Esther5

1तीनदिनक बाद एस्तर एकटा महाभोजक तैयारी कएलनि। तखन ओ अपन राजकीय वस्त्र पहिर लेलीह आ ओ महलक भीतरके आंगनमे, राजाक घरके सोझा ठाढ़ भ' गेलीह। राजा राजभवनमे, राजसिंहासनपर बैसल छलाह, आ कोठलीक प्रवेशद्वार दिस तकैत रहथि।2राजा जहिना रानी एस्तरके आंगनमे ठाढ़ देखलनि त' हुनका बहुत बेसी खुशी भेलनि। तएं ओ अपन सोनाके राजदण्ड हुनका दिस आगु बढ़ओलनि। तखन एस्तर आबि राजदंडक आदर आ सम्मानस' छुबि लेलनि।
3तखन राजा हुनकास' पुछलनि, “रानी एस्तर! अहाँ एत किएक आएल छी? अहाँके की चाही? अहाँ कहूं?, अहाँ जे किछु मांगब से हम अहाँके देब, चाहे ओ कतबो पैघ किएक नहि होअए।”4एस्तर उत्तर देलनि, “हे राजा! जं अहाँके नीक लागए त' आइ हामानक संगे आउ, ओहि भोजमे जे हम अहाँक लेल तैयार कएने छी।”5राजा अपन नोकरसबस' कहलनि, “हामानके ल' क' जल्दी आनि दिअ, जाहिस' हम ओ काज क' सकब जे एस्तर हमरा कहने छल!” तखन राजा आ हामान ओहि भोजमे गेलाह जे एस्तर तैयार कएने रहए।
6जखन ओसब दाखमद्य पीबि रहल छलथि, तखन राजा एस्तरके कहलनि, “हे, आब हमरा कहूं जे अहाँके की चाही! हम अहाँके ओसब वस्तु देब! चाहे ओ कतबो भारी किएक ने होअए। हम जे कहि रहल छी, हमर तात्पर्य ओएह अछि।”7एस्तर जबाब देलनि, “हमरा ई चाही।8जं अहाँ हमरास' प्रसन्न छी, त' हामानसंग भोजमे आबि जाउ! जे हम काल्हि अहाँक लेल तैयार करब। हे राजा! जे हम चाहैत छी से देब। हम तखन अहाँक प्रश्नके उत्तर देब।”
9हामान ओहि दिन बहुत बेसी प्रसन्नताक अनुभव क' रहल छलथि, जखन ओ ओतए भोजमे गेल छलथि। मुदा तखन ओ मोर्दकैके राजाक द्वारिपर बैसल देखलनि। मोर्दकै हामानके आदर देखाबएलेल नहि ठाढ़ भेल आ नहि हुनका सामने डरस' कांपि उठल। एहि बातस' हामान मोर्दकैपर तमसा गेलथि।10हामान बहुत क्रोधित छलाह, मुदा अपनाके ई देखाबएस' रोकलनि जे ओ क्रोधित छथि। घर जा क' अपन पत्नी जेरेशक संग अपन मित्रसबके जम्मा क' लेलनि,11आ हामान हुनकासबलग घमण्ड देखओलनि जे ओ कतेक धनीक छथि आ हुनका कएटा बेटा छन्हि। ओ इहो घमण्ड कएलनि जे कोना राजा हुनका कतेको बेर पदोन्नति कएने छलथि आ हुनका अपन, आन सब अधिकारी आ प्रशासकस' उपर पद द' देने छलाह।12तखन हामान आओर जोड़िक' कहलनि, “एतबे नहि! हम एकमात्र एहन छलहुं जे राजाक संग ओहि भोजमे जएबाक लेल आमन्त्रित छलहुं जे रानी एस्तर तैयार कएने छलीह। आ ओ हमरा काल्हि मात्र आमन्त्रित कएने छलीह, राजाक संग एकटा आओर भोजमे भाग लेबएलेल।”13तखन हामान कहलनि, “मुदा हम ताधरि प्रसन्न नहि भ' सकैत छी जाधरि हम ओहि यहूदी मोर्दकैके राजाक द्वारिपर बैसल देखैत छी आ ओ हमरा आदर करबास' अस्वीकारक' दैत छथि।”14तएं हामानक पत्नी जेरेश आ हुनकर संगीसब जे ओतए छल, हुनका सुझाव देलनि, “अहाँक नोकरसब पचीस मीटर उच्च खंभा ठाढ़ करए। तखन काल्हि भोरे राजास' बात करिओन आ कहिऔन जे अहाँ एहिपर मोर्दकैके फांसीपर लटकाबए चाहैत छी। तखन अहाँ प्रसन्न चित मोनस' राजाक संग भोजमे जा' सकैत छी।” हामानके ई नीक योजना लगलनि, तएं ओ कहलनि जे खंभा ठाढ़ कएल जाए।

Bridge Connectivity Solutions Pvt. Ltd.

https://app.library.bible/content/2acb82c33dca4c67