Esther7

1एहि तरहें राजा आ हामान भोजमे गेलाह जे रानी एस्तर हुनकासबके लेल व्यवस्था कएने छलीह।2ओहि दोसर भोजमे जखन ओसब दाखमद्य पीबि रहल छलाह तखन राजा एस्तरस' फेरु पुछलनि, “आब हमरा कहूं? जे अहाँके की चाही, रानी एस्तर? आ हम अहाँक लेल ई काज करब। अहाँ जे किछु मांगब, हम देब, चाहे ओ कतबो नमहर किएक ने होअए।”3तखन रानी एस्तर बजलीह, “हे राजा, हमरा विस्वास अछि जे, जं अहाँ हमरास' प्रसन्न होएब त' हम अहाँस' जे किछु मांगब से अहाँ पूरा करबाक लेल तैयार रहब।” हे, हमरा जिअए दिअ, आ हमर लोकके बचाउ। इएह हम मांगैत छी।4“हम अहाँस' आग्रह क' रहल छी किएक त' केओ हमर लोक आ हमरा हमर दुश्मनसबके हाथमे द' देने अछि, आ ओ हमरासबके पूर्णरुपस' नाश करएबला अछि। जं कोनो पुरुष आ स्त्रीके गुलाम बनाक' बेचि देने होइत त' हम एहि विषयमे किछु नहि बजितहुं।” किएक त ओकरासबहक संग हे राजा! अहाँके परेशान करब एतेक महत्वपूर्ण नहि होएत।
5तखन राजा क्षयर्ष रानी एस्तरके उत्तर देलनि, “ई के कएलक? एहन काज करएबला हिमतगर पुरुष कत' अछि?”6एस्तर उत्तर देलनि, “जे पुरुष हमरासबहक विरोधी अछि, ओ दुष्ट हामान अछि!” तब हामान राजा आ रानीके सामने भयभीत भ' गेलै।7राजा एतेक ने क्रोधित भ' गेलथि जे ओ उठिक', दाखमद्य भोजस' विदाह भ' गेलाह। ओ महलक गाछमे गेलाह। मुदा हामान रानी एस्तर लग अपन जान बचाबएलेल निहोरा करए भीतरीमे रहि गेल, कारण ओकरा बुझएमे आबि गेलनि जे राजा ओकरा मारए चाहैत छथि।8जखन ओ अपन जीवन रक्षा क निहोरा क रहल छलथि, तखन हामान एस्तरक बहुत लगमे आबि गेल छल। ओ एकटा पलंगपर ओंगठल छलथि। जखन राजा महलक गाछीमेस' ओहि कोठलीमे घुरलाह, जत ओसब दाखमद्य पीबि रहल छलथि। तखन राजा आश्चर्यचकित भ' क' बजलाह, “ओ हमरे लगमे आ हमर अपने घरमे रानी उपर बलात्कार करबाक प्रयास क' रहल अछि!” राजा ई बात कहैत देरी सेवक हामानक मुंह झांपि देलक।
9तखन हर्बोना जे राजाक व्यक्तिगत संरक्षकमेस' एक छल, ओ कहलनि, “हे राजा! हामान अपन घरपर पच्चीस मीटर उच्च एकटा खम्हा सेहो ठाढ़ कएने छथि, कारण ओ मोर्दकैके ओहिपर लटकाबए चाहैत छथि। मुदा मोर्दकै अहाँक जान बचा लेलक।” राजा कहलनि, “ओहिपर हामानके लटका दिऔक!”10राजाक आदेश अनुसार ओ हामानके ओहि खम्हापर लटका देलक जे ओ मोर्दकैक लेल ठाढ़ कएने छल। तखन राजाक पित्त कम भेलनि।

Bridge Connectivity Solutions Pvt. Ltd.

https://app.library.bible/content/2acb82c33dca4c67