Esther9

1ओहि वर्षके बारहम् मास अर्थात् आदर मासक तेरहम् दिन, राजाक ओहि पत्रमे जे कहल गेल छल, ताहिमे सबगोटेके ओ काज करबाक समय आबि गेल छल। यहूदीक शत्रुसबके ओहि दिन यहूदीसबहक विनाश करबाक अपेक्षा कएल गेल रहैक। मुदा ओकर ठीक उनटा भेल। एहिके स्थानपर यहूदीसब अपन शत्रुसबके नाश क' देलक।2क्षयर्षके सौंसे साम्राज्यमे यहूदीसब अपन अपन शहरमे एकजुट भ' क', ओहि लोकसबस' अपनाके बचबैत छल जे ओकरासबके हानि पहुंचाबए चाहैत छल। केओ ओकरासबहक विरुद्ध लड़ि नहि सकल, कारण साम्राज्यमे सबकेओ ओकरासबस' बहुत डेराइत छल, तएं यहूदीसबपर आक्रमण करएबला केकरो मदति नहि कएलक।3प्रत्येक प्रान्तके सब अगुवा, राजकीय अधिकारी, राज्यपाल आ राजाके लेल काज करएबला लोकसब यहूदीए सबके मदति करैत छल, कारण ओसब मोर्दकैस' बहुत डेरा गेल छल।4ओसब मोर्दकैस' डेराइत छल, कारण ओ एकटा बहुत महत्वपूर्ण राजकीय अधिकारी छलाह। पूरे साम्राज्यमे सब सुनैत छल जे ओ कतेक महान छथि, कारण मोर्दकै बेसीस' बेसी प्रभावशाली भ' रहल छलथि।
5यहूदीसब अपन हथियार उठएलनि आ अपन सब शत्रुस' लड़लथि। यहूदीसब ओकरासबके साफे विनाशक' देलक। दुश्मनके विरुद्ध जे किछु करए चाहैत छल, से क' सकैत छल।6राजधानी शूशनमे यहूदीसब पांच सय लोकके मारि देलक।7ओ हामानक दसो पुत्रसबके सेहो मारि देलक। हुनक बेटासबहक नाम छलनि: पर्शन्दाता, दल्पोन, अस्पाता,8पोराता, अदल्या, अरीदाता,9पर्मशता, अरीसै, अरीदै आ वैजाता,10ईसब यहूदीसबहक शत्रु हम्मदाताक बेटा हामानक दसटा बेटा छल। यहूदीसब ओकरासबके मारि देलक, मुदा ओकरासबके जे वस्तु जत रहए, से नहि लेलक।11दिनके अन्तमे के ओ भीतर आबि राजाके कहलक जे राजधानी शूशनमे यहूदीसब कतेक लोकके मारि देलक।
12राजा, रानी एस्तरके कहलनि, “एत राजधानी शूशनमे यहूदीके लोकनि पांच सय लोकके मारि देने छथि, जाहिमे हामानक दसटा बेटा सेहो छै। हमर बांकी राज्यमे ओसब आओर बेसी गोटेके मारि देने होएत! आब, आओर की चाही? कहू, हम अहाँक लेल ओ करब। अहाँ जे कहब, से हम अहाँक लेल करब। तएं अहाँ जे चाहैत छी, से कहूं।”13एस्तर जबाब देलीह, “यदि अहाँके ई एकटा निमन योजना लगैत अछि, त' हे राजा! शूशनमे रहनिहार यहूदीके काल्हि फेरु ओएह काज करएके अनुमति दिऔन्ह, जे आइ करएलेल देने छलिएन्हि। एहिके संगे सेवकसबके आज्ञा देल जाओ जे हामानक दसो पुतक लाशके लकड़ीक खम्हापर लटका दैक।”14राजा ओएह कएलनि जेना कहने छलथि। ओ शूशनमे एकटा आज्ञा जारी कएलनि यहूदीसबके दोसर दिन फेरुस' अपन शत्रुसबस' लड़बाक अनुमति देलनि आ हामानक दसो बेटाके फांसीपर लटका देल जाए।15आ तएं अदार मासक चौदहम दिन शूशनमे रहनिहार यहूदीसब फेरु जम्मा भ' गेल आ शूशनमे तीन सय आओर आदमीके मारि देलक। मुदा ओसब ओहि आदमीसबके वस्तुसब नहि लेलक।
16साम्राज्यके अन्य भागमे जे यहूदी रहैत छल अपन जीवन बचाबए अदार महीनाक तेरहम दिनमे संगे लड़एलेल जम्मा भ' गेल आ अपन शत्रुके पराजीत करैत पचहतरि हजार लोकके हत्या क' देलक। मुदा ओहोसब अपन शत्रुसबहक वस्तु नहि लेलक।17अदार मासक तेरहम दिन अपन शत्रुपर बिजय क' चौदहम दिन विश्राम कएलनि। चौदहम दिन खुशीपूर्वक उत्सव मनाबए लेल समर्पित कएलनि।18मुदा शूशनमे यहूदीलोकनि अदार मासक तेरहम् आ चौदह् मे दिन एकत्रित भ' गेलाह। पन्द्रहम् दिन विश्राम कएलनि। ओहि दिनके ओसब आनन्दमय ढंगस बितौलनि।19तएं शहर आ गामसबमे रहनिहार लोकसब यहूदीसब अदर मासक चौदहम दिन आ पन्द्रहम् दिनमे ई पर्व मनबैत अछि। एकरा आनन्दस' मनबैत छथि आ एक-दोसरके उपहार देल करैत अछि।
20मोर्दकै, जे किछु भेल छल से सबटा लिख लेलनि। तखन ओ क्षयर्षके पूरा साम्राज्यमे यहूदीसबके पत्र पठौलनि जत ओसब रहैत छलाह।21ओ अदार मासक चौदहम आ पन्द्रहम् दिन छुट्टीक घोषणा कएलनि। ओ यहूदीसबस' कहलनि जे सब साल एकर पालन करब।22कारण ई ओएह दिन छल जखन यहूदीसब आराम करैत छल आ आब अपन दुश्मनसबस' लड़ए नहि पड़ैत रहए। ई ओ मास छल, जखन हुनकालेल सब किछु बदलि गेल छल। ओसब बहुत दुखित भ' गेल छल। मुदा तखन ओसब बहुत आनन्दित भेल। तएं मोर्दकै हुनकासबके कहलनि ओहि दिन सबके आनन्दित भ' एक-दोसरके उपहार द' क' रहबाक चाही। मोर्दकै कहलनि, ओहि दिनमे गरीबके मदति करबाक चाही।23यहूदीलोकनि पहिनहिस' ओहि दिनके एहि तरहे मनबैत आबि रहल अछि। तखन ओसब काज करबाक लेल तैयार भ' गेलाह जे मोर्दकै हुनकासबके निर्देशन देने छलथि।
24ओसब एहि खुसियालीके नहि मनबैत अछि जे कोना यहूदीसबहक शत्रु अगागी हम्मदाताक बेटा हामान हुनकासबके विनाश करबाक प्रयास कएने रहथि। ओ एकटा पुर नामक चिट्ठा फेक देने छलाह जे यहूदीसबपर आक्रमण क' क' ओकरासबके साफे नाश क' देल जाए।25ओकरासबके इहो मने होएतनि जे कोना एस्तरके राजाके समक्ष उपस्थित होएबाक साहस कएलनि। तखन राजा एकटा पत्र पठएबाक अनुमति देलनि। ओहिमे कहल गेल छल जे राजा हामानद्वारा यहूदीसबके नाश करबाक हामानके अपन दुष्ट-योजनाके उनटा देत। राजा अपन नोकरसबके आज्ञा देलनि जे हामानके लकड़ीक खम्हापर लटका देल जाए। जखन शूशनमे यहूदीसब हुनकर दसटा बेटाके मारि देलकनि तखन राजाक नोकरसब सेहो ओकर लाशके फांसीपर लटका देलकनि।26ताहिके लेल यहूदीलोकनि एहि पर्वके “पुरीम” नाम देलनि। एहिलेल जे ओ आइए ईसब अद्भुत बात अनुभव कएने छलथि आ मोर्दकै हुनकासबके छुट्टीके पालन करए लेल कहलनि।27यहूदीसब ओहि दू दिनके छुट्टीक दिनके रुपमे मनाबए लेल स्थापित कएलनि आ ओहि विशेष दिनमे जेना कहने छलाह, ओहि तरहे मनाबए लेल तैयार भ' गेल। ओसब सहमत भेल जे ओसब आ ओकरासबहक पिढ़ी आ जे केओ यहूदी लोकक हिस्सा बनि गेल पुरीम पर्व प्रतिवर्ष मनाबए।28तएं सब पीढ़िक यहूदी परिवार एहि दिनके सब नगरमे छुट्टीक रुपमे मनबैत अछि, जत ओ रहैत अछि। यहूदी समुदाय आओर ओकर वंशज सदैव पूरीमके पर्व निष्ठापूर्वक मना बैत अछि।
29तखन रानी एस्तर, जे अबीहैलक बेटी छथि, पुरीमक विषयमे दोसर पत्र लिखलीह। एस्तर रानी होएबाक कारणे ओ यहूदीसबके पुरीमक विषयमे आज्ञा द' सकलीह जेकर विषयमे मोर्दकै लिखने रहथि।30ओसब एहि पत्रक प्रति क्षयर्ष साम्राज्यक समस्त यहूदीसबके पठौलनि। ई हुनकासबके ठीके मे प्रोत्साहित कएलकनि जे स्थिति आब शान्तिपूर्ण आ सुरक्षित अछि।31दोसर पत्रमे यहूदी मोर्दकै आ रानी एस्तर एहि बातक पुष्टि कएलनि जे अदार मासक, चौदहम आ पन्द्रहम् दिन पुरीम मनाओल जाए। ओ इहो पुष्टि कएलनि, जे यहूदी लोकनिके ओहि उपवास आ शोकक समयके पालन करैत रहबाक चाही जे यहूदीसब अपन आ अपन वंशजके लेल कएने रहथि।32एस्तर पुरीम स्थापित करबाक आज्ञा प्रकाशमे अनलनि, आ राज्यके शास्त्री लोकनि एकरा नियमक पुस्तकमे लिख देलनि।

Bridge Connectivity Solutions Pvt. Ltd.

https://app.library.bible/content/2acb82c33dca4c67