन मन बदलि लेतैक आ मिस्रमे घुरिक' चलि जएतैक।”18बल्कि, परमेश्वर ओकरासबके लाल समुद्र होइत निर्जन स्थानमे घुमाक' ल' गेलनि। इजराएलीसब मिस्रस' निकलैत काल पांति बनाक' निकललथि।  19मूसा अपन संग यूसुफके हड्डी सेहो ल' गेलथि, किएक त' यूसुफ बहुत दिन पहिने इजराएलीसबस' किरिया खिअओने छल जे ओसब एना करत। ओ ओकरासबके कहने रहए, “एकदिन परमेश्वर अहाँसबके स्मरण करथिन। जहिया ओ अहाँसबके प्रतिज्ञाके देशमे ल' क' आओत, त अहाँसब हमर हड्डी नहि भूलिक' अपन संगे लेने जाएब।” 20इजराएलीसब सुक्कोतस' एताम नामक स्थानमे चलि गेल जे निर्जन स्थानके कछेरपर छल।21जं ओसब दिनमे चलल त, मेघके खम्हा जकां यहोवा ओकरासबके आगु-आगु गेलथि जे रस्ता देखा सकए। रातिके समय, आगिके खम्हा जकां ओ गेलथि, एहिलेल ओकरासबके इजोत होइक आ दिनमे आ रातियोमे यात्रा क' सकैक।22यहोवा कहियो नहि ओकरासबके छोड़लनि। ओ दिनमे ओकरासबहक संग मेघके खम्हामे आ रातिमे आगिक खम्हामे उपस्थित छलथि।

Bridge Connectivity Solutions Pvt. Ltd.

https://app.library.bible/content/2acb82c33dca4c67