Esther6
1ओहि राति राजाके निन्द नहि अएलनि। तएं ओ सेवारत राजसैनिकसबस' कहलनि जे राजकीय इतिहासक पोथीसब आनि दिअ। एक युवक इतिहासक पोथी आनि राजाक सोझा जोर-जोरस' पढ़ए लागल।2इतिहासके किताबमे लिखल छल जे बिगताना आ तेरेश, दू शाही पहरदार जे प्रवेशद्वारपर पहरा दैत छल, राजा क्षयर्षके हत्या करबाक योजना बना रहल छल। इतिहासके किताबमे इहो लिखल छल जे मोर्दकै ओकरा षडयंत्रके खोजीक' लेलक अछि। आ राजाके एहि बातक विषयमे जानकारी करौने छल।3तखन राजा पुछलनि, “हम अपन जान बचेबाक लेल मोर्दकैके कोन तरहे आदर करी?” हुनकर सेवा करएबला सिपाहीसब जबाब देलथिन, “हुनकालेल केओ किछु नहि कएलक।”4ठीक ओहि क्षण हामान राजाक घरक भीतर आंगनमे प्रवेश कएलनि। ओ राजाके कहए लेल आएल जे मोर्दकैके ओहि फांसीपर लटकाबथि चाही किएकत ओ मोर्दकैक लेल बनौने छथि। राजा मोर्दकैक' आदर करबाक सबस' नीक तरीकाक विषयमे केकरोस' परामर्श करए चाहैत छलाह, तएं ओ पुछलनि, “बाहर आंगनमेके अछि?”5युवकसब उत्तर देलनि, “हे राजा! हामान आंगनमे ठाढ़ छथि।” राजा कहलनि, “ओकरा भीतर आनि लिअ।”6जखन हामान भीतर अएलाह तखन राजा हुनकास' पुछलनि, “हमरा ओहि आदमीकलेल की करबाक चाही, जेकरा हम सांचो आदर करए चाहैत छी?” हामान मनेमन ई बात सोंचलनि, “निश्चय हम ओ आदमी छी जेकरा राजा केकरोस' बेसी सम्मान देब चाहैत छथि!”7हामान राजाके उत्तर देलनि, “जं अहाँ सहीमे केकरो सम्मान करए चाहैत छी त'8अहाँ अपन नोकरसबके कहि दिऔक जे अहाँसब अपन राजकीय वस्त्र आनि लिअ जे अहाँ पहिने पहिरने छी। संगहि एकटा घोड़ा आनि दिऔक जाहिपर अहाँ पहिने सबार भेल छी आ ओकर माथपर राजमुकुट पहिरा दिऔ।9तखन, अहाँक एकटा कुलीन अधिकारी ओहि आदमीके वस्त्र आ घोड़ाक संग प्रस्तुत करत। अहाँक नोकरसब ओहि आदमीके कपड़ा पहिरा दिऔक जेकरा अहाँ वास्तवमे सम्मान देब चाहैत छी। ओसब ओहि आदमीके घोड़ापर बैसा देलक। आ फेरु घोड़ाके शहरके सार्वजनिक चौकमे ल' जाइत छथि। ओसब जोर-जोरस' चिचियाइत अछि, ‘राजा ई एहिलेल क' रहल छथि जे ओ ठीके एहि आदमीके सम्मान देब चाहैत छथि!’”10राजाके योजना नीक लगलनि, तएं ओ हामानके उत्तर देलनि, “जल्दी जाउ! वस्त्र आ घोड़ा ल' क' अहाँ एखनहि मोर्दकै यहूदीलेल वर्णन कएने छी, से करु। ओ, जे महलके दरबाजापर बैसल छथि। सुनिश्चित करु जे अहाँ ठीक ओसब काज करु जे अहाँके कहल गेल अछि।”11तखन हामान वस्त्र आ घोड़ा ल' लेलक। ओ मोर्दकैके राजकीय वस्त्र पहिराक' घोड़ापर बैसा देलनि आ फेरु घोड़ाके शहरके चौक द' क' घुमओलनि। जखन ओ ई काज कएलनि त' सबहक सोझामे चिचिआ उठलनि, “राजा ई एहिलेल क' रहल छथि जे ओ ठीके एहि आदमीके सम्मान देब चाहैत छथि!”12तखन मोर्दकै राजाक द्वारिपरस' घुरि गेलाह। मुदा हामान माथ झांपिक हब्बर-दोब्बर अपन घरदिस बढ़ल किएक त' ओ अपनाके अत्यन्त अपमानित बुझति छल। 13हामान अपन मित्रसबके जम्मा क' लेलनि। ओ हुनकासबके आ पत्नी जेरेशके सब किछु बतौलनि जे हुनकासंग की भेल छलनि। ओकर किछु मित्र, परामर्शदाता आ ओकर पत्नी जेरेश ओकरा कहलनि, “मोर्दकै अहाँके पराजीत करए लागल अछि। मुदा, ओ यहूदी लोकमेस' एक छथि, तएं अहाँ हुनकापर हावी नहि भ' सकब। बरु ओ अहाँके अवश्य पराजीत करत।”14जखन दुनूगोटे एखनो एकहि संग बात क' रहल छलाह तखन किछु राजकीय नपुंसकसब धरफरीमे हामानके ओहि भोजमे ल' जएबाक लेल पहुंचलाह जे भोज एस्तर तैयार कएने छलीह।
Bridge Connectivity Solutions Pvt. Ltd.