Ephesians1
1हम पौलुस छी। मसीह यीशु हमरा हुनकर प्रेरितके रुपमे पठौलनि, कारण परमेश्वर इएह चाहैत छलाह। हम ई पत्र ओहि आदमीसबके लिख रहल छी, जिनका सबके परमेश्वर अपनालेल अलग कएने छथि, जे सब इफिसुस शहरमे रहैत छथि आ जे मसीह यीशुक' प्रति विश्वासयोग्य छथि।2हम प्रार्थना करैत छी जे हमर पिता परमेश्वर आ प्रभु यीशु मसीह अनुग्रह आ शान्ति प्रदान करथि।3हमरासबहक' प्रभु यीशु मसीहक' पिता, परमेश्वरक स्तुति होए! ओ हमरासबके सब प्रकारक' आत्मिक आशीष देने छथि जे स्वर्गस' अबैत अछि, कारण हमसब मसीहमे छी।4वास्तवमे परमेश्वर संसारक सृष्टि करएस' पहिने हमरासबके मसीहक' बनएलेल चुनलनि, जाहिस' मसीह हमरासबके अपन लेल पूर्णरुपस' पवित्र बना सकथि। कारण परमेश्वर हमरासबस' प्रेम करैत छथि,5ओ बहुत पहिने निर्णय कएने छलाह जे यीशु मसीहक' माध्यमस' हमरासबके अपन सन्तानक' रुपमे अपनाओल जाएत। हुनका नीक लागलनि, तएं ओ जे करए चाहैत छलाह से कएलनि।6इएह कारण अछि जे, हमसब आब परमेश्वरक महिमाके स्तुति करैत छी जे ओ हमरासबपर एतेक दयालु छथि, की ओ हमरासबस' बेसी काज करैत छथि जेकर हमसब कहियो हकदार नहि भ' सकैत छी, कारण जे ओ अपन बेटाके' माध्यमे हमरासबके आशीर्वाद देने छथि जिनकास' ओ प्रेम करैत छथि।7जखन यीशु हमरासबहक स्थानपर मारल गेलाह, तएं ओ हमरासबहक पापक' मोल लेहू बहाक' चुकौलनि। अर्थात्, जखन ओ हमरासबहक लेल मारल गेलाह। तएं परमेश्वर हमरासबहक पाप क्षमा करैत छथि किएकत ओ अनुग्रहस' एतेक भरपूर आ उद्धार छथि।8परमेश्वर जनैत छलाह जे हमरासबके हुनक बहुत जरुरति पड़तनि जे ओ हमरासबपर असीमित दयालु होएताह किएकत' परमेश्वर सर्वज्ञ आ पूर्ण बुद्धिमान छथि।9एहि तरहें परमेश्वर आब हमरासबके अपन योजनाके प्रगट कएलनि अछि जे ओ पहिने केकरो नहि प्रगट कएने छलाह एकटा एहन योजना जे मसीहक काजक' माध्यमे पूरा करबामे ओ प्रसन्न छलाह।10एहि योजनामे, जखन समय सही होएत तखन मसीह सब वस्तुके अपन वशमे क' लेताह, जाहिस' स्वर्गमे सब किछु आ पृथ्वीपर सब किछु मसीहक' होएत।11मसीह जे किछु कएने छथि, ओकर कारणे परमेश्वर हमरासबके सेहो अपन दाबी कएने छथि। ओ बहुत पहिने ई काज करबाक योजना बनौने छलाह, आ सदिखन ठीक ओएह काज करैत छथि जे ओ चाहैत छथि।12परमेश्वरक' योजनामे, हम यहूदीसब, जे सबस' पहिने मसीहपर भरोसा कएने रही, परमेश्वरके महिमाके स्तुति करबाक लेल जिअब, किएकत' ओ बहुत पैघ छथि।13तखन अहाँ गैर-यहूदीसब सेहो सत्यके सुसमाचार सुनलहुं जे परमेश्वर अहाँसबके कोना उद्धार करैत छथि। आ अहाँसब मसीहपर विश्वास कएलहुं। जखन अहाँ ई कएलहुं तखन परमेश्वर अहाँके पवित्र आत्मा द' क' मसीहक' होएबाक रुपमे चिन्हित कएलनि, जेना की ओ करबाक प्रतिज्ञा कएने छलाह।14पवित्र आत्मा एकटा एहन चेन्ह जकां अछि जे ई सिद्ध करैत अछि जे परमेश्वर हमरासबके सेहो ओ उद्धार देथिन, जे ओहि समयमे हमरासबके देबाक वचन देलनि, जखन ओ हमरासबहक लेल अपन सब किछु छोड़ि देताह। परमेश्वरके महिमाके प्रशंसा होए किएकत' ओ एतेक पैघ छथि!15कारण परमेश्वर अहाँसबहक लेल ईसब काज कएने छथि। आ किएकत' लोकसब हमरा कहने अछि जे अहाँ प्रभु यीशुपर कोना भरोसा करैत छी आ सब पवित्र विश्वासीसब' कतेक प्रेम करैत छी।16हम परमेश्वरके अहाँक' लेल लगातार धन्यवाद दैत छी जखन हम परमेश्वरस' अहाँक' विषयमे बात करैत छी जखन हम हुनकास' प्रार्थना करैत छी।17हम प्रार्थना करैत छी जे हमरासबहक प्रभु यीशु मसीहक' परमेश्वर, महिमामय पिता, अहाँसबके आत्माके बुद्धिमान बनएबाक आ अहाँसबके परमेश्वरके प्रगट करबाक अनुमति देथिन, जाहिस' अहाँसब हुनका सदैव आ पूर्णरुपस' जानि सकब। 18हम प्रार्थना करैत छी जे परमेश्वर अहाँसबके चीजसबके वास्तवमे जेना अछि ओहिना देखएमे सक्षम बनाबथि जाहिस' अहाँसब जानि जाइ जे परमेश्वर हमरासबहक लेल एकटा अद्भुत आ महिमामय योजना बनौने छथि किएकत' ओ हमरासबके अपन पवित्र लोक बनबाक आशाके लेल बजौने छथि। हम प्रार्थना करैत छी जे अहाँसब भितर मनस' जानि जाएब जे ओ कतेक बेसी अद्भुत छथि आ कतेक प्रचुर अछि जे ओ हमरासब आ सब विश्वासीके देबाक प्रतिज्ञा कएने छथि।19आ हम प्रार्थना करैत छी जे अहाँसब जानब जे परमेश्वर हमरासबहक लेल कतेक बेसी शक्तिशाली काज करैत छथि जं' मसीहमे विश्वास करैत छी। हमरासबहक लेल ओ बेसी शक्तिशाली छथि20ओतबे मसीहक' लेल जखन ओ मरि गेलाकबाद मसीहक' पुनरुत्थानक' कारण बनलाह, आ हुनका स्वर्गमे सर्वोच्च सम्मानमे उठएलनि। 21मसीह ओतए शासकके रुपमे सब शासकपर आ अधिकारके सब स्तरपर रहल शक्तिशाली आत्मा आ सब प्राणीके उपर शासन करैत छथि जिनका लोक आदर करैत छथि। ई नाम मात्र एखने नहि, बल्कि आबएबला युगमे सदाके लेल सब पर राज करैत छथि।22परमेश्वर सब किछुके मसीहक' अधीन कएने छथि आ सब ठामक सब विश्वासीसबके समूहके बीच मसीहके सब किछुपर शासक बना देने छथि। 23हम विश्वासी मसीहस' ओहिना सम्बन्धित छी जेना कोनो व्यक्तिक शरीरक' अंग ओकर माथस' सम्बन्धित अछि। ओसब विश्वासीके लेल जे कमी छै ओकर आपूर्ति ओहिना करए छै जेना ओसब जगहसब चीजके पूरा करए छथि।
Bridge Connectivity Solutions Pvt. Ltd.