Exodus10

1बड़का-बड़का पत्थल वर्षा भेलाके बाद, यहोवा मूसाके कहलथि, “राजालग फेरु जाउ। हम हुनका आ हुनक अधिकारीसबके कठोर बना देने छी। हम एना एहिलेल कएने छी जाहिस' जे हुनकासबहक बीचमे हमरा ईसब चमत्कारके काजसब करबाक लेल ठीक कारण होइक2हम अहूं लेल कएने छी जे अहाँसब अपन बालबच्चाके आ अहाँसबहक नाती पोताके कहबामे सक्षम होएब जे कोना हम ई चमत्कार मिस्री सबहक बीचमे कएलहुं त' ओकरासबके संग कतेक कठोरतापूर्वक व्यवहार कएने छलहुं। तखन अहाँ सबकेओ जानि सकैत छी जे हम यहोवा छी।”3एहिलेल मूसा आ हारून राजालग गेलथि आ हुनका कहलनि, “यहोवा परमेश्वर, जेकरा हमसब हिब्रूसब आराधना करैत छी ई कहैत छथि, ‘कहिया धरि हमरा आगु हठपूर्वक झुकए स' अस्वीकार करब? हमर लोकसबके जाए दिअ जाहिस' ओसब हमरा निर्जन स्थानमे आराधना क' सकए!4यदि अहाँ ओकरासबके नहि जाए देलहुं, हम अहाँके चेतावनी दैत छी जे काल्हि अहाँक देशमे फनिगासबके झुण्ड पठाएब5ओसब देशके पूरा झांपि देत एहिलेल जे अहाँ ओकरा देखहो नहि सकब। ओसब ओहिसबके खा लेत जे पत्थल नाश नहि कएने छल। ओसब अहाँके बढ़ैत फलक गाछसबके खा' लेत।6ओसब अहाँक घर आ अहाँक अधिकारीसबके घर आ बांकी मिस्री लोकसबके घरमे भरि जाएत। जहियास' ई देश अस्तित्वमे आएल तहियास' अहाँक पिता पूर्वज आ बाप दादा सब देखने फनिगासब स' बेसी फनिगासब होएत!’” तखन मूसा आ हारून राजालगस' घुरिक चलि आएल।7मिस्रके राजाक अधिकारी हुनका कहलनि, “ई अपनासबके लेल दोसर फन्दा भ' सकैत अछि! इजराएलीसबके जाए दिऔ जाहिस ओसब अपन परमेश्वर, यहोवाके आराधना क' सकए। अहाँ जनैत छी जे अपन देश पहिनहिस वर्वाद भ' गेल अछि।”8मूसा आ हारूनके राजालग लाओल जाए राजा केकरो आदेश देलनि। ओ ओअर सबके कहलनि, “अहाँसब अपन ईश्वर, यहोवाके आराधना करए जाउ। मुदा अहाँके सब जाएब?”9मूसा उत्तर देलनि, “हमरा सबगोटेके जाएब आवश्यक अछि, जे बूढ़ अछि आ जे जवान अछि मिलि क, सब केओ। हमसब अपन बेटा, बेटी, आ भेंड़ आ बकरीके हुंज आ मालजालक बथानसब ल' क' जाएब आवश्यक अछि किएक त' यहोवाके आदरमे उत्सव हमरासबहक लेल अछि।”10राजा उत्तर देलनि, “हम अहाँसबके बाल-बच्चा आ स्त्रीसब सहित जाए देब लेल तैयार नहि छी किएक त' हमरा नहि बुझाइए जे यहोवा अहाँसबहक सहायता करएबला अछि। सावधान रहू जे अहाँसंग किछु खराब नहि भ' जाए!11किएक त' अहाँसब कहिते के कहिते छी, अहाँसब पुरुषसब मात्र यहोवाके आराधना करए जाउ!” तखन राजा मूसा आ हारूनके भगा देलनि।12तखन यहोवा मूसाके कहलनि, “अपन हाथ मिस्रपर उठाउ आ फनिगासबके झुण्ड आबिक' देशके झांपि देतैक। ओसब देशमे सब हरियरी खा' जाएत, जे किछु पत्थलस' बंचि गेल छल।”13एहिलेल मूसा अपन लाठीके मिस्रदेशके उपर उठबैत जेना बढ़लाह। तखन यहोवा पूर्वी हवा चला देलनि, आ ई देशभरिमे ओहि दिन आ राति भरि चलल। काल्हि भोरे, ओ फनिगासबके लाबि लेने रहैक।14ओ फनिगासब मिस्र देशभरिमे चलि आएल छल। ओसब मिस्रमे सब जगहमे छी गेल छल। एतेक बेसी मात्रामे फनिगासब देशमे कहियो नहि आएल छल, आ फेरुस एहन कहियो नहि होएत।15ओसब मिस्रदेशके भूमिके सब सतहके झांपि देलक आ ई कारी देखाइत छल। ओसब देशमे बचल सबटा गाछ खा' गेल आ गाछ परका सब किछु खा' गेल जे पत्थल नहि नाश कएने छल। मिस्रमे कोनो गाछ वा गाछपर कोनो हरियरी नहि छोड़लक।16राजा झटस' मूसा आ हारूनके बजौलनि आ ओकरासबके कहलनि, “हम यहोवा, अहाँक ईश्वर, आ अहाँक विरुद्ध पाप कएने छी।17की एहिबेर कएल पापके हमरा एखने क्षमाक' सकैत छी? कृपया यहोवा, अहाँक ईश्वर संग प्रार्थना करु। एहि टिड्डी सबके ल' जाए कहियौन जे हमरासबके मारि देत।”18एहिलेल मूसा आ हारून राजालगस' चलि गेलथि, आ मूसा यहोवासंग प्रार्थना कएलनि।19तखन यहोवा हवाके रुख बदलि देलनि एहिलेल ओ पश्चिमस' बड़ जोरस' बहल, आ सब फनिगासबके उठाकए आ लाल समुद्रमे खसा देलनि। आब कनिको आ एकोटा फनिगासब मिस्र देशमे नहि रहि गेल।20मुदा यहोवा राजाके फेरुस हठी बना देलनि, आ राजा इजराएलीसबके नहि जाए देलनि।21यहोवा मूसाके कहलनि, “अहाँ अपन हाथ उपर आकाश दिस उठाउ एहिलेल जे मिस्र देशमे अन्हार भ' जाए, एतेक अन्हार भ' जाए जे लोकसब किछु नहि छुबि सकए।”22एहि कारण मूसा अपन हाथ उपर आकाश दिस उठएलनि, आ मिस्र देशमे तीन दिन आ तीन राति धरि घनघोर अन्हार भ' गेल।23केओ केकरो नहि देख सकैत छल। केओ तीन दिन धरि कतहु नहि गेल। मुदा जत इजराएलीसब रहैत छल ओतए इजोत रहए।24राजा मूसाके बजाकए कहलनि, “ठीक अछि जाउ अहाँसब आ यहोवाके आराधना क' सकैत छी। अहाँसब बालबच्चा आ स्त्रीसब संग जा' सकैत छी। मुदा अहाँक हुंज सब भेंड़ आ बकरीक आ बथानसब मालजाल एतहि रहत।”25मुदा मूसा उत्तर देलनि, “नहि, हमरासबहक परमेश्वर, यहोवाके लेल बलिदान आ होमबलिक लेल हमरासबके चढ़ौनाके लेल जानवरसब सेहो ल' जाए दिअ।26हमरासबहक पोसुआ मालजाल सेहो हमरासबहक संग जाएत। हमसब मालजाल एत नहि छोड़ब किएक त' हमसब एकरासबके जाहि परमेश्वरके हमसब आराधना करैत छी, यहोवाके आराधना करए सेहो ल' क' जाएब। हमसब नहि जनैत छी जे यहोवाके आराधना करबाक लेल हमरासबके की आवश्यक अछि जाधरि जत हमसब जाए छी ओतए पहुंच नहि जाएब।”27मुदा यहोवा राजाके आओर हठी बनौने रहए देलनि। राजा इजराएलीसबके नहि जाए देलनि।28राजा मूसा आ हारूनके कहलनि, “एतस' भागि जो! हमरालग आब कहियो नहि आबिक देखाइ देब से नीकस' सोचिले! जहिया तों हमरा देखाइ देले, तोरा केकरोस' मरबा देबौ!”29मूसा उत्तर देलनि, “अहाँ ठीके कहलिऐ! हम अहाँस' कहियो नहि भेट करब!”

Bridge Connectivity Solutions Pvt. Ltd.

https://app.library.bible/content/2acb82c33dca4c67