Ephesians3

1किएकत' परमेश्वर अहाँसब गैर-यहूदी सबहक लेल एहि योजना पर काज क' रहल छथि, हम पौलुस अहाँसबहक लेल पितास' प्रार्थना करैत छी, ठीक ओहिना जेना हम जहलमे छी, कारण हम अहाँसबहक लेल मसीह यीशुक' सेवा करैत छी।2हम मानि लैत छी जे लोक अहाँसबके हमर विषयमे कहने होएत, जे परमेश्वर हमरा ई काज देने छथि जे अहाँसब गैर-यहूदीसबके हुनकर योजनाके' विषयमे कहब जे अहाँसबहक प्रति बहुत दयालु अछि।3परमेश्वर हमरा ई सन्देश कहलनि जे लोक हमरा सोझे प्रगट होबएस' पहिने नहि बुझलक, जेना की हम पहिने अहाँके संक्षेपमे लिखने रही। 4जखन अहाँ एकरा पढ़ब तखन अहाँ बुझि सकैत छी जे हम ओहे बात सबके स्पष्टरुपस' बुझति छी जे परमेश्वर पहिने मसीहक' विषयमे नहि कएने छलाह।5पहिने परमेश्वर एहि सन्देशके लोकसबके पूरा तरहें नहि दैत छलाह, मुदा आब हुनकर आत्मा अपन पवित्र प्रेरितसब आ प्रवक्तासबके एकरा प्रगट क' देने छथि।6सन्देश ई अछि जे आब गैर-यहूदीसब यहूदीसबहक संग परमेश्वरक आत्मिक धनमे फांटि लैत छथि। आ परमेश्वरक लोकक एकहि समूहमे रहथि आ परमेश्वर सब किछु अपन लोकसबके बीच फांटि लेताह कारण, सुसमाचारपर विश्वास करबाक परिणाम स्वरुप ओसब मसीह यीशु आ प्रतिज्ञास' जुड़ल छथि।7हम आब लोकसबके इहे सुसन्देश सुनबैत परमेश्वरके अनुग्रहके वरदानके सेवक छी। परमेश्वर हमरापर बड्ड बेसी दयालु छलथि आ हमरा एहि काजके करबाक लेल देल गेल अछि यद्यपि हम एहिके योग्य नहि छी, आ ओ एहिके शक्तिशालीरुपस' हमर द्वारा काम करएमे हमरा सक्षम बनबैत छथि।8यद्यपि हम परमेश्वरक' सब पवित्र लोकमे सबस' छोट छी, मुदा परमेश्वर हमरा अपन अनुग्रहमे ई वरदान देलनि अछि: ओ हमरा गैर-यहूदीसबके ओहि अनन्त आत्मिक आशीषक' सुसमाचारक' प्रचार करबाक' लेल नियुक्त कएलनि अछि जे मसीह हमरासबहक लेल रखने छथि।9आओर सबके ई बुझएमे सक्षम करएलेल की परमेश्वरके योजना की अछि। ई योजना एहन चीज अछि जे सब किछुके सृष्टि करएबला परमेश्वर बहुत पहिनेस' नुकाक' रखने छथि।10परमेश्वर एहि योजनाके एहि तरहें नुका लेलनि जे आब जखन विश्वासीसबके समूहके प्रगट करैत छथि तखन स्वर्गीय स्थानमे, उच्च स्तरक' आत्मिक अधिकारीसबके सेहो प्रगट करैत छथि जे ओ कतेक बुद्धिमान छथि।11ई योजना परमेश्वरक' पहिनेस' रहल अछि, आ इएह काज ओ हमरासबहक प्रभु मसीह यीशुक' काजद्वारा पूरा कएलनि अछि।12त' आब, यीशु जे कएने छथि, ओकर कारणे, हमसब स्वतन्त्र आ विश्वासक' संग परमेश्वरक' सम्बन्धके' सकैत छी, कारण जखन हमसब यीशुपर भरोसा करैत छी, तखन ओ हमरासबके अपनास' जोड़ैत छथि।13त हे एहि जहलमे अहाँक' दिसस' जे किछु हम कष्ट उठा रहल छी, ताहिस' हतोत्साहित नहि होउ, कारण ई अहाँके महिमा उत्पन्न करैत अछि।14कारण परमेश्वर अहाँक' लेल ईसब काज कएने छथि, हम ठेहुन टेकैत छी आ पिता परमेश्वरस' प्रार्थना करैत छी।15ओ मूल पिता छथि, जे सब परिवारक' लेल स्वर्ग आ पृथ्वीपर अनुसरण करबाक आदर्श छथि।16हम प्रार्थना करैत छी जे परमेश्वर अहाँसबके अपन महिमाके आत्मा देथिन जे अहाँसबहक आत्माके ओहि अनुपातमे सामर्थी करथि जे ओ कतेक महान छथि।17हम प्रार्थना करैत छी जे मसीह अहाँक' हृदय जकां लग रहथि किएकत' अहाँ हुनकापर भरोसा करैत छी, आ अहाँ जे किछु करब आ कहब से अहाँ आ हुनकर दोसर लोकक' लेल परमेश्वरक' प्रेममे नओके परिणाम होएत।18जाहिस' अहाँसब परमेश्वरक' सब पवित्र लोकक' संग ई बुझि सकब जे मसीह हमरासबस' कतेक प्रेम करैत छथि।19हम प्रार्थना करैत छी जे अहाँसब जानब जे मसीह हमरासबस' कतेक प्रेम करैत छथि, भलेहि ओ हमरासबस' बेसी प्रेम करैत छथि जे हमसब बुझि सकैत छी। हमर प्रार्थना अछि जे परमेश्वर अहाँके जे किछु अछि ओकर पूरा नाप देथिन।20परमेश्वरक' स्तुति होए, जे हमसब हुनकास' बेसी काज करबामे सक्षम छथि, वा एतधरि जे सोंचैत छी जे ओ क' सकैत छथि, किएकत' ओ हमरासबहक भितर एतेक शक्तिशाली काज करैत छथि!21सब विश्वासीसबके समूह हुनकर प्रशंसा करथि जे सांच्चे ओ कतेक महान छथि आ मसीह यीशुद्वारा कएल गेल अद्भुत काजक लेल हुनकर प्रशंसा करथि! सब पिढ़ी दर पिढ़ी सदाके लेल हुनकर प्रशंसा करथिन! एहिना होअए।

Bridge Connectivity Solutions Pvt. Ltd.

https://app.library.bible/content/2acb82c33dca4c67