Esther4
1जखन मोर्दकैके हामानक योजनाके विषयमे बुझएमे आबि गेलनि, तखन ओ दुखक निशानीके रुपमे अपन कपड़ा फाड़ि लेलनि आ अपना उपर मोटका बोरा पहिर उपरस' छाउर लगाक' शहरमे गेलनि। तखन ओ दर्दस' कनैत राजाक महल दिस चललाह।2मुदा जे सब बोरा पहिरने छल ओकरा राजाक द्वारके भीतर प्रवेश करए नहि देल जाइत रहए। तएं मोर्दकै जखन दरबाजापर पहुंचलाह तखन हुनका बाहरे रहए पड़लनि।3साम्राज्यक सब प्रान्तमे यहूदीसबहक विनाशक आह्वान करएबला पत्र जखन सार्वजनिकरुपस' घोषणा कएल गेल छल' तखन यहूदीसब ई बात सुनलक त' ओसब बहुत बेसी दुखित भेल। ओसब भूखे पियासे जोर-जोरस' चिचिआए लागल। ओहि सबमेस' बहुते गोटे अपना उपर बोरा आ छाउर छिट जमीनपर सुति रहल। 4एस्तरक महिला परिचरसब अपन पहरेदारसबहक संग आबि ओकरा कहलनि जे मोर्दकै बोरा पहिरने दरबाजाक बाहर बैसल छथि। जखन ओ ई बात सुनलीह, त' रानी एस्तर स्वयं बहुत डेरा गेलीह। ओ मोर्दकैके बोराक सट्टामे किछु नीक कपड़ा पठौलनि, मुदा ओ पहिरबा स' अस्वीकारक' देलनि।5राजा व्यक्तिगत रुपस' एस्तरके लेल किछु राजकीय रक्षक नियुक्त कएलनि। तएं एस्तर ओहिमेस' एकगोटेके हताक नामक व्यक्तिके बजौलनि। ओ ओकरा कहलनि जे बाहर जा' क मोर्दकैस' बात करु आ ई बुझू जे ओ एतेक परेशान किएक छथि, जे ओ बोरा पहिरने राजाक दरबाजापर बैसल अछि।6तएं हताक राजाक दरबाजा जे शहरके खुल्ला मैदान छल ओहिके आगु बैसल मोर्दकैस' बात करए निकललथि।7मोर्दकै हताकके सबटा बात कहलनि जे हामान यहूदीसबहक संग करबाक योजना बना' रहल छल। ओ इहो खबरि देलनि जे हामान राजाके कहने छलाह जे ओ एकर भुक्तान अपन खजानामेस' करत। जं राजा लोकके आदेश देथिन, सब यहूदीके मारि देब।8मोर्दकै हताकके ओहि पत्रक प्रति सेहो देलनि जे दूतसब शूशनमे जोर-जोरस' पढ़ने छल आ कहने छल जे लोकसबके यहूदीसबके मारि देबाक चाही। ओ हताकके कहलनि जे ओ चिट्ठी एस्तरके देखा दिऔक जाहिस' हुनका सबकिछु बुझएमे आबि जाए जे ओहिमे की लिखल छै। संगहि ओ हुनकाद्वारा व्यक्तिगत रुपमे राजास' निहोरा करबाक लेल कहलनि आ हुनकास' आग्रह कएल जाए जे ओ अपन लोकके विनाशस' बचाबएलेल दया करथि।9तएं हताक एस्तर लग घुरिक' मोर्दकैक कहल बात कहलनि।10तखन एस्तर हताकके कहलनि जे ओ ई सन्देश ल' क' मोर्दकै लग घुरि जाथि।11“राजा लगमे जएबाक एकटा एहन नियम अछि जे राज्यमे सबगोटेके, स्त्री-पुरुष दुनूपर लागू होइत अछि। जं केओ महलक भीतरके आंगनमे जाइत अछि, जत राजा ओकरासबके देख सकैत अछि, आ जं राजा ओकरासबके नहि बजौने रहैत त' ओहि व्यक्तिके मारि देल जाएत। तखन राजा अपन सोनाके राजदंड ओकरासबके बढ़ा देतैक, तखने ओसब जीवित रहतैक। पूरा राज्यमे सबकेओ ई नियम जनैत अछि। तएं हम राजालग जा' क' हुनकास' बात नहि क' सकैत छी, जेना अहाँ आग्रह कएने छी। राजा हमरा एक मासस' बेसी दिनस' नहि बजौने छथि, जं हम बिना बोलाहटके ओतए जाएब त' हम मारल जाएब।”12तखन हताक फेरु मोर्दकै लग गेलाह आ एस्तरक बात कहलनि।13मोर्दकै ओकरास' एस्तरके कहबाकलेल कहलनि, “एतेक कल्पना नहि करु जे अहाँ राजाक महलमे रहबाक कारणे अहाँ सुरक्षित रहब जखन ओसब आन यहूदीसबके मारि देत।14एखन जं अहाँसब नहि बाजब त' कोनो आन ठामक केओ ने केओ यहूदीसबके बचाओत, मुदा अहाँ आ अहाँक परिजन सबहक कल्याण नहि होएत। के जनैत अछि जे, शायद एहन समयक लेल मात्र अहाँ रानी बनल छी।”15हतकद्वारा एना कहलाक बाद एस्तर, ओकरा मोर्दकै लग घुरि जाएलेल कहलनि, ओ इहो कहलनि।16“एत शूशनमे रहनिहार यहूदीसबके एकठाम जौर कएल जाए आ हुनकासबके कहबनि जे उपवास करथि आ हमरालेल प्रार्थना करथि। तीनदीन आ तीन राति धरि उपासे रहथि। हम आ हमर महिला परिचरसब सेहो ओहिना उपास करब। तीनदिनक अन्तमे हम राजास' बात करएलेल जाएब, ओना ई करब कानूनक विरुद्ध किएक नहि होअए। हम एहिना करब, भलेहि एहिके लेल हमरा अपन जान किएक नहि देब पड़ए।”17तएं मोर्दकै जा' क' ओ ईसब काज कएलनि जे एस्तर हुनका कहने रहथि।
Bridge Connectivity Solutions Pvt. Ltd.