Exodus12

1किछु समय बाद, मिस्रमे यहोवा मूसा आ हारूनके कहलनि,2“परिवाके दिनस अहाँसब नव महिना गनब शुरु करु। ई इजराएलीसबके वर्षक पहिन महिना होएत। 3इजराएलके सब समुदायके कहि दिऔ, ‘एहि महिनाक दसम दिन जे केओ परिवारक अगुवा अछि से अपन परिवारक लेल एकटा मेमना वा एकटा पठरु लाबए।4यदि ओकर परिवारमे ओहि पकाएल मेमनाके खाएबला बेसी लोक नहि होअए, तखन ओकरा परिवार आ ओकर लगमे रहनिहार दोसर परिवार मिलि क एकटा मात्र मेमना मारएक। ओहि मेमनाके परिवारमे रहल सदस्य संख्या अनुसार आ के कतेक खा' सकैत अछि ताहि अनुसार अपनामे बांटि लेथि।5अहाँ मेमना वा पठरु कोनो चुनि सकैत छी; मुदा ओ मेमना वा पठरु एक वर्षक मर्दना, आ कोनो पय बिना, स्वस्थ होएबाक चाही।6अहाँसबके एहि चढ़ौनाक महिनाके चौदहम दिन धरि नीक जकां ध्यान राखब। ओहि दिन, इजराएलके सारा समुदाय ओहि मेमना वा पठरुके सांझमे मारएक।7जाहि घरमे ओसब माउस खएतैक ताहि घरक चौकठिके तीनू काठमे मारल गेल मेमना वा पठरुके किछु लेहू ल' क लगा दिऔक।8मारल गेल जानबरके माउसके आगिपर झरका क' पकएबाक चाही आ ओहि राति ओहिके खा' लेबाक चाही। ओसब ओहिके तीतगर साग आ खमीरी नहि देल गेल रोटीके संग खएबाक चाही।9एहिमे कांच माउस केकरो नहि खएबाक चाही, आ एहिके पानिमे नहि पकएबाक चाही। अहाँके एना करबाक चाही: सौंसे जानबरके आगिपर झरका क पकएबाक चाही। माथ, टांग, वा भीतरके कोनो भाग नहि निकालू।10दोसर दिनके भोर धरि एहिके कनिको माउस उबारिक नहि राखू। भोर धरि यदि माउस अहाँ नहि खा' सकलहुं त', अहाँसबके एहिके जराक' छाउरक' देबाक चाही।11जखन अहाँसब ई खाएब, अहाँ प्रस्थान करबाक लेल तैयार रहनिहार वस्त्र पहिरने रहब। अहाँसबके पयरमे जूता आ चलबाक लेल हाथमे लाठी होएबाक चाही। अहाँसब एहिके धरफरीमे खाएब। ई हमर, यहोवाके आदरमे एकटा फसह पावनि होएत।  12ओहि राति हम मिस्र भरि जाएब, आ हम मिस्रके दुनू मनुष्यक आ मालजालक, जेठ सबके मारि देबनि। हम मिस्रीसबके ईश्वरद्वारा दण्ड द' रहल छी। हम यहोवा छी। 13अहाँसबके घरमे लेपल लेहू ई चेन्ह देखबैत अछि जे अहाँसब हमर आज्ञापालन करैत छी। जं हम ओ लेहू देखब, एहन घरसबके तड़पि जाएब। ओहि घरमे रहल लोकसबके कोनो हानि नहि करबनि जखन हम नाश करएबला महामारीस' मिस्रीसबके दण्ड देब' आएब। 14अहाँ एहि दिनके पावनि जकां बना देब ई स्मरण आ उत्सव मनाबए जे हम, यहोवा अहाँसबहक लेल की कएने होएब। अहाँसबहक लेल ई नियम अछि: प्रत्येक पुस्ताके इजराएलीसब प्रत्येक वर्ष उत्सव सर्वदाके लेल मनएबाक चाही।15सात दिनधरि अहाँसबके रोटी खएबाक अछि जाहिमे अखमीरी नहि होइक। ओहि सप्ताहके पहिन दिन, अहाँसबहक घरमे रहल सबटा खमीर निकालि देब। एहि सात दिनभरि, यदि केओ खमीर भेटल रोटी खएलक त', एहन व्यक्तिके इजराएलीसबके बीचस' नाश क' देब।16प्रत्येक सप्ताहके पहिन दिनमे, अहाँ पवित्र सभा राखब। अहाँ एहने विश्रामक दिन सेहो करब। लोकसब एहि दू दिन कोनो काज नहि करए। अहाँसब भोजन बनाक खाए जोगर काज मात्रे करब।17एहि दिन अहाँसब अखमीरी रोटीके पावनि उत्सव मनएबाक चाही किएक त' एहि दिन ठीक एहि समय हम अहाँसबहक सबटा कुलके मिस्रके दासत्वस' छुटकारा दैत होएब। ई अहाँक लेल व्यवस्था अछि: सब समयके इजराएलके प्रत्येक पीढ़ी ई स्मरण करए ई पावनि मनाबए जे एहि दिन अहाँसबके हम छुटकारा देलहुं।18वर्षक पहिन महिनाक चौदहम दिनक सांझमे, अहाँसबके रोटी जाहिमे खमीरी होइक बंद करए चाही। अहाँसबके खमीर भेल रोटी ओहि महिनाक एकैसम दिनक सांझ धरि नहि खएबाक अछि।19किएक त' ई सात दिन अहाँसबके घरमे कनिको खमीर नहि होएबाक चाही। ओहि समय धरि, यदि केओ विदेशी आ इजराएलीसब रोटी खाए जाहिमे खमीर होअए, ओहन लोकके अहाँक समुदायस' निकालि देबाक चाही।20खमीर नहि खाउ। जत कतौ अहाँ रहब, एहन रोटी खाएब जाहि अखमीरी नहि रहैक।’”21तेकरबाद मूसा इजराएली सबटा अगुवाके बजौलनि। ओ हुनकासबके कहलनि, “प्रत्येक परिवार हेंड़मेस' एकटा मेमना वा पठरु लिअ आ जेकरा अहाँसब ‘फसह’ पावनि कहबनि से मनाबए लेल ओहिके मारिक' आ खाउक।22एकटा वर्तनमे मेमनाके लेहू नीकस' बहा देल जाए। हिसपके झौंखा लिअ आ एहिके ओहि लेहूमे चोपकारि लेब। तखन किछु लहुके अहाँक घरसबके चौकठि आ द्वारिके आओर काठपर लगा दिऔ। ओहि घरमे रहल लोकसब भोर धरि घर भीतरे रहैक।23जखन यहोवा मिस्रमे भ' क' ओकरासबहक प्रत्येक जेठ बेटाके मारएलेल जएतथि, ओ अहाँके चौकठिपर लेहू लागल देखतथि। एहि कारण, ओहि घरसबके छोड़ि आ मारिक नाश करएबलाके ओहि घरमे अहाँके जेठ बेटासबके मारएलेल नहि ढुकए देथिन।24अहाँ आ अहाँक पुस्तासब एहि विधिके सर्वदाक लेल मनाबए पड़त; ई व्यवस्था अछि।25जहिया अहाँ ओहि देशमे जाएब जे अहाँसबके देबाक प्रतिज्ञा यहोवा कएने छथि, अहाँसबके ई काज प्रत्येक साल करैत रहबाक चाही।26जं अहाँसबके बालबच्चा अहाँके पुछए, ‘एहि काजके अर्थ की अछि?’27अहाँ ओकरासबके कहबनि, ‘जहिया अहाँके पूर्वज मिस्रमे रहए ओहि राति यहोवाके दूत इजराएलीसबके घरके छोड़ि देलथिन’ ताहि राति अहाँक पूर्वज मेमना बलिदान कएने रहैक ताहिके स्मरणमे ई विधि अछि। ओ मिस्री घरसबमे रहल जेठ बेटाके मारि देलनि, मुदा ओ हमरासबहक घरके बेटासबके नहि मारलथि।” एहिलेल फसहके ई बलिदान कएल जाइत अछि। मूसा इजराएलीसबके ई कहलाक बाद, अगुवासब अपन माथ निहुरएलनि आ यहोवाके आराधना कएलनि।28तखन इजराएलीसब ठीक ओहिना कएलनि जेना हुनकासबके मूसा आ हारून करएलेल यहोवा कहने रहथि।29मध्य रातिमे यहोवा मिस्र भरि, मिस्रीसबक जेठ बेटासबके मारि देलनि। एहिमे राजाक जेठ बेटा जे सिंहासनपर बैसल छल ताहिस' ल' क', कैदमे रहल जहलमे रहलसबके जेठ बेटा धरि, आ मिस्री सबहक सबटा मालजालक पहिलौठ मर्दना बच्चा धरि सहभागी छल।30ओहि राति राजा, आ हुनक सब अधिकारी, आ बांकी मिस्रीसब उठल आ जे भेल रहए से बुझि गेलनि। ओसब मिस्र भरि जोर-जोरस' कानए लागल, किएक त' प्रत्येक घरमे जेठ बेटा मरल छल।31ओहि राति ओ राजा मूसा आ हारूनके बजौलनि आ कहलनि, “अहाँ आ आओर बांकी सब इजराएलीसब, उठू, आ हमर लोक लगस' आ हमरा देशस' एखने चलि जाउ! जेना अहाँसब अनुरोध कएने छलहुं, जाउ आ यहोवाके आराधना करु!32अहाँसब अपन मालजालक बथानसब आ भेंड़ बकरीके हुंज सब सेहो ल' जाए सकैत छी। कहुना चलि जाउ! यहोवाके हमरा आशीर्वाद देब सेहो कहि देबनि!”33मिस्रीसब इजराएलीसबके मिस्रस' जल्दिए चलि जाएके दबाव देलकनि। ओसब कहलनि, “नहि त, हम सबगोटे मरि जाएब!”34एहिलेल इजराएलीसब एके बेर जाएलेल तैयार भ' गेल। ओसब जाहि वर्तनमे रोटी बनाबएबला अंटा सनने छल से वर्तनके आ ओहि वर्तनमे जे बिना खमीरके सानल अंटाके ल' लेलनि, आ ओहि वर्तनके कपड़ास' बान्हि लेलनि। ओसब ओहि वर्तनसबके अपन अपन कान्हपर ध' लेलनि।35तेकरबाद इजराएलके लोकसब मूसाके कहल अनुसार कएलनि। ओसब अपन मिस्री पड़ोसी लग गेलथि आ ओकरासबस' सोना चानी आ कपड़ा मंगलनि। 36यहोवा मिस्रीसबके इजराएलीसबपर बेसी आदर देखौलनि, एहिलेल ओसब जे जे मंगलनि से से ओसब द' देलनि। एहि तरहे, इजराएलीसब मिस्रीसबक सम्पत्ति ढो क' ल' गेलथि।37इजराएलीसब रामसेस सहरस सुक्कोत सहर धरि यात्रा कएलनि। ओतए स्त्री आ धियापुतासबके छोड़ि क लगभग छ लाख पुरुष रहए जे गमन कएलनि।38बहुते लोकसब जे इजराएली नहि रहए सेहो लोकसब हुनकासब संग चलि पड़ल। मालजालक बथानसब आ भेंड़ बकरीके हुंज सब सहित बेसी संख्यामे पशु धन सब छल।39फेरु इजराएलीसबके मिस्रस' लगले स' निकलए पर एतेक बाध्य क देल गेल जे एकरा सबहक संगमे ल' क' जाएलेल भोजन तैयार करबाक वा रोटीके अंटामे खमीरी धरबाक समय नहि छल। जखन ओसब मिस्रस' लएने सानल अंटा स' रोटी बनौलनि, ओसब चाकर रोटी बनौलनि किएक त' ओहिमे खमीरी नहि धरए पओने छल।40इजराएली लोकसब मिस्र देशमे 430 वर्ष धरि रहलथि।41जाहि दिन 430 वर्ष समाप्त भेल, ठीक ओहि दिन, यहोवाके लोकक सब घराना मिस्र छोड़ि देलनि।42इजराएलीसब ओहि राति जंगलेमे रहि गेलै जहिना यहोवा हुनकासबके मिस्रस' बाहर निकालि लौलनि। ताहिके लेल सालक प्रत्येक ई राति अछि जे ओसब यहोवाके समर्पित करैत छथि, एहि रातिके जहिया इजराएली आ प्रत्येक पुस्ताके ओकर सन्तानसब स्मरण करत जे कोना यहोवा ओहि राति हुनक पूर्वजसबके सुरक्षा कएलथि।43तखन यहोवा मूसा आ हारूनके कहलनि, “फसह विधिके विषयमे एहन व्यवस्था अछि: फसहके भोजन कोनो परदेशी नहि खाए।44मुदा केओ दाम द' क' दास किनैत अछि आ ओकरा खतना करैत अछि, ओहन दास फसहके भोजन खाए सकैत अछि।45अहाँसबहक बीचमे कनिके दिनक लेल रहनिहार जे सब इजराएली नहि अछि वा एहन नोकर जेकरा अहाँ दरमाहा द' क' रखने छी से खाए सकैत अछि।46अहाँसबके कोनो घर भीतरे ई फसहके सारा भोजन खाएके अछि। एहिमेके कनिको माउस घरक बाहर नहि जाएके चाही। मेमनाके कोनो हड्डी नहि तोड़ब।47सब इजराएली समुदायके ई उत्सव मनाबहे पड़त।48जं कोनो परदेशी अहाँसबसंगे रहएलेल आबए आ यहोवाके फसह पावनि मनाबए चाहे, ओकरा घरमें रहल सब पुरुषके खतना कएल जाए। तखन ओसब फसहके भोजन खाए सकैत अछि, आ अहाँसब ओहन लोकके जनमल इजराएली जकां व्यवहार कएल जएबाक चाही। मुदा खतना नहि भेल पुरुषके फसहके भोजन खाए लेल अनुमति नहि देबाक चाही।49जे इजराएलीक जनमल होअए आ ओहि परदेशी सबहक लेल जे अहाँसबहक मध्यमे रहएलेल आबए तेकरालेल ई नियम अछि।”50यहोवा मूसा आ हारूनके जे आदेश देने रहथि से इजराएलीसब बात मानलनि।51ठीक ओहि दिन, यहोवा सब इजराएलीके एक कुलके बाद दोसर कुलके क्रममे मिस्रस' निकालि लौलथि।

Bridge Connectivity Solutions Pvt. Ltd.

https://app.library.bible/content/2acb82c33dca4c67