Esther3

1किछु समयक बाद राजा क्षयर्ष अपन एकटा अधिकारी हम्मदाताक बेटा हामानके अधिकारके सिंहासन पदोन्नति क देलनि, जे अगागक वंशज छल। राजा हामानके बहुत महत्वपूर्ण पद देलनि, जे हुनकर अन्य अधिकारीसबके तुलनामे बहुत बेसी महत्वपूर्ण छल। 2राजा इहे देखाबए चाहैत छलाह जे ओ हामानके एकटा महत्वपूर्ण पद देने छथि। तएं राजा दरबाजापर रहनिहार अन्य नोकरसबके आज्ञा देलनि जे हामानके जखन-जखन ओ ओहि दरबाजा होइत जाथि, आदर करबाक लेल झुकि क प्रणाम करथि। मुदा मोर्दकै हामानक समक्ष झुकि क प्रणाम करबास' अस्वीकारक' देलनि, किएक त' ओ यहूदीक रुपमे परमेश्वरक आराधना नहि करैत छलाह।3राजाक दरबाजापर उपस्थित आनो नोकरसब देखलनि जे मोर्दकै प्रणाम करएस' अस्वीकारक' देलनि, आ ओसब हुनकास' पुछलथि, “अहाँ राजाक आदेशके आज्ञा किएक नहि मानैत छी?”4मोर्दकै हुनकासबके कहलनि जे ओ यहूदी छथि। आन नोकरसब मोर्दकैके नित्य चेतबैत छल, जं ओ राजाक आज्ञा नहि मानैत रहताह आ हुनकसबस' महत्वपूर्ण अधिकारीके अनादर करताह त' हुनका कठोर सजाए देलजएतनि। मुदा तथापि मोर्दकै निहुरिक प्रणाम करबास' अस्वीकारक' देलनि। तएं ओसब हामानके एहि विषयमे कहलनि, जे ओ मोर्दकैके निहुरिक' प्रणाम नहि करबाक अनुमति देथिन।5जखन हामान देखलनि जे मोर्दकै हुनका झुकि क प्रणाम नहि कएलनि त' ओ क्रोधित भ' गेलाह।6आनो नोकरसब हामानके कहलनि जे मोर्दकै हुनका प्रणाम नहि क' रहल छथि किएक त' मोर्दकै यहूदी छलथि। तएं हामान निर्णय लेलनि जे मोर्दकैके मारि देलास' मात्र नहि होएत, हामान क्षयर्षक पूरा साम्राज्यके सब यहूदीके मारएके मनसाय बनौलनि।
7तएं हामान अपन नोकरसबद्वारा एकटा पत्र तैयार कएलनि, जखन ओ यहूदीसबके मारबाकलेल मासक सबस' नीक मास आ सबस' नीक दिन निर्धारीत कएलनि। ओ ई काज पहिन मासक, निसान मासमे, बारहम वर्षमे कएलनि जखन क्षयर्ष फारसपर राजाक रुपमे राज करैत छथि। चिट्ठा ओहि वर्षके बारहम मास आदर मासके चुनलक, हामानके अपन योजनाके पूरा करबाक समयमे। 8तखन हामान राजा क्षयर्ष लग जा क' कहलनि, “महामहिम! अपनेके राज्यमे आन लोकक बीच एकटा विशेष जाति रहैत अछि। ओसब प्रान्तमे अछि। ओकरासबहक अपन अपन नियमक सूची अछि, आ ताहिके लेल ओसब एहन लोकसबके संग रहैत अछि, जे अपन नियमक पालन करैत छै। अपनेके लेल ई नीक नहि जे ओकरासबके अपन राज्यमे रहए दिऐक।9हे राजा! जं अपने एहि योजनाके सहमती दैत छिऐ त' एकटा आज्ञा लिखल जाओ जे सब यहूदीके मारए पड़त। जखन ओसब मारि जाएत तखन हमसब ओकरासबहक सबटा सामान ल' सकैत छी, आ ताहिमेस' हम अहाँक प्रशासकसबके तीन सय टन चानी द' देब जेकरा अहाँक राजकीय खजानामे राखि सकैत छी।”10राजाके हामानक कहल बात नीक लगलनि। तएं हामानके ओ औंठी देलनि जे ओ पहिरने छल, जाहिपर हुनकर अधिकारीक मोहर लागल छल। ओहिस' हामान कानून बना सकैत छल जेना ओ स्वयं राजा होअए। अगागी हम्मदाताक बेटा हामान यहूदीसबहक शत्रु बनि गेल छल।11राजा हामानके कहलनि, “अहाँ धन-सम्पत्ति अपनालेल राखि सकैत छी आ ओहि लोकसबके संग जे चाही, से क' सकैत छी।”
12ओहि वर्षके पहिन मासक तेरहम् दिन हामान राजशास्त्रीसबके बजौलनि आ हुनका सबद्वारा पत्र लिखबौलनि। ओ कहलनि जे, एकर प्रति राजकीय अधिकारी, प्रत्येक प्रान्तके राज्यपाल आ प्रत्येक लोकक समूहक अगुवासबके पठा दिऔक। शास्त्री लोकनि पत्रक अनुवाद एहन कएलनि जे प्रत्येक प्रान्तमे अपन वर्णमालामे आ प्रत्येक लोक समूहके अपन भाषाके प्रयोग क पठाओल जा' सकए। ई देखाबएलेल जे ओ राजा क्षयर्षक अधिकारके अधीनमे चिट्ठी पठाओल जा रहल छै, हामान पत्रक एक-एक प्रतिपर एक अंगूठीक मोहर लगा देलनि, जेकरापर राजाक अधिकारीक मोहर लागल छल।13चिट्ठी बांटएबला पत्रवाहकसबके साम्राज्यक प्रत्येक प्रान्तके अधिकारी लोकनिके लेल पत्र ल' जाइत छल। चिट्ठीमे बच्चा आ महिला सहित सब यहूदीके एकटा निश्चित दिनमे पूर्णरुपस' समाप्त करबाक आह्वान कएल गेल छल। ओहि सालक बारहम् अदार मासक तेरहम् दिन छल। चिठ्ठीसबमे इहो लिखल छल जे यहूदीसबके मारए बलासब सब किछु ल' सकैत अछि।14पत्रमे अधिकारीसबस' कहल गेल छल जे चिट्ठीक प्रतिके एहन जगहपर साटि देल जाए जत ई सबगोटे देख सकथि। एहि तरहे प्रत्येक प्रान्तके सब लोकके बुझएमे आबि जानि जे राजा इएह आदेश देने छथि, आ ओ दिन आबि गेलापर ओसब चिट्ठीमे कहल गेल अनुसार करबाक लेल तैयार भ' जाथि।15चिट्ठी बांटएबला पत्रवाहकसब राजाक आदेश अनुसार साम्राज्यके प्रत्येक प्रान्तके पत्र ल' क' जाएलेल तैयार भ' गेल। एकटा दूत सेहो शूशन राजगढ़ घोषणा कएलनि, जे चिट्ठीमे कहल गेल छल। राजा आ हामान जौरहि विश्रामक' दाखमद्य पिलनि। मुदा शुशन शहरमे रहनिहार सबगोटे बहुत चिन्तित रहए।

Bridge Connectivity Solutions Pvt. Ltd.

https://app.library.bible/content/2acb82c33dca4c67