Esther8

1ओहि दिन राजा क्षयर्ष रानी एस्तरके ओसब सम्पत्ति द' देलनि जे हामानक छल। ओ यहूदीसबहक शत्रु छल। एस्तर राजाके मोर्दकैके विषयमे कहलनि, एहि बातक पता चललनि तखन राजा मोर्दकैके हुनकालग आबएलेल बजौलनि।2जखन राजा हामानके फांसीक सजाय सुनौलनि, राजा हामानस' ओ औंठी ल' लेने छलाह जाहिपर राजाक अधिकारीक मोहर लागल छल। राजा आब औंठी निकालि लेलनि आ मोर्दकैके द' देलनि। एस्तर मोर्दकैके सेहो हामानक सबटा संपत्तिक प्रभारी बनौलनि।
3एस्तर फेरु राजालग हुनकास' बात करएलेल आबि गेलीह। एस्तर ठेहुनियांं द' क' अपन चेहरा ठीक हुनकर पयरपर राखि लेलनि। ओ कनैत-कनैत हुनकास' निहोरा कएलनि जे अगागी हामानके यहूदीसबके नाश करबाक भयावह योजनाके रोकि देल जाए।4राजा अपन सोनाके राजदंड एस्तर दिस बढ़ौलनि, तएं ओ उठिक' राजा दिस तकैत, ठाढ़ भ' गेलीह।5तखन एस्तर बजलीह, “महामहिम, जं अपनेके ई काज सही बुझाति अछि, आ जं अपने हमरास' प्रसन्न छी त' कृपाक' एकटा नव पत्र लिखियौ जे हम्मदाता अगागीक बेटा हामानद्वारा पठाओल गेल पत्रके रद्द क' सकैत।” पत्रसबमे अहाँक साम्राज्यमे सबठाम यहूदीके नाश करबाक बात कहल गेल छल।6किएक त' हमर लोकक संग जे भयावह घटना होएत, से देखब हमरा सहन नहि भ' सकत। ओसब हमर सगा-सम्बन्धी छथि। ओकरासबके नाश करैत देखब हमरा सहन नहि भ' सकैत अछि।
7राजा क्षयर्ष रानी एस्तर आ यहूदी मोर्दकैके उत्तर देलनि, “जेना अहाँसब जनैत छी, हम एस्तरके हामानक सबटा सम्पत्ति द' देलिऐ, आ हमर नोकरसब हामानके लकड़ीक खम्हापर फांसी लटका देलक। किएक त' ओसब यहूदीके मारए चाहैत छल।8अहाँसबके इहो बुझल अछि जे हमर नाम आ हमर अधिकारीक मोहरपर लिखल पत्रके केओ रद्द नहि क' सकैत अछि, तएं अहाँसब ई अवश्य करु। जेना अहाँसब नीक बुझति छी, यहूदीसबके मदति करबाक लेल एकटा नव पत्र लिखबाक चाही। हम अहाँसबके अनुमति दैत छी जे ओहिपर हमर, राजाके नाम लिखू आ ओहिपर हमर अधिकारीक मोहरबला औंठीस' मोहर लगा दिऔक।”
9तएं राजा अपन शास्त्रीसबके बजाबएलेल पठौलनि। ओसब एकटा चिट्ठी लिखलनि जे मोर्दकै हुनकासबके कहने छलथि। क्षयर्षक राज्यकालक बारहम वर्षके तेसर मासक तइसम दिन, सिवान मासमे। पत्र यहूदीके सम्बोधित छल, मुदा ओ राजकीय अधिकारी आ प्रत्येक प्रान्तके राज्यपाल आ अगुवासबके पत्रके प्रति सेहो पठौलनि। क्षयर्षके साम्राज्यमे 1 सय 27 प्रान्त छल, जे भारतस' इथियोपिया धरि पसरल छल। शास्त्री लोकनि प्रत्येक प्रान्तमे रहनिहार लोकक भाषामे लिखैत छलाह, आ प्रत्येक समूह अपन अपन वर्णमालाके प्रयोग करैत छल। यहूदीसबके अपन वर्णमाला आ अपन भाषामे विशेषरुपस' लिखैत छलथि। 10मोर्दकै राजा क्षयर्षके नामपर हस्ताक्षर करओलनि, आओर ओहिपर अंगूठीक मोहर लगा देलनि, जाहिपर राजाक अधिकारीक मोहर लागल छल। घोड़ापर सबार पत्रवाहक चिट्ठी पहुंचबैत छल। ओसब तेज घोड़ापर सबार होइत छल जे मात्र राजाक सेवाक लेल बनल छल। एहि घोड़ासबके जन्म राजाक अपने अस्तबलमे भेल छल।11पत्रमे कहल गेल छल जे राजा पूरे साम्राज्यमे यहूदीसब सब शहरस' एकठाम जम्मा होअए आ अपन रक्षा क लेल लड़बाक अनुमति दैत अछि। राजाके पत्र सेहो अनुमति देत अछि जे प्रान्तके कोनो व्यक्ति अथवा कोनो सशस्त्र आदमीक समूहके पूर्णरुपस' समाप्तक' सकैत अछि, जे हुनकासबपर आक्रमण करत। जे स्त्री आ बच्चाके मारि सकैत अछि, आ लोकक सम्पत्ति सेहो लुटि सकैत अछि, जेकरा ओसब मारत।12पत्रमे क्षयर्षके सम्पूर्ण साम्राज्यक प्रत्येक प्रान्तके सबटा यहूदीसभके एकहि दिन, बारहम मासक तेरहम दिन, अदार मास, ओहि वर्षमे अनुमति देल गेल छल।13पत्रमे अधिकारीसबके कहल गेल छल जे पत्रक प्रतिलिपिसब प्रान्तमे राखि दिऔक, जत सब देख सकए, जाहिस' लोकसबके बुझए' मे अबैक जे राजा ई आदेश देने छथि आ यहूदीसब एहि बातके क' सकथि, जखन ओ दिन आबि जाए। अपन दुश्मनसबके संग लड़बाक लेल तैयार रहू।14राजा जल्दी जाएबला घोड़सवार दूतसबके आदेश देलनि जे जल्दीस' जल्दी चिट्ठी पहुंचबाउ। राजाक अधिकारीलोकनि सेहो राजधानी शहर शूशनमे नवका कानूनके घोषणा कएलनि।
15राजा मोर्दकैके राजकीय वस्त्र देलनि जे आब ओ हुनकर सबस' महत्वपूर्ण अधिकारी छथि। नील आ उज्जर राजवस्त्र, सोनाके पैघ मुकुट आमेही सनस' बनल बैगनी रंगके वस्त्र देलनि। मोर्दकै ओहिके पहिरक' महलस' बाहर निकलि गेलथि। जखन शूशन शहरके लोकसब ओहिके देखलक त खुशीस' चिचिआ उठल।16शूशनमे यहूदीसब बहुत हर्षित भेल आ आन लोकसब ओकरासबके आदर कएलनि।17प्रत्येक प्रान्त आ नगरमे, जतए-जतए दूतसब राजाक आज्ञाक घोषणापत्र अनैत छल, ओतएके यहूदीसब बहुत हर्षित होइत छल आ महान-महान पर्व मनबैत छल। साम्राज्यक अन्य समूहक बहुते लोक यहूदीसबस' बेसी डेरा गेल तएं ओसब अपनेस' यहूदी बनि गेल।

Bridge Connectivity Solutions Pvt. Ltd.

https://app.library.bible/content/2acb82c33dca4c67