Esther2
1किछु समयक बाद जखन राजा क्षयर्षके क्रोध शान्त भ' गेलनि तखन हुनका रानी वशतीक स्मरण होबए लगलनि। मुदा जखन राजाक आदेशके रानी अवहेलना कएने छलीह तखन ओ एकटा आज्ञा द' देने छलाह जे आबि रानी कहियो हुनका सोझा नहि आबि सकैत छथि।2तखन राजाक परिचरमेस' किछु युवक हुनका कहलकनि, “हे राजा!, अहाँके अपनालेल नवका रानी चुनिलेवाक चाही। अहाँ अपन नोकरसबके कहि सकैत छी जे ओ कुमारि युवतीसबके खोजथि, जे सबस' सुन्दरि होथि।3एहिके अतिरिक्त, अपने अपन साम्राज्यक प्रत्येक प्रान्तमे अधिकारी नियुक्त क सकैत छी, जे ओतएके सबस' सुंदरि कुमारि युवतीके अपन राजधानी शूशनमे लाबि सकए। ओसब राजकीय पहरदार हेगेक संरक्षणमे हरेममे रहत जे ओतए रहनिहारि युवतीसबहक रेखदेख करैत छलाह। ओ हुनकालोकनिके सिंगार पेटारक व्यवस्था करैत छल।4तखन अहाँ ई निश्चित क' सकैत छी जे अहाँके कोन जुअनकी स्त्री बेसी नीक लगैत अछि, आ ओकरा वशतीक स्थानपर रानी बना सकैत छी। राजाके हुनक सुझाव नीक लगलनि।” तएं ओहो एहिना कएलनि।5ओहि समयमे राजधानी शूशनमे मोर्दकै नामक एकटा यहूदी आदमी रहैत छल। ओ बिन्यामीन गोत्रक छल। पिताक नाम याईर, बाबाके नाम शिमी आ परबाबाक नाम कीश छल।6बहुत साल पहिने बाबेलक राजा नबूकदनेसर कीशके यरूशलेमस' भगा देने छल आ ओकरा किछु बंदीक संग बाबेल अनने रहए। नबूकदनेस्सर हुनकासबके यरूशलेमस' ओहि समय ल' गेल जखन ओ यहूदाक राजा यकोन्याहके यरूशलेमस' दूरक' बेबिलोन ल' गेलथि।7आब मोर्दकै अपन भतीजीक देखभाल क' रहल छलथि जे अनाथ छलीह। ओकर इब्रानी नाम हदास्स रहए, आ हुनक फारसी नाम एस्तर रहनि। जखन हुनक माय आ बाबूक मृत्यु भेलैक तखन मोर्दकै ओकरा अपन बेटीके रुपमे अपना लेलनि। एस्तर आब एगो युवती छलीह, आ ओ असाधारण रुपमे आकर्षक छलीह।8आ एहि तरहे एना भेल जे दूतसब सब प्रान्तमे जा' क' राजाद्वारा लगाओल गेल नव नियमक घोषणा कएलनि। संगे अधिकारीसब जे प्रान्तमे राजाद्वारा नियुक्त कएल गेल छल कतेको सुन्दरी युवतीके राजधानी शूशनमे अनलनि आ हेगेक रेखदेखमे राखि देलनि। ओ ओएह आदमी छल जे युवतीसबके देखभाल करैत छल ओ हरेममे रहैत छल। एस्तर बहुत सुन्दर होएबाक कारणे अधिकारीसब ओकरा सेहो राजाक महलमे अनलनि आ हेगेक रेखदेखमे राखि देलनि।9हेगे एस्तरस' बहुत प्रभावित भेल, आ ओकरासंगे कृपापूर्ण व्यवहार कएलथि। ओ हब्बर दोबर एस्तरके लेल सिंगार पेटार आ भोजनक व्यवस्था कएलनि। राजाक महलस' सातटा महिला दासी सेहो चुनि क हुनकासबके अपन निजी परिचर नियुक्त कएलनि। ओ एस्तर आ ओकर परिचरसबके कुमारिसबहक महिलागृहक सबस' नीक कोठलीमे पठा देलनि।10मोर्दकै एस्तरके चेतावनी देलक जे ओ केकरो ई नहि कहथि जे ओ कोन समूहक छथि। तएं ओ केकरो ई नहि कहलनि जे ओ यहूदी छी आ ने ओकर सखा सम्बन्धी अछि।11मोर्दकै जानए चाहैत छलाह जे एस्तर केहन छथि आ हुनकासंग की भ' रहल छनि। तएं सबदिन, कुमारिसबक जनी-बासाक आंगनके आगुमे घुमैत छलाह। एहि तरहे ओ जनी-बसामे घुसि, घुमि रहल लोकसबस' पुछैत छलथि जे ओकर हाल-चाल केहन अछि।12महिलागृहक प्रत्येक युवती, एक निश्चित समयमे, राजा क्षयर्ष लग आनल गेलीह आ एकगोटे हुनक रखैल बनि गेलीह। मुदा समय आबएस' पहिने प्रत्येक महिलाके पूरे साल सौन्दर्य उपचार होइत छलनि, जाहिमे उपचारक विशेष विधि प्रयोग कएल जाइत छल जे महिलाकलेल फारसमे विकसित कएल गेल छल। सौन्दर्यक उपचार एहि तरहे सम्पन्न होइत छल। पहिन छओ मासधरि परिचारिका एकटा महिलाके शरीरके प्रत्येक दिन गंधरस मिलाओल जैतूनक तेलस' मालिश करैत छलीह। अगिला छओ मासधरि हुनकर परिचरसब नित्य हुनकर शरीरके स्त्रीगणक लेल बनल इत्र आ मलहमस' मालिश करैत छल।13एहि तरहे ओसब एकटा युवतीके राजालग लए जएबाक लेल आ हुनका खुश करएलेल आ हुनकर रखैलमेस' एक बनबाक लेल तैयार करैत छल। कुमारि महिलागृहमेस' जे कपड़ा आ गहना चाही, से ल' क' राजाक महलमे जाइत काल पहिर सकैत छलीह।14राजाक नोकर सांझमे हुनका राजाक निजी कोठलीमे अनैत छल। दोसर दिन भोरे ओकरा दोसर महिला गृहमे लबैत छल, जे धौरबीसबके लेल रहए। ओतए शशागज नामक एक आदमी ओकरासबके अधीनमे रहैत छल, कारण ओ राजकीय संरक्षक छल जे रखैलसबके देखभाल करैत छल। युवतीसब जीवनभरि ओतहि रहैत छलीह। ताधरि राजालग नहि गेलीह, आ राजाके ताधरि फेरुस' नहि देखलनि जाधरि हुनकर नामस' नहि बजाओल गेलनि कारण हुनकासंग रहबामे हुनका नीक लागल छलनि।15अन्तमे, एस्तरके राजालग जएबाक समय आबि गेलनि, जिनका मोर्दकै अपन बेटी बना लेने छलाह। ओ मोर्दकैक मामा अबीहैलक बेटी छलीह। एस्तर जखन राजालग गेलीह तखन ओ मात्र एतबे पुछलथि जे कुमारिसबहक महिलागृहक प्रभारी राजसंरक्षक हेगे हुनका की पहिरबाक सल्लाह देने छलनि। एस्तरके जे केओ देखलक, सबकेओके हुनकापर कृपा भेल।16राजा क्षयर्षक शासनक सातम वर्षके दसम तेबेत मासमे राजाक नोकरसब एस्तरके राजाक महलमे अनलनि।17राजा एस्तरके आन स्त्रीस' बेसी प्रेम कएलनि। ओ ओकरासंगे आन कोनो युवतीस' बेसी दयाभाव आ कृपापूर्वक व्यवहार कएलनि। तएं राजा क्षयर्ष हुनकर माथपर राजमुकुट पहिरा देलनि आ वशतीक स्थानपर हुनका रानी बना लेलनि।18तखन राजा एकटा भारी भोजक आयोजन क अपन सब अधिकारी आ नोकरके बजा लेलनि। ई एस्तरके रानी बनबाक उत्सवक भोज छल। ओ घोषणा कएलनि जे ई हुनक साम्राज्यक सब प्रान्तके लोकक लेल उत्सवक समय होएत आ ओकरासबके कर नहि चुकाब' पड़तनि, आ ओ उदारतापूर्वक लोकसबके उपहार देलनि। 19बादमे, क्षयर्षक अधिकारी राजधानी शूशनमे आ कुमारीके अनलनि। एहि समयमे मोर्दकै राजाके लेल काज क' रहल छलाह, आ ओ राजाक दरबाजापर बैसल रहैत छलाह।20एस्तर एखनो केकरो नहि कहने छलीह जे ओ कोन जातिक छथि। मोर्दकै हुनका ई केकरो नहि कहबाकलेल चेतावनी देने छलाह। असलमे ओ मोर्दकैक सब निर्देशन पालन कएलनि, ठीक ओहिना जेना हुनकर घरमे नमहर होइत काल कएने छलीह।21ओहि समयमे जखन मोर्दकै राजाक दरबाजापर छलाह तखन राजाक दूटा नपुंसक, जे राजाक निजी कोठलीमे जाएबला दरबाजाक बाटपर पहरा दैत छल, राजापर क्रोधित भ' गेल। ओसब राजा क्षयर्षके मारबाक योजना बनौलनि। एकरासबके नाम बिगताना आ तेरेश छल।22मुदा मोर्दकै एहि बातके पता लगौलनि जे ओसब की योजना बना रहल छल ओ रानी एस्तरके एहि विषयमे कहलनि, आ ओ राजाके कहलखिन। ओ मोर्दकैद्वारा देल गेल जानकारीके कहि सुनएलकनि।23तएं राजाक अधिकारीसब मोर्दकैक बातके जांच कएलनि आ ई बात सत्य सेहो साबित भेल। तएं राजा अपन नोकरसबके आदेश देलनि जे ओहि दुनू आदमीके लकड़ीक खम्हापर फांसी लटका देल जाए जखनधरि ओसब मारि नहि जाए। राजाक शास्त्री लोकनि एकर विवरण राजकीय इतिहासमे दर्ज कएलनि।
Bridge Connectivity Solutions Pvt. Ltd.