Deuteronomy30

1मूसा इजराएलके लोकसबके आओर कहलनि जे जखन आशीष आ सराप अहाँसबपर आबि जाएत, जे हम अहाँसबके आगु रखने छी, आ जखन यहोवा अहाँसबके दोसर जाति सबहक बीचमे भगा देने छथि ई वचनसब अहाँसब स्मरण करब। त'2अहाँसब आ अहाँसबके सन्तानसब जखन यहोवा अपन परमेश्वरक' लग घुरि आएब, आ आइ हम अहाँसबके आज्ञा देने वचन अपन पूरा मोन आ पूरा प्राणस' पालन करब। त'3यहोवा अहाँसबहक परमेश्वर अहाँसबके सुदिन लौटा देताह आ अहाँसबपर दया देखओताह। यहोवा अहाँसबके परमेश्वर जे जाति सबहक बीचमे अहाँसबके तितर-बितर क' देने छल ओहि सब जातिमे जमाक' क' लओताह।4अहाँसब निर्वासित लोकमेस' केओ आकाशके नीचा दूर-दूर धरि अछि तथापि ओतएस' यहोवा अहाँसबके परमेश्वर अहाँसबके सारा दुनियां' जमा करताह आ ओतए' स' अहाँसबके अनताह। 5यहोवा अहाँसबके परमेश्वर अहाँसबके पूर्वजसब अधिकार कएने देशमे घुराक' लओताह आ अहाँसब फेरुस' ओहि देशपर अधिकार करब। ओ अहाँसबके भलाइ करताह आ अहाँसबके गन्तीमे अहाँसबके पूर्वजसबस' बेसी बढ़ाओत।6यहोवा अहाँसबके परमेश्वरके अहाँसब अपन सारा हृदय आ अपन सारा मोनस' प्रेम करए लेल अहाँसबके आ अहाँसबके सन्तानसबके एहन आज्ञाकारी हृदय देथि, जाहिस' अहाँसब जीवित रहि सकब। 7यहोवा अहाँसबके परमेश्वर ईसब सरापसब अहाँसबके घृणा करएबला आ सतावएबला शत्रुसबपर राखि देताह।8फेरु यहोवाक वचन मानब आ आइ हम अहाँसबके द' रहल आज्ञा सबहक पालन करब।9यहोवा अहाँसबके परमेश्वर अहाँसबके हाथके' सब काजमे, अहाँसबके सन्तानमे, मालजालक' बच्चामे आ अहाँसबके जमीनक' उपजनीमे अनगिनत वृद्धि कराओत। कारण, अहाँसब पूर्वजसबस' ओ जेना खुश छलाह ओहिना यहोवा फेरु अहाँसबस' खुश होएताह आ अहाँसबहक वृद्धि करताह।10परमेश्वरके व्यवस्थाके ई पोथीमे लिखल हुनकर विधि आ वचनसब पालन करब आ अपन पूरा हृदय आ अपन प्राणस' जं अहाँसब यहोवा अपन परमेश्वर दिस घुरि आएब त' ओ ईसब करतनि।11मूसा इजराएलके लोकसबके आओर कहलनि जे आइ जे आज्ञा हम अहाँसबके द' रहल छी से अहाँसबके' लेल बेसी कठिन आ बहुत दूर नहि अछि। 12“हमरासबहक लेल के स्वर्गमे जा' क' के लाबिक' हमरासबके कहि देत आ हमसब ई पालन क' सकब?” से नहि कहए पडत किएक त' ई स्वर्गमे नहि अछि।13“समुद्रक' ओहिपार जा' क' हमरासबहक लेल के लाबिक' कहि देत आ सब ई पालन क' सकब?” सेहो नहि कहए पडत किएक त' ओ समुद्रक' ओहिपार सेहो नहि अछि।14मुदा अहाँसबके पालन करएलेल ई आदेश बहुत लग अछि , अहाँके मुंह आ हृदयमे अछि।15मूसा इजराएलके लोकसबके आओर कहलनि जे देखू, आइ हम अहाँसबके आगुमे जीवन आ नीक, मृत्यु आ अधलाह राखि देने छी।16यहोवा अहाँसबके परमेश्वरक प्रेम करए, हुनकर बाटपर चलए, हुनकर आज्ञा, विधि, आ नियमसब पालन करए लेल हम आइ अहाँसबके आदेश द' रहल छी। त' अहाँसब जीवित रहब आ वृद्धि होएत आ यहोवा अहाँसबके परमेश्वर अहाँसबके, अहाँसब अधिकार करएलेल जा' रहल देशमे आशीष देथिन।17मुदा यदि अहाँसब यहोवाके नहि सुनब आ हुनका अवज्ञा करब आ दोसर देवता दिस आकर्षित भ' क' ओकरासबहक पूजा आ आराधना करब।18त' हम आइ अहाँसबके घोषणा करैत छी जे अहाँसब अवश्य नाश भ' जाएब। यरदन नदीपार' अधिकार करए लेल जा' रहल देशमे अहाँसब बेसी दिन नहि जिबैत छी।19आइके दिन, हम आकाश-पृथ्वीके अहाँसबके विरुद्ध गवाही रखैत छी जे हम अहाँसबहक आगु जीवन आ मरण, आशीष आ सराप राखि देने छी। एहिलेल जीवन खोजू जाहिस अहाँसब आ अहाँसबके सन्तानसब जीबि सकब।20यहोवा अहाँसबहक अपन परमेश्वरस' प्रेम करैत, हुनकर आज्ञा मानैत आ हुनके मे लीन भ' क' जीवन जीबू। किएक त' यहोवे अहाँसबके जीवन छथि आ अहाँसबके पूर्वज अब्राहम, इसहाक आ याकूबस' शपथ खा' क' देने कनान देशमे अहाँसबके आयु नमहर करतनि।

Bridge Connectivity Solutions Pvt. Ltd.

https://app.library.bible/content/2acb82c33dca4c67