Deuteronomy29

1मोआब देशमे इजराएली सबहक' कहएलेल यहोवा मूसाके ई कहिक आज्ञा देने छलाह, होरेबमे ओकरासबहक संग कएने करारक' वचनसबमे जोड़ल गेल।2मूसा सारा इजराएलीके बजबाक' कहलनि जे यहोवा मिस्र देशमे अहाँसबके आंखिके आगु मिश्र के राजा, ओकर अधिकारीसब, आ ओकर सारा देशमे कएने काजसब अहाँसब देखने छी।3अहाँसबके' आंखि पैघ-पैघ कष्टसब, चेन्हसब, आ ओ पैघ आ आश्चर्यक काजसब देखलक।4मुदा आजुक दिन धरि यहोवा अहाँसबके बुझएबला हृदय, देखएबला आंखि आ सुनएबला कान नहि देलनि। 5यहोवा अहाँसबके कहनहूं छथि जे हम अहाँसबके चालीस वर्ष धरि उजाड स्थानमे अगुवाइ कएलिऐ। अहाँसबहक वस्त्र पुरना नहि भेल आ अहाँसबके' पयरक' चप्पल सेहो पुरना नहि भेल।6अहाँसब कोनो रोटी नहि खा सकलहुं आ नहि कोनो दाखमद्य वा आन दाखमद्य सेवन कएलिऐ, एहिलेल की हम ही यहोवा अहाँसबके परमेश्वर छी से जानि सकी।7जखन अहाँसब एहि स्थानपर आबि गेली त' हेशबोनके राजा सीहोन आ बाशानक' राजा ओग हमरासबहक' विरुद्ध लड़बाक लेल निकलि आएल आ हमसब ओकरासबके परास्त क' देलिऐ।8हमसब ओकरासबहक देश ल' क' रूबेनी, गादी आ मनश्शेक' आधा कुलके उत्तराधिकारके रुपमे द' देलिऐ।9एहिलेल ई यहोवा अहाँसबसंगे कएने करारके वचनसब होसियारीपूर्वक पालन करु, जाहिस अहाँसब जे किछु काज करैत छी, ओहिमे अहाँसबके सफलता भेटए।10अहाँसब आजुक दिन यहोवा अहाँसबके परमेश्वरके आगु ठाढ़ छी। अहाँसबके मुखियासब, कुलसब, धर्मगुरुसब आ अधिकारीसब आ सब इजराएलीसब,11अहाँसबहक बच्चाबुच्ची सब, पत्नीसब आ अहाँसबके छावनीमे रहनिहार परदेशीसब, अहाँसबहक लकड़हारा स' ल' क' पनिभरनी धरि।12यहोवा अहाँसबके परमेश्वरक' संग एकटा करारमे प्रवेश करबाक लेल अहाँसब एत आएल छी जे करार यहोवा अहाँसबके परमेश्वर आजुक दिन अहाँसबके संग शपथके द्वारा क' रहल छथि।13जेना ओ आइ अहाँसबके अपन प्रजा बनएलेल आ ओ अहाँसबके परमेश्वर होएबाक लेल यहोवा पक्का क' रहल छथि, जेना ओ अहाँसबस' प्रतिज्ञा कएने छलाह आ अहाँसबके पूर्वजसब, अब्राहम, इसहाक आ याकूबस' शपथ कएने छलाह।14कारण, हम ई शपथ सहितके करार अहाँसबके संग मात्रे नहि क' रहल छी।15आइ यहोवा हमरासबहक परमेश्वरक आगु हमरासबहक संग एत' ठाढ़ अछि। मुदा आइ हमरासबहक संग जे नहि अछि, ओकरो सबहक संग सेहो।16हमसब मिस्र देशमे कोना रहैत छलीह आ अत' आबएलेल कोना दोसर देश भ' क' पार कएली से अहाँसबके स्मरण होएत।17ओकरासबहक बीचमे रहल ओकरासबहक काठ, पत्थल, चानी आ सोनास' बनल घृणित मूर्तिसब अहाँसब देखने छी।18सावधान! अहाँसबके बीचमे कोनो पुरुष, स्त्री, कुल वा वंश, जेकर हृदय ओहि जाति सबहक देवता सबहक पूजा करएलेल आइ यहोवा हमरासबहक परमेश्वरस' मुंह मोड़ि नहि जाए। ध्यान राखब जे अहाँसबके बीच एहन कड़वा विष उत्पन्न करएबला कोनो जड़ि नहि होए। 19जखन एहन आदमी एहि सरापक शपथके बात सुनत तब ओ अपनाके आशीष दैत हृदयमे सोंचत आ कहत जे हम जिद्दीपनमे अपन बाट चलब' तथापि “हमरा शान्ति मिलए।” एहिस' भिजल आ सुखल जमीनमे सेहो बिपत्ति आएत।20यहोवा ओकरा कहियो माफ नहि करथिन, मुदा यहोवाके' क्रोध आ डाहके आगि ओहि आदमीपर धधकैत रहत, आ परमेश्वरके व्यवस्थाके ई पोथीमे लिखल सरापसब ओकरापर आबि जाएत, आओर यहोवा ओकर नाम आकाशके नीचास' मिटा देथिन। 21एहि परमेश्वरके व्यवस्थाके एहि पोथीमे लिखल करारके सब सराप बमोजिम यहोवा ओकरा इजराएलीके सब कुलमेस' विपत्तिके लेल अलग क' देथिन।22अहाँसबके बाद आबएबला सन्तान, आ दुर देशस' आएल परदेशीसब एहि देशपर आएल विपत्तिसब आ यहोवाके द्वारा पठाओल रोगसब देखत।23यहोवा अपन भयंकर क्रोधमे सदोम आ गमोरा, अदमा आ सबोयीम शहरके नाश कएने छलथि जेना पूरा देशमे गंधक आ जरल नूनके मानि मात्रे होएत। जत किछु नहि बाओग कएल जाएत आ नहि कोनो फलफूल होएत, आ नहि कोनो वनस्पति उगत ओसब देखत। 24ओसब संसारके सबजाति सबके संगे कहत, यहोवा एहि देशके' किएक एहि तरहे कएलनि? ई भयंकर क्रोधक' तापक' अर्थ की?25तखन लोकसब उत्तर देलक, ई एहिलेल भेल, जे ओ मिस्र देशस' निकालिके अत' अएलापर यहोवा ओकरासबहक पूर्वजसबके' परमेश्वरक' ओकरासबहक संग कएने करार ओ सबहक छोड़ि देलनि।26आ ओसब जा क' दोसर देवताके' सेवा करैत छल आ ओकरासबके पूजा करैत छल, जे देवतासब ओसब नहि चिन्हैत छल आ जे ओ ओकरासबके नहि देने छल।27एहिस' यहोवाक' क्रोध एहि देशपर प्रगट भेल अछि, आ परमेश्वरके व्यवस्थाके ई पोथीमे लिखल सबटा सराप ओ एहि देशमे लाबि देलथिन।28यहोवा भयंकर क्रोधमे, आ बेसी क्रोधमे ओकरासबके अपन देशस' उखाड़ि देलनि आ दोसर देशमे फेक' देलनि जेना आइ भेल अछि। 29गुप्त चीजसब यहोवा हमरासबहक परमेश्वरक अछि। मुदा हमसब एहि व्यवस्थाके' सारा वचन पालन करए लेल प्रगट भेल चीजसब हमरासबहक आ हमरासबहक सन्तानसबके लेल सदाके लेल अछि, एहिलेल हमसब एहि व्यवस्थाके' सब करारके पालन करब।

Bridge Connectivity Solutions Pvt. Ltd.

https://app.library.bible/content/2acb82c33dca4c67