Deuteronomy31
1मूसा जा क' सारा इजराएलीके लोकसबके ई वचन कहिते रहि गेलनि।2ओ हुनकासबके कहलनि, “एखन हम एक सय बीस वर्षक भ' गेल छी। आबि हम दौड़ धूप नहि क' सकैत छी। यहोवा हमरा कहने छथि, ‘अहाँ यरदन नदीपार नहि जा' सकब।’3यहोवा अहाँसबके परमेश्वर स्वयं अहाँसबके आगु ओहिपार जएताह। ओ अहाँसबके आगुस' ई जातिसबके नाश क' देताह आ अहाँसब ओकरासबके देश अधिकारक' लेब। यहोशू अहाँसबके अगुवाइ करताह, जेना यहोवा प्रतिज्ञा कएने छथि।4परमेश्वर ओकरासबके संग ओहिना करताह जेना ओ एमोरी सबहक राजा सीहोन आ ओगके ओकरासबहक देश सहित नाश कएने छलाह ओहिना यहोवा आ ओकरोसबके देशके, नाश क' देताह।5यहोवा ओकरासबपर अहाँसबके' जखन युद्धमे विजय करौताह जखन आ अहाँसब ओकरासबहक संग हमर आदेश अनुसार करब।6मजबुत आ साहसी बनू, ओकरासबस' नहि डेराउ, आ त्रसित नहि होउ। किएकत', यहोवा अहाँसबके परमेश्वर अहाँसबके संग जएतनि। ओ अहाँसबके कहियो एसगरे नहि छोड़त आ नहि कहियो त्याग करत।”7मूसा यहोशूके बजाक' सारा इजराएली सबहक आगु ओकरास' कहलनि, “मजबुत आ साहसी होउ, किएकत' यहोवा ओकरासबहक पूर्वजसबके संग देबएलेल प्रतिज्ञा कएने देशमे एहिलोक सबहक संग अहीं जाएब। अहाँ ओकरासबहक ओहि देशके उत्तराधिकारी कर' लेल देबनि। 8यहोवा, स्वयं अहाँस' पहिने जएथिन आ अहाँके' संग रहत। ओ अहाँके कहियो असफल नहि होबए देत आ नहि छोड़त। नहि डेराउ, नहि हतोत्साहित होउ।”9मूसा ई व्यवस्था लिखक' यहोवाक' करारक' सन्दूक ढोबनिहार लेवीके' पुत्र पुजारीसबके द' देलनि। ओ एकर एक प्रति इजराएलक' सब धर्मगुरुसबके सेहो द' देलनि।10मूसा पुजारी आ अगुवासबके आदेश दैत कहलनि, “हरेक सात वर्षक' अन्तमे, ऋण माफी देबाक समयमे, झोपड़ीक पर्वमे।11ओ अपनालेल चुनल गेल पवित्र स्थानपर यहोवा अहाँसबके परमेश्वरक' आगु जखन सारा इजराएलीसब उपस्थित भ' जएताह, तखन अहाँसब इजराएली सबहक' आगु ओ सबके सुनबए ई व्यवस्थाके पोथी पढ़ब।12आदमीसब, पुरुषसब, स्त्रीसब, आ बच्चासब, आ अहाँसबके शहरमे रहनिहार परदेशीसबके जमा अपन करु, जाहिस' ओसब सुनिक' यहोवा अहाँसबके' परमेश्वरक' आदर करए आ एहि व्यवस्थाके' सब वचन पालन करए।13ई एहिलेल जे यरदन नदीपार क' क' अहाँसब अधिकार कर' लेल जा' रहल देशमे जाधरि रहत ओकरासबहक बच्चासब जे जन्मएबला अछि, सुनिक' यहोवा अहाँसबके परमेश्वरके आदर करएलेल सिखत।”14तेकरबाद, यहोवा मूसास' कहलथिन, “देखू, अहाँक' मृत्युके दिन आबि रहल अछि जखन अहाँ मरि जाएब। यहोशूके' बजाक' भेटि होबएबला पालमे आउ, आ हम ओकरा आज्ञा द' देबनि।” मूसा आ यहोशू जा' क' भेटि होबएबला तम्बूमे उपस्थित भ गेलनि।15यहोवा तम्बूमे मेघक' खम्हामे प्रगट भेलनि। मेघक' खम्बा तम्बूक' द्वारिपर स्थिर छल।16यहोवा मूसास' कहलथिन, “देखू, अहाँ अपन पूर्वजसब जेना मरए लागल छी। ई आदमीसब जा' रहल देशमे पहुंचक' हमरा प्रति अविश्वासी भ' जाएत आ ओतए' विदेशी देवता सबहक पाछु लागि व्यभिचारमे फंसि जाएत। ओसब हमरा छोड़िक' हमर करार जे हम ओकरासबहक संग कएने छी।17जं एना होएत, तखन ओहि दिनमे हमर क्रोध ओकरासबपर प्रज्वलित होएत आ हम ओकरासबके त्याग देब। हम ओकरासबस' अपन मुंह नुका लेब आ ओसब नाश भ' जाएत। बहुत सारा आपत्तिविपत्ति आ कष्टके समान ओकरासबके करए पडत। ओसब ओहि दिनमे एहि तरहे कहत, ‘हमरासबहक परमेश्वर हमरासबहक बीचमे नहि भेलाक' कारणे ई विपत्तिसब हमरासबपर आएल नहि अछि?’18दोसर देवता सबहक पांछा लागिक' ओसब कएने सब अधलाह काजक' कारण ओहि दिनमे ओकरासबस' हम अपन मुंह अवश्य नुका लेब।19आब एहिलेल अहाँसब ई भजन अपनालेल लिखक' इजराएलीसबके सिखाउ। ओकरासबहक' गाबए लगाउ। इजराएली सबहक विरुद्ध ई भजन हमरालेल गवाही बनए।20कारण जखन हम ओकरासबहक पूर्वजसबके शपथ खा' क' प्रतिज्ञा कएने, दूध आ मह बहएबला देशमे पहुंचक' ओसब खा' क' मोटाक' दोसर देवता सबहक' दिस घुरि जाएत आ ओकरासबके सेवा करए लागत ओसब हमरा तिरस्कृत क' क' हमर देल करार उल्लंघन करत।21बहुत रास खराबी आ आपत्तिविपत्ति ओकरासबपर आएत त' ई भजन ओकरासबहक समक्ष गवाही होएत किएकत' ई भजन ओकरासबहक सन्तानसब कहियो नहि बिसरत। ओकरासबहक प्रतिज्ञामे देब कहने देशमे आनए स' पहिने हम ओकरासबहक मोनक' विचार जनैत छी।”22तब मूसा ओहि दिन ई भजन लिखक' इजराएलीसबके सिखऔलनि।23यहोवा नूनक' पुत्र यहोशूके आज्ञा दैत कहलथिन, “मजगूत आ साहसी होउ। कारण, जे हम शपथ सहित प्रतिज्ञा कएने देशमे अहाँ इजराएलीसबके आनब, आ हम अहाँके' संग रहब।”24जखन मूसा एहि व्यवस्थाके' वचनसब एकटा चर्म पत्रमे लिख लेलनि।25त' मूसा यहोवाक' करारक' सन्दूक बोकि चलएवला लेवीसबके आदेश देलनि।26“व्यवस्थाके' ई पोथीक' यहोवा अहाँसबके परमेश्वरक' करारके सन्दूकके कातमे राखू, आ ओ अहाँसबके विरुद्ध गवाहीक' रुपमे ओतए' रहत।” 27किएक त' हम अहाँसबके विद्रोह आ हठ जनैत छी। देखू, जखन आइओ हमरा जीवनकालमे आइयो अहाँसब यहोवाक' विद्रोहक' रहल छी, त' हमर मृत्युके बाद आओर कतेक बेसी विद्रोह करब?28अहाँसबके कुलके सब धर्मगुरुसबके आ अहाँसबके अधिकारीसबके हमरालग जमा करु, आ हम ओकरासबहक सुनाएब आ आकाश आ पृ पृथ्वीके ओकरासबहक विरुद्ध गवाही राखब।29किएक त' हम बुझति छी जे हमर मृत्युके' बाद अहाँसब अवश्य एकदमस' भ्रष्ट भ' क' हमर देल आदेश आ मार्गस' भटिक जाएब। यहोवाके नजरिमे खराब काज करब आ अहाँसबके हाथके काजस' हुनका क्रोधित करब आ आबएबला दिनमे अहाँसबपर विपत्ति आबि जाएत।30मूसा समस्त इजराएली समुदायके ई भजनक' शब्दसब शुरुस' अन्तधरि सुनओलक।
Bridge Connectivity Solutions Pvt. Ltd.