Exodus11

1यहोवा मूसाके कहलनि, “हम मिस्रके राजा आ हुनक सब लोकपर एकटा आओर विपति लाएब। तेकरबाद, ओ अहाँसबके जाए देत। जखन हम एना करब, तखन ओ अहाँसबके नीक जकां मिस्रस' रेबारिक' भगा देत।2तखन, झटस' सब इजराएलीके कहियौ। मिस्री स्त्री आ पुरुष दुनू पड़ोसिया सबस' सोना आ चानीस' बनल गहनासब मांगए कहबनि।”3यहोवा मिस्रीसबके इजराएलीके सहायता करबाक मोन बना देलनि। आओर, राजाके अधिकारीसब आ मिस्रके आओर लोकसब सोंचलनि जे मूसा सेहो मिस्री लोकसबमेस' एकटा महान व्यक्ति छथि।4तखन मूसा मिस्रके राजालग गेलनि आ कहलनि, “यहोवा एना कहैत छथि: ‘हम मध्य रातिमे मिस्र दने जाएब,5आ हम मिस्रीके सिंहासनपर बैठएबला पहिन जनमल जेठ बेटाके मारि देब। हम कोनो अपवाद बिना:धनीक राजाके जेठ बेटा, जंता पिसए वला गरीब दासके जेठ बेटा, आ मालजालके जनमल पहिलौठ मर्दनाके मारि देब।6जखन एना होएत, मिस्र भरिके लोकसब एहन विलाप करएस' बेसी आ केओ कहियो एतेक करत ओहूस' बेसी भयानक विलाप करत।7मुदा इजराएलीसब वा ओकरासबहक मालजाल दिस कोनो कुकुरो नहि भुकतैक। तखन अहाँ निश्चितरुपस' जानि लेब जे हम, यहोवा, मिस्रीसब आ इजराएलीसबस' अलग तरहे व्यवहार करैत छी।’8तखन तोहर सबटा अधिकारी हमरा आगु आओत आ ठेहुनियां द' निहुरत आ कहत, ‘कृपया मिस्रस' चलि जाउ, अहाँ आ अहाँसंगे जे केओ अछि!’ ताहिके बाद, हमसब मिस्र छोड़ि देब!” जहिना मूसा ई कहलनि, ओ राजालगस' पित्तस' क्रोधित भ' क' चलि गेल।9तेकरबाद यहोवा मूसाके कहलथि, “राजा अहाँक बात नहि मानत। ई एहिलेल जे हम एहि मिस्र देशमे बहुते आश्चर्यजनक चमत्कार करा सकी।”10मूसा आ हारून ईसब चमत्कार राजाके सामने कएलनि, मुदा यहोवा राजाके हठी बना देलनि। ओ राजा इजराएलीसबके अपन देशस' छोड़ि क नहि जाए देलनि।

Bridge Connectivity Solutions Pvt. Ltd.

https://app.library.bible/content/2acb82c33dca4c67