Ephesians2
1एक समय मसीहपर भरोसा करएस' पहिने, अहाँ आत्मिकरुपस' मरल छलहुं अहाँ पाप कर' छोड़एमे असमर्थ छलहुं।2अहाँ पापपूर्ण तरीकास' जीबैत छलहुं, एहि संसारक' आत्माके' मार्गदर्शन मे। अहाँसबहक मार्गदर्शन ओहि दुष्टात्मासबके शासकद्वारा कएल गेल छल जे एहि संसारक' हवापर नियन्त्रण रखैत अछि अधिकारीसब पर नियन्त्रण रखैत अछि। ई शासक शैतान अछि, जे आब परमेश्वरक' आज्ञा नहि मानएबला लोकक' माध्यमस काज करैत अछि। 3हमसब ओहिना जीबैत छलहुं जेना ई लोकसब जे परमेश्वरक' आज्ञा नहि मानैत छल; हमसब जे अधलाह काज करए चाहैत छलहुं से कएलहुं, एहन काज जे हमरासबहक शरीर आ मनमे सुखद सुख दैत छल। हमसब एहि बातक हकदार छलहुं जे परमेश्वरके' हमरासबपर बहुत क्रोधित होएबाक चाही छल, ठीक ओहिना जेना ओ आन लोकपर होइत छथि।4मुदा परमेश्वर हमरासबपर एतेक कृपालु छथि, कारण ओ हमरासबस' बहुत प्रेम करैत छथि।5परमेश्वर हमरासबस' एतेक प्रेम करैत छथि जे जखन हमसब आत्मिकरुपस' मारि गेल छलहुं आ लगातार पाप करैत छलहुं तखनो ओ हमरासबके मसीहक' संग एकजुट क' क' जीवित कएलनि। मोन राखू, जखन परमेश्वर अहाँके आत्मिकरुपस' मृत होअएस' बचा लेलनि तखन ओ अहाँपर एहि तरहें अनुग्रह कएलनि, जेकर अहाँ हकदार नहि छलहुं।6परमेश्वर हमरासबके आत्मिकरुपस' मरल रहएस' बचा लेलनि ठीक ओहिना जेना यीशुके शारीरिक रुपस' मृत होबएस' बचा लेलनि आ हमरासबके हुनकासंग आत्मिकरुपस' जीवित कएलनि। तखन ओ हमरासबके मसीह यीशुक' संग शासन करए' लेल स्वर्गमे आदरक' स्थान देलनि।7ओ भविष्यक सब युगमे ई काज सबके ई देखाबएलेल कएलनि जे ओ हमरासबके मसीह यीशुक' संग एकजुट क' क' कतेक बेसी दयालु छथि।8एहिलेल परमेश्वर अहाँपर एत दयालु छलथि की जखन ओ अहाँके आत्मिकरुपस मृत होअएस बचबए छलथि, तब अहाँ हकदार नहि छी। अहाँसब अनुग्रहस' विश्वास द्वारा उद्धार पओनेछी। अहाँ स्वयंके नहि बचए लेहू; ई परमेश्वरके दिस दिसस' दान अछि।9एहन उपहार जे केओ नहि कमा सकैत अछि, जाहिस' केओ घमण्ड नहि क' सकए आ नहि कहि सकए जे हम स्वयंके बचा लेलहुं।10एहि तरहें परमेश्वर हमरासबके ओ बना रहल छथि जे ओ चाहैत छथि; मसीह यीशुद्वारा, ओ हमरासबके नव लोकक' रुपमे नीक व्यवहार करबाक लेल बनौलनि जे परमेश्वर हमरासबहक लेल पहिनेस' व्यवस्था कएने छलाह।11तएं मोन राखू जे अहाँ पहिने गैर-यहूदी लोक छलहुं जेकर अनुसार अहाँक पूर्वज परमेश्वरक' लोकक' नहि छलाह। यहूदीसब अहाँके “खतनारहित” कहिक' अपमानित कएलक। ओसब स्वयंके “खतनाबला” कहैत छथि। एहिस' हुनकासबहक ई कहबाक' अर्थ छनि जे ओसब, अहाँ नहि, परमेश्वरक' लोक छी, भलेहि खतना मनुष्यक' काज अछि जे मात्र शरीरके बदलैत अछि, परमेश्वरक' काज जे आत्माके बदलैत अछि। 12मोन राखू जे, ओहि समयमे, अहाँ मसीहस' अलग भ' गेल छलहुं। अहाँ इजराएलक' लोकक' लेल परदेशी छलहुं। अहाँ ओहि काजमे भाग नहि लेलहुं जे परमेश्वर हुनकासबहक संग अपन समझौतामे प्रतिज्ञा कएने छलाह। अहाँके विश्वास नहि छल जे परमेश्वर अहाँके बचा लेताह। नहि, अहाँ एहि संसारमे पूर्णत परमेश्वरक' बिना आशाके रहैत छलहुं।13मुदा आब, कारण जे अहाँ यीशु मसीहपर भरोसा कएने छी, परमेश्वर अहाँके अपन परिवारके सदस्य बनओने छथि, भलेहि अहाँ हुनका पहिने नहि चिन्हैत छलहुं। ई सम्भव छल किएकत' मसीह अहाँसबहक लेल क्रूसपर मरि गेलाह।14ई मसीह छथि जे यहूदी आ गैर-यहूदी लोकके एक-दोसरके साथ शान्तिस' रहए सम्भव बनएलकनि। विभाजनके देवालके तोड़िक' दू अलग-अलग समूहके एकटा समूह बना देने छथि। दुनू समूह एक दोसरास' घृणा करैत छल, मुदा जखन ओ हमरासबहक लेल मरि गेलाह त' ओ एक दोसरास' घृणा करबाक सब कारण छिन लेने छथि। 15आब ओ हमरासबहक लेल यहूदी व्यवस्थाके' आज्ञा आ आवश्यकताके' पालन करब आवश्यक नहि कएलनि जाहिस' हमसब हुनकर दिसस' स्वीकार कएल जा' सकब। ओ ई काज यहूदी आ गैर-यहूदीके एक नव लोकमे बदलबाक लेल कएलनि जे हुनकास' अपन सम्बन्धके कारणे शान्तिस' एके साथ रहत।16ओ ई काजसब गोटेक' लेल क्रूसपर मरैत कएलनि जाहिस' दुनू समूहके परमेश्वरस' एक देहक' रुपमे मिलान कएल जा सकए। हुनकासबके लेल मरला स' यीशु हुनकासबके एक-दोसर आ परमेश्वरक' प्रति शत्रुता छोड़ए सम्भव कएलनि।17यीशु आबिक' सुसमाचारक' घोषणा कएलनि जे हमसब परमेश्वरक' संग शान्तिमे रहि सकैत छी; ओ अहाँसब गैर-यहूदीसबके ई घोषणा कएलनि जे परमेश्वरक' विषयमे नहि जनैत छलहुं आ हमरासब यहूदीसबके जे परमेश्वरक' विषयमे जनैत छलहुं।18यीशु हमरासबहक लेल जे कएलनि, ओकर कारणे यहूदी आ गैर-यहूदी आब परमेश्वरक' आत्माके सहायतास' पिता परमेश्वर लग आबि सकैत अछि।19तएं आब अहाँ गैर-यहूदी परमेश्वरक' लोकसबस' बाहर नहि छी, मुदा ओहि सबहक संगी छी, जिनका परमेश्वर अपनालेल अलग क' देने छथि, आ अहाँसब परमेश्वरक' परिवारक' सदस्य छी।20अहाँसब ओहि पत्थल जकां छी जे परमेश्वर कोनो भवनमे एकठाम राखि देने छथि, आ प्रेरित आ प्रवक्तासब ओहि भवनके' नओके' पत्थल छथि। अहाँ ओसब जे सिखबैत छलाह ताहिपर निर्भर करैत छी, ठीक ओहिना जेना कोनो भवनक पत्थल नओके पत्थलपर टिकल रहैत अछि जे समक्ष आ मजगूत देवाल बनबैत अछि। मसीह यीशु स्वयं आधारशीला छथि, भवनमे सबस' महत्वपूर्ण पत्थल 21यीशु ई निर्धारीत करए छथि जे सब व्यक्ति कत के अछि, ठीक ओहिना जेना कोन्हके पत्थल ई निर्धारीत करैत अछि जे बांकी सब पत्थल कोनो भवनमे कोन स्थानमे तुलैत अछि। जेना कोनो निर्माता पवित्र मन्दिरके निर्माणके लेल पत्थलके एकसंग राखि दैत अछि, तहिना यीशु अपन विश्वासी परिवारके एकत्रित क' रहल छथि जे एकटा पवित्र समूह बनए जे प्रभुके सेवा करैत अछि।22कारण अहाँ यीशुक' छी, तएं ओ अहाँके यहूदी आ गैर-यहूदी दुनूके' संग एक परिवारमे मिला रहल छथि, जे एकटा एहन घर जकां अछि जाहिमे परमेश्वर अपन आत्माके' द्वारा रहैत छथि।
Bridge Connectivity Solutions Pvt. Ltd.